YouVersion Logo
Search Icon

१ कोरन्‍थी 5

5
बेबिचारके बारेमे चेताबनी
1बास्‍तममे तोरासबके बिचमे बेबिचार छौ से बात सुनैचियौ, एहेन बेबिचार त गैर-यहुदीयोसब नै करैछै। कथिलेत तोरासबमेसे एक गोरे आपने सतमहताइरके राखनेचिही।#बेबस्‍था २२:३० 2तैयो तुसब घमन्‍ड करैचिही! तोरासबके त बरु सोक करे परतियौ आ एहेन काम करैबलाके तोरासबके बिचसे निकालैले परतियौ। 3हम तोरासबके बिचमे नै चियौ, तैयो आत्‍मामे हम तोरेसबसङे चियौ। हम तोरासबसङे भेल जखा एहेन काम करैबलाके नियाय कैरसक्‍ने चियै। 4जब तुसब अपनासबके परभु येसुके नाममे भेला हैचिही त हमर आत्‍मा तोरेसबसङे रहैछौ आ परभु येसुके सक्‍तियो ओतै रहैछै। 5उ लोकके सैतानके हाथमे सोइप दहै, ताकि ओकर पापी स्‍वभाब नास हेबे आ परभुके नियायके दिनमे ओकर आत्‍मा बाँचे।
6तोरासबके करल घमन्‍ड ठिक नै छौ। कन्‍हिके खमिरसे सानल पुरे आँटाके खमिरा बनाइछै, कि से बात तोरासबके थाह नै छौ?#गलाती ५:९ 7तोरासबके बिचसे पुरन्‍का खमिर हटा, तब तुसब खमिर बिनाके सुध अँटा हेब्‍ही। कथिलेत अपनासबके निस्‍तार पाबैनके थुमा, खिरिस्‍ट बली भ्‍याचुकल छै। 8तैखातिर हमसब अधलाह आ दुस्‍ट कामके पुरन्‍का खमिरसे बनल रोटीसे नै, महज खमिर नै मिझराल, सुध आ सत्‍यताके रोटीसे निस्‍तार पाबैन मना।#परस्‍थान १३:७, बेबस्‍था १६:३
9हम तोरासबके बेबिचार करैबला लोकसबके सङहत नै कर कैहके चिठीमे लिखने छेलियौ। 10ओकर मतलब तुसब बेबिचार करैबला, लोभ करैबला, लुटपाट करैबला या मुरतिपुजा करैबलासबसे बिलकुले सङहत नै कर कैहके नै कहलियौ, नै त तोरासबके सनसारे छोइरके जाइले परतौ। 11हम त खिरिस्‍टियन भाइ चियै कहैछै महज बेबिचार करैछै, लोभ करैछै, मुरतिपुजा करैछै, दोसरके निन्‍दा करैछै, मतबाला आ दोसरके ठकैछै, एहेन लोकसबसङे बैठके नै खो कैहके लिखने चियौ। 12कथिलेत मन्‍डली बाहरके लोकसबके नियाय करनाइ हमर काम नै चियै। महज मन्‍डली भितरके लोकसबके नियाय करैबला काम तोरासबके करैले नै परतौ से? 13बाहरके लोकसबके नियाय परमेस्‍वर करतै महज पबितर धरमसास्‍तरमे एहेन लिखल छै, “तुसब आपन बिचसे दुस्‍ट लोकसबके निकाइल दहै।”#बेबस्‍था १३:५, १७:७

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in