१ कोरन्थी 6
6
बिस्बासीसबके बिचमे बेमेल
1यदि तोरासबमेसे एक-दोसरके बिचमे झगरा भेल छौ त, तुसब नियायके लेल परमेस्वरके पबितर जनलग नै ज्याके बिस्बास नै करैबला लग जाइले कनङके साहस करेसक्तै? 2पबितर जनसब सनसारके लोकसबके नियाय करतै कैहके, कि तोरासबके थाह नै छौ? यदि तुसब सनसारके लोकसबके नियाय करैचिही त, एहेन छोटसे छोट झगरासब मिलाबैले नै सकैचिही? 3हमसब कोनो दिन स्वरगदुतसबके नियाय करबै से बात तोरासबके थाह नै छौ? यदि एहेनछै त यि जिबनमे साधारन झगरासब मिलेनाइ, कि बरका बात चियै? 4यदि तोरासबमे एहेन झगरासब छौ त, तुसब कथिले बिस्बास नै करैबला लग जाइचिही? जैसबके मन्डलीमे कोनो मोलके नै ठानैछै? 5तोरासबके लाजमे पारैके लेल हम यि कहैचियौ। कि तोरासबके बिचमे भाइ-भैयारीके झगरा मिलाबैबला एकोटा बुधिमान लोक नै छौ से? 6महज एकटा बिस्बासी भाइ दोसर बिस्बासी भाइसङे झगरा कैरके नियायके लेल बिस्बास नै करैबलासबके लग ल्याजाइछै!
7एक-दोसरके बिरोधमे झगरा करनाइ तोरासबके हार चियौ। बरु अनियाय कथिले नै सहबै? कथिले नै आपने ठगल जेबै? 8महज तुसब त आपने बिस्बासी भाइ-भैयासबके अनियाय करैचिही आ ठगैचिही। 9कि अधरमी लोकसब परमेस्वरके राजमे ढुकैले नै सक्तै कैहके तोरासबके थाह नै छौ? अइ बातके गम्भिर रुपसे ले आ तुसब आपनेके धोखा नै दहै, कथिलेत अनैतिक काम करैबला, मुरतिपुजा करैबला, बेबिचार करैबला, समलिङगिसब, पुरुखगामीसब, 10चोरसब, लोभ करैबलासब, पियक्करसब, निन्दा करैबलासब आ लुटपाट करैबलासब परमेस्वरके राजके हकदार हैले नै सक्तै। 11तोरासबमेसे कतहेक गोरे एक समयमे अहिनङे छेल्ही, महज तुसब आब परभु येसुके नाममे आ परमेस्वरके आत्मासे धोबल गेलचिही, पबितर भेलचिही आ धरमी ठहरल चिही।
बेबिचारसे अलग रह
12कोइ कहैछै, “सबकुछ करैके लेल हमरा अधिकार छै”, महज सब बात हमर लेल भलाइके नै छै। कहैले त हम्हु सकतियै, “सबकुछ करैके लेल हमरा अधिकार छै” महज हम ककरो दास नै बन्बै।#१ कोरन्थी १०:२३ 13कोइ कहैछै, “भोजन पेटके लेल आ पेट भोजनके लेल चियै।” महज परमेस्वर दुनुके नास करतै। लोकके देह बेबिचारके लेल नै, महज परभुके लेल चियै आ देहके लेल आबसेक चिज परभुवे बन्दोबस करैछै। 14जनङ परमेस्वर आपन सक्तिसे येसु खिरिस्टके मरलसे जिबित करल्कै तहिनङे अपनोसबके ओकर सक्तिसे जिबित करतै।
15तोरासबके देह खिरिस्टके अंगसब चियौ कैहके कि तोरासबके थाह नै छौ? कि हम खिरिस्टके अंगसब ल्याके बेसियासबके अंग बनाइबै? एहेन कहियो नै हेबे! 16जे लोक बेसियासङे जाइछै, उ लोक बेसियासङे एके देह हैछै से बात कि तोरासबके थाह नै छौ? कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “उ दुनु एके देह हैछै।”#उतपती २:२४ 17महज जे लोक परभुसङे एक हैछै, उ लोक ओकरसङे आत्मामे एक हैछै।
18बेबिचारसे अलगे रह। औरो पाप, लोक आपन देहसे बाहर करैछै, महज बेबिचार करैबला लोक आपने देहके बिरोधमे पाप करैछै। 19तोरासबके देह पबितर आत्माके मन्दिर चियौ, जे पबितर आत्मा तुसब परमेस्वरसे पाबनेचिही आ उ तोरासबमे बास करैछौ, से बात तोरासबके थाह नै छौ? तुसब स्वयम आपने नै चिही।#१ कोरन्थी ३:१६, २ कोरन्थी ६:१६ 20कथिलेत परमेस्वर तोरासबके मोल तिरके किन्नेछौ। तैखातिर तुसब आपन देहमे परमेस्वरके महिमा कर।
Currently Selected:
१ कोरन्थी 6: MTHB
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: