चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 5
5
हननिया आर सफिराके छलकपट
1मगर हननिया नामके कोय एक आदमी आर ओकर पतनी सफिरा आपन जमिनके एक भाग बेचल्कै। 2आर ऊ आपन पतनीके सहमतिसे आपन लिए जमिन बेच्ल पैसासे कुछु पैसा राखल्कै आर बाँकी बच्ल पैसा चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके आनिके देल्कै आर हननिया कहैल्कै इहे पुरा पैसा छै।
3मगर पत्रुस कहैल्कै, “हे हननिया, पवित्र आत्मासे झुठ बोलैले आर जमिन बिक्रीके मोलसे कुछु हिस्सा आपन लगत राखैके बात शैतान केरंके तोर मनमे भरि देल्कौ? 4उटा बिक्री नैहुऐतक उटा तोरे नैरहौ से? आर बिक्री भेलके बाद भी उटा तोरे अधिकारमे नैरहौ से? एरं काम करैके खराब विचार तोर मनमे केरंके ऐलौ? तुहें ते आदमीसिके नै, मगर परमेश्वरके ठक्ले छैं।” 5यी बात सुनिके हननिया भुइयाँमे खस्लै आर ओकर मौत भ्यागेलै। यी बात सुनेवालासिके उप्परमे बहुते डर भ्यागेलै। 6तब जवानसब उठिके ओकरा कपडामे लपेटिके बाहार ल्यागेलै आर गाडी देल्कै।
7करीब तीन घण्टाके बाद ओकर पतनी ओत्ते ऐलै। ओकरा यी घटनाके सम्बन्धमे कोनो जानकारी नैरहै। 8पत्रुस ओकरा पुछल्कै, “हमरा क, तुहेंसब जमिन ओतनहैंमे बेच्लहैं?” तब ऊ कहैल्कै, “हौं, ओतनहैंमे।”
9मगर पत्रुस ओकरा कहैल्कै, “तुहेंसब प्रभुके आत्माके परीक्षा करैले केरंके एकमत भेल्हैं? देख तोर पतिके गाडेवालासब केबाडीए लगत खडा छै आर ऊसब तोरहौ उठ्याके बाहार ल्याजैतौ।” 10तब ऊ तुरन्ते ओकर पैरी लगत खस्लै आर ओकर मौत भ्यागेलै। तब जवानसब भितर ऐलै आर ओकरा मर्ल देखिके बाहार ल्यागेलै आर ओकर पतिके जते गाडल्कै रहे, ओकरे बगलमे ओक्रहौ गाडी देल्कै। 11एरं घटना भेलके बाद यरूशलेम सहरके सभे विश्वासीसब आर यी घटनाके बारेमे सुनेवाला सभैमे बहुते डर फैली गेलै।
चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके द्वारा चिन्ह आर चमत्कार
12आब चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके हातसे बहुते चिन्हसब आर चमत्कारसब आदमीसिके बीचमे हुए लाग्लै, आर सभे विश्वासीसब सुलेमानके ओसरामे एक मनके भ्याके जमा भेलै रहे। 13मगर जे आदमीसब एखनतक येशूमे विश्वास नैकैल्कै रहे, ओकरासिमेसे कक्रहौ भी चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके संगे सामिल हुऐके हिम्मत नैभेलै। तैय्योपर आदमीसब ओकरसिके आदर करै।
14प्रभुमे विश्वास करेवाला पुरुष आर जनानीसिके संख्या आरहौ बेसी बढते गेलै। 15जे कुछु चुन्ल आर भेज्ल चेलासब कर्ते रहै ओकर कारण आदमीसब बेमारीसिके रस्तामे पटिया आर खटियापर आनिके राखी दै ताकी ऊ रस्ता द्याके पत्रुस ऐलके बाद ओकरसिके उप्परमे ओकर छाया पडी जै। 16यरूशलेम सहरके अगल-बगलके सहरसे भी बहुते आदमीसब बेमारीसब आर भूतसे सतैलसिके ल्याके चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके लगत आबै आर ऊसब सभेको ठीक भ्याजै।
चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके जेलमे कैद करिदेल्कै
17प्रधान पुजारी आर ओकर संगमे भेल जे सदुकी समूहके आदमीसब रहै जर्नीसे भरिके चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके विरुद्धमे कुछु काम करैके फैसला कैल्कै। 18तब चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके पक्डीके सार्वजनिक जेलमे राखी देल्कै।
19मगर प्रभुके एकटा स्वर्गदूत राती आबिके जेलके केबाडसब खोली देल्कै। 20आर ओकरासिके बाहार निकालीके कहैल्कै, “जो आर परमेश्वरके मन्दिरमे खडा भ्याके आदमीसिके यी नया कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके पुरा सन्देश बता।” 21यी सुन्लके बाद ऊसब परमेश्वरके मन्दिरके भितर गेलै आर शिक्षा दिए लाग्लै। मगर प्रधान पुजारी आर ओकर संगमे भेल आदमीसब ऐलै, आर महासभा, अर्थात सभेटा इस्राएली अगुवासिके सभाके बोलैल्कै, आर चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके जेलसे आनैले भेजल्कै।
22मगर मन्दिरके सिपाहीसब जब ओत्ते पहुँचलै ते चुन्ल आर भेज्ल चेलासब जेलमे नैरहै। ऊसब वापस घुमिके आबिके यी खबर महासभाके सदस्यसिके देल्कै। 23“हमेसब जेलमे सुरक्षितसाथ ताला लगैल आर पहरदारसब केबाडी लगत खडा भेल देख्लियै, मगर केबाड खोल्लके बाद हमरासिके कोय नैमिल्लै।”
24जब परमेश्वरके मन्दिरके सिपाहीके कप्तान आर प्रमुख पुजारीसब यी खबर सुनल्कै तब यी सबके नतिजा कि हैतै कहिके ऊसब चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके विषयमे सोचमे पडी गेलै। 25मगर कोय एकझन आबिके ओकरासिके कहैल्कै, “देख, तुहेंसब जे आदमीसिके जेलमे राख्लह रहे ऊसब परमेश्वरके मन्दिरमे खडा भ्याके आदमीसिके शिक्षा दैछै।”
26जब ऊसब यी बात सुनल्कै, परमेश्वरके मन्दिरके सिपाहीसिके कप्तान कुछु सिपाहीसिके संगमे ल्याके परमेश्वरके मन्दिरमे गेलै। ऊसब ओत्ते जैके चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके जबरजस्ती नैक्याके महासभाके समनामे आनल्कै, कहिनेकी ओकरासिके डर रहै कि चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके संगे जोर-जबरजस्ती कैलके बाद कहीं आदमीसब पत्थल फेकिके हमरासिके जान नै मारि दै। 27ऊसब ओकरासिके प्रधान पुजारीके द्वारा पुछ-ताछ करैके लिए महासभाके समनामे आनल्कै। 28आर प्रधान पुजारी ओकरासिके कहैल्कै, “हमेसब तोरासिके यी नाममे कोनो शिक्षा नैदिहैं कहिके कडा आज्ञा देलियौ रहे मगर तुहेंसब आपन शिक्षासे सारा यरूशलेम सहर भरि देल्हैं, आर ऊ आदमीके खूनके दोष हमरसिके उप्परमे लगाबैले चाहैछै?”
29मगर पत्रुस आर चुन्ल आर भेज्ल चेलासब कहैल्कै, “हमरासिके आदमीसिके नै मगर परमेश्वरके आज्ञापालन कर्हैले पड्तै। 30हमरसिके बाप-पुर्खाके परमेश्वर येशूके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, जकरा तुहेंसब क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार्लह रहे। 31इस्राएलीसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लग्याके पापसे माफी पाबै कहिके परमेश्वर येशूके उद्धारकर्ता बन्याके आपन दहिना हातके बगल सम्मानके जगहमे बैठैल्कै। 32यी सभे बातके हमेसब गवाही छियै, आर परमेश्वर आपन आज्ञापालन करेवालासिके देल पवित्र आत्मा भी यी बातके गवाही दैछै।”
33मगर जब महासभाके सदस्यसब यी बात सुन्लकै तब ऊसब बहुते गोसैलै, आर चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके जान मारैले चाहैल्कै। 34मगर फरिसी समूहके गमलिएल नामके आदमी जे यहूदी धरमशास्त्रके पण्डित रहै आर सभैके नजरमे प्रतिष्ठित आदमी रहै। ऊ महासभामे खडा भ्याके आदेश देल्कै कि चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके कुछु समयके लिए बाहार भेजी देल जै।
35आर गमलिएल महासभाके सदस्यसिके कहैल्कै, “इस्राएलीसब, यी आदमीसिके तुहेंसब जे करैले चाहैछै, ओकरामे होशियार रह। 36कहिनेकी कुछु समय पहेला भी थुदास नामके एकटा आदमी रहै आर ऊ दाबी कर्ते रहै कि ऊ भी कुछु छियै आर करीब चार स आदमीसब ओकर अनुयायी बनी गेलै। मगर ओकर जान मार्ल गेलके बाद ओकर अनुयायीसब सभेको छिरिया गेलै आर ओकर नाम निशान भी नै रहलै। 37एकरबाद जनगणनाके समयमे गालील जिलाके रहेवाला यहूदा नामके एकटा आदमी क्रान्ति शुरु कैल्कै, बहुते आदमीसब ओकर अनुयायी बन्लै मगर ओकर भी जान मार्ल गेलै आर ओकरो अनुयायीसब भी छिरिया गेलै।
38इहे ल्याके आब यी मामलामे हमे तोरासिके कहैछिहौं, कि यी आदमीसिके विरोधमे कुछु नैकर मगर एकरासिके छोडी दह, कहिनेकी एकरसिके यी विचार आर काम आदमीके प्रेरणासे छै ते आपनहैंसे समाप्त भ्याजैतै। 39मगर यी परमेश्वर छै ते तुहेंसब आदमीसिके रोकैले नैसक्भ बल्की एरं कैल पर तुहेंसब परमेश्वरके विरुद्धमे लडेवाला ठहर्भ।”
40महासभाके आदमीसब गमलिएलके सल्लाह मानल्कै। ऊसब चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके भितर बोल्याके मारपिट करिके ओकरासिके यी आज्ञा देल्कै कि ऊसब येशूके नाममे कुछु नैकहै आर फेर ओकरासिके छोडिदेल्कै। 41तब येशूके खातिर अपमान सहैके योग्यके ठहर्लियै कहिके यी बातमे आनन्द मनैते ऊसब महासभाके उपस्थितिसे निक्लीके गेलै। 42तब चुन्ल आर भेज्ल चेलासब हरेक दिन परमेश्वरके मन्दिरमे आर आदमीसिके घर-घरमे जैके येशू ही उद्धारकर्ता ख्रीष्ट छै कहिके सिखाबैले आर खुश-खबरी प्रचार करैले नैछोडल्कै।
Currently Selected:
चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 5: KYVNT
Highlight
Share
Compare
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.