YouVersion Logo
Search Icon

१ कोरन्‍थी 11

11
1जहिनङ हम खिरिस्‍टके देखासेखी करैचियै तहिनङ तुसब सेहो हमर देखासेखी कर।#१ कोरन्‍थी ४:१६, फिलिप्‍पी ३:१७
सिर झापैके बारेमे सिक्‍छा
2हम तोरासबके परसन्‍सा करैचियौ, कथिलेत तुसब सब बातसबमे हमरा याद करैचिही आ हमर देल सिक्‍छासब तुसब पालन करैचिही। 3महज तोरासबके यि बात थाह हेबे कि खिरिस्‍ट हरेक मानबके सिर चियै। तहिनङे घरबला आपन घरबालीके सिर चियै आ परमेस्‍वर खिरिस्‍टके सिर चियै। 4जे पुरुख आपन सिर झाइपके परथना या अगमबानी बोलैछै, उ आपन सिरके अपमान करैछै। 5महज आपन सिर नै झाइपके परथना करैबला या अगमबानी बोलैबाली जनी आपन सिरके अपमान करैछै। यि त ओकर केस कमेनाइ जखा चियै। 6यदि जे जनी आपन सिर नै झापैछै त, उ आपन केस काटे। महज केस काटनाइ या कमेनाइ जनिके लेल सरमके बात चियै त उ आपन सिर झापे। 7पुरुखके आपन सिर नै झापैके चाही, कथिलेत उ परमेस्‍वरके स्‍वरुप आ सोभा चियै, महज जनी पुरुखके सान चियै।#उतपती १:२६-२७ 8कथिलेत पुरुख जनिसे सिरिस्‍टी नै भेलछै, महज जनी पुरुखसे सिरिस्‍टी भेलछै।#उतपती २:१८-२३ 9तहिनङे पुरुख जनिके लेल नै, महज जनी पुरुखके लेल सिरिस्‍टी भेलछै। 10ओहैसे स्‍वरगदुतसबके अगा घरबाली आपन घरबलाके अधिनमे चियै से देखाबैले आपन सिर झापैले परतै। 11तैयो परभुमे जनी पुरुखसे स्‍वतन्‍तर नै हैछै आ पुरुखो जनिसे स्‍वतन्‍तर नै हैछै। 12कथिलेत जहिनङे पुरुखसे जनिके सिरिस्‍टी भेलै, तहिनङे पुरुख जनिसे जलम लैछै। महज सब चिज परमेस्‍वरसे आबैछै।
13तुसब आपनेसे बिचार कर, कि जनी आपन सिर नै झाइपके परमेस्‍वरसे परथना करैले सोहाइछै? 14पुरुख नमहर केस पालनाइ ओकरलेल सरमके बात चियै कैहके कि परकिरती तोरासबके नै सिखाइछौ से? 15महज जनिके लेल नमहर केस सोभाके बात चियै। कथिलेत जनिके नमहर केस ओकरा झापैले देनेछै। 16यदि कोइ अकर बारेमे बिबाद करैले चाहैछै त, हमरासबसङे यि बाहेक कोनो चलन नै छै, नै त परमेस्‍वरके मन्‍डलीसबमे छै।
परभु-भोज
(मती २६:२६-२९, मरकुस १४:२२-२५, लुका २२:१४-२०)
17आब हम यि आदेस दैतखिना तोरासबके तारिफ नै करबौ, कथिलेत जब तुसब मन्‍डलीमे एकसाथ भेला हैचिही, उ असलके लेल नै महज झन खराबीके लेल हैछौ। 18पहिल्‍का बात यि चियै कि जब तुसब मन्‍डलीमे एकसाथ भेला हैचिही, तोरासबके बिचमे बेमेल हैछौ कैहके हम सुन्‍ने चियौ। तै बातमे हम कुछ बिस्‍बासो करैचियौ। 19तोरासबमेसे सत लोकसब चिन्‍हैके लेल तोरासबमे बेमेल होनाइ जरुरी छै। 20तुसब एकसाथ भेला भ्‍याके खान-पिन करैचिही से परभु-भोज नै चियौ। 21कथिलेत तुसब खाइबखत आपने आपने सुरमे खाइले लागैचिही। तब कोइ भुखले रहैछै आ कोइ पिके मातैछै। 22कि तोरासबके खाइ-पियैले आपने घर नै छौ से? या कि तुसब परमेस्‍वरके मन्‍डलीके निच ठानैचिही आ किछो नै भेल्‍हासबके अपमान करैचिही? हम तोरासबके कथी कहबौ? अकर लेल कि हम तोरासबके परसन्‍सा करबौ? नै, हम परसन्‍सा नै करबौ।
23कथिलेत हम परभुसे जे पाबलियै, ओह्‍या तोरासबके सोइप देलियौ। अरथात जे रात परभु येसु पकराउ परलै, ओह्‍या रात येसु रोटी लेल्‍कै, 24आ धन्‍यबाद द्‍याके रोटी तोरैत कहल्‍कै, “यि तोरासबके लेल हमर देह चियौ, हमर सम्‍झनामे एहेन कैरते रह।” 25तहिनङे रोटी खेलाके बाद बाटी लेल्‍कै आ कहल्‍कै, “परमेस्‍वर आ लोकके बिचमे समबन्‍ध अस्‍थापित करैबला यि बाटी लया करारके हमर लहु चियै। जहिया-जहिया तुसब यि पिब्‍ही, तहिया-तहिया हमर सम्‍झनामे एहेन कैरते रह।”#परस्‍थान २४:८, यरमिया ३१:३१-३४, परस्‍थान २४:६-८
26जहिया-जहिया तुसब यि रोटी खेब्‍ही आ अइ बाटीसे पिब्‍ही, परभु नै आबेतक ओकर मिरतुके परचार करबिही। 27तैखातिर जे बेठिकसे परभुके रोटी खाइछै आ ओकर बाटीसे पियैछै, उ लोक परभुके देह आ लहुके अपबितर करलाके खातिर दोसी ठहरतै। 28तैखातिर हरेक लोक पहिने अपनाके ठिकसे जाँचे तकरबाद उ रोटी खेबे आ बाटीसे पिबे। 29कथिलेत जे परभुके देहके नै चिन्‍हके खाइछै आ पियैछै, उ खेलाके आ पिलाके कारन आपन उपर दन्‍ड आनैछै।
30ओह्‍या खातिर तोरासबमेसे बहुतो गोरे कमजोर आ बिमार चिही आ कतहेक गोरे मैरगेलौ। 31यदि हमसब आपनेके ठिकसे जाँच्‍ने चियै त, नियायमे नै परबै। 32जब परभु अपनासबके नियाय करतौ, उ अपनासबके अनुसासनके लेल करतौ, ताकि हमसब सनसारके लोकसब जखा दोसी नै ठहरबै।
33अहै खातिर, हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, जब तुसब परभु-भोज खाइले भेला हैचिही, तब तुसब एक-दोसरके लेल असियाल रह। 34यदि कोइ भुख्‍याल चिही त, उ आपन घरमे खेबे। ताकि तुसब एकसाथ भेला हेब्‍ही त दोसी नै ठहरबिही। औरो बातके बारेमे हम तोरासबलग एबौ त आदेस देबौ।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in