YouVersion Logo
Search Icon

१ कोरन्‍थी 10

10
मुरतिपुजाके बारेमे चेताबनी
1हे हमर भाइसब, मोसाके पछा लागैबला अपनासबके पुरखासबके कि भेल छेलै से बात हम तोरासबके याद दिलाबैचियौ। उसब सब गोरेके मिसरदेससे बादल रस्‍ता देखाइत ल्‍यागेलै आ उसब समुन्‍दरके बिचसे पार भ्‍याके गेलै।#परस्‍थान १३:२१-२२, १४:२२-२९ 2बादल ओइसबके रस्‍ता देखाइत ल्‍यागेलै आ उसब समुन्‍दरके बिच हैत मोसाके पछा गेलै आ यि ओइसबके लेल बप्‍तिस्‍मा ल्‍याल जखा भेलै। 3उ सबकोइ एके किसिमके आत्‍मिक भोजन खेल्‍कै,#परस्‍थान १६:३५ 4आ सबकोइ एके आत्‍मिक पानी पिल्‍कै, कथिलेत उसब सङे-सङे यातरा करैबला आत्‍मिक चटानसे निकलल पानी पिल्‍कै आ उ चटान खिरिस्‍ट छेलै।#परस्‍थान १७:६, गन्‍ती २०:११ 5महज परमेस्‍वर बहुतो गोरेसङे खुस नै छेलै आ उसब मरुभुमिमे नास भेलै।#गन्‍ती १४:२९-३०
6आब ओकरेसब जखा हमसब खराब इक्‍छा नै राखबै कैहके यि घटना अपनासबके चेताबनीके लेल चियै।#गन्‍ती ११:४ 7उसबमेसे कतहेक गोरे करल जखा तुसब मुरतिपुजा नै कर। यह्‍या बात पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल छै, “लोकसब भोजमे खान-पिन करैले बैठलै आ मोज-मज्‍जा करैले लाग्‍लै।”#परस्‍थान ३२:६ 8अपनासब ओकरेसब जखा बेबिचारमे नै फस जनङ उसब फस्‍लै आ एके दिनमे तइस हजार लोक मरलै।#गन्‍ती २५:१-१८ 9अपनासब खिरिस्‍टके परिक्‍छा नै करैके चाही, जनङ ओइसबमेसे कतहेक गोरे करल्‍कै आ साँपसब धैरके मरलै।#गन्‍ती २१:५-६ 10अपनासब गनगन नै कर जनङ ओइसबमेसे कतहेक गोरे करल्‍कै आ मिरतुके दुत ओइसबके नास करल्‍कै।#गन्‍ती १६:४१-४९
11यि सब घटनासब अपनासबके खातिर उदाहरन हेबे कैहके अपनासबके चेताबनीके लेल लिखल गेलै। आब हमसब अइ सनसारके अन्‍तके समयमे आइबगेल चियै।
12तैखातिर जे अपनाके ठार भेलचियै कहैछै, उ होसियार रहे, नै त उ खैसपरतै। 13तोरासबके जिबनमे आबैबला सब परिक्‍छासब लोकसबके बिचमे आबैबला जखा हैछै। परमेस्‍वर बिस्‍बासयोग्‍य छै, जे तोरासबके सहे नै सकैबला परिक्‍छामे नै पारतौ। जब तु लोभमे परबिही परमेस्‍वर तोरा उ परिक्‍छासे बचैयोके लेल सहायता करतौ। तब तु सहैले सकबिही।
14तैखातिर, हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, मुरतिपुजासे दुरे रह। 15तुसब बुधियार लोक चिही कैहके हम यि बात कहैचियौ, तुसब आपनेसे हमर कहल बातसबके गौरसे बिचार कर। 16जब हमसब परभु-भोजके बाटी ल्‍याके परमेस्‍वरके धन्‍यबाद दैचियै, कि उ बाटीसे पियैचियै त हमसब खिरिस्‍टके लहुमे सहभागी नै भेलियै से? आ उ रोटी, जकरा हमसब तोइरके खेलियै, कि खिरिस्‍टके देहमे सहभागी नै भेलियै से?#मती २६:२६-२८, मरकुस १४:२२-२४, लुका २२:१९-२० 17रोटी एकेटा छै आ हमसब बहुतो गोरे चियै तैयो एके देह चियै, कथिलेत हमसब एकेटा रोटीसे खाइचियै। 18इजराएली लोकसबके बारेमे बिचार कर। कि उसब बेदीमे चरहाइबला चिजसब ख्‍याके बेदीमे सहभागी नै भेलै से?#लेबी ७:६ 19हम कि कहैले चाहैचियौ? कि मुरतिके चरह्‍याल चिजके कोनो महत्‍व छै? या कि मुरतिके कोनो महत्‍व छै? 20हमर कहैके मतलब यि चियै कि, जे बली मुरतिपुजा करैबलासब चरहाबैछै उ परमेस्‍वरके नै बल्‍की भुत परेतसबके चरहाबैछै आ हम नै चाहैचियौ कि तुसब भुत-परेतसबसङे सहभागी हो।#बेबस्‍था ३२:१७ 21तुसब परभुके बाटी आ भुत परेतसबके बाटी दुनुसे पियैले नै सकबिही। तहिनङे तुसब परभुके भोज आ भुत परेतसबके भोज दुनु खाइले नै सकबिही। 22अनङकैरके परभुके रिस उठेनाइ डरलागैबला बात नै चियै से? कि अपनासब ओकरसे बौकार चिही?#बेबस्‍था ३२:२१
बिस्‍बासीसबके स्‍वतन्‍तरता
23तोरासबमेसे कोइ-कोइ कहैचिही, “सब चिज करैले पाबैछै” महज सब चिजसे भलाइ नै हैछै। दोसर सब कहैछै, “सब चिज करैले पाबैछै” महज सब चिजसे फैदा नै हैछै।#१ कोरन्‍थी ६:१२ 24कोइ आपन मातरे भलाइ नै, बरु दोसरके सेहो भलाइ खोजे।
25मासुके दोकानमे कथी बेचैछै, बिबेकके खातिर कोनो सबाल नै कैरके खो। 26कथिलेत पबितर धरमसास्‍तरमे लिखलछै, “पिरथिबी आ अइमे भेल सब चिज परमपरभुवेके चियै।”#भजनसङगरह २४:१ 27यदि कोइ परभुमे बिस्‍बास नै करल लोक तोरासबके भोजमे नौता दैछौ आ जाइले मन लागैछौ त जो आ तोरा जे-जे खाइले दैछै, बिबेकके खातिर बिना सबाल कैरके खो। 28महज कोनो लोक तोरा “यि त मुरतिके चरह्‍याल चिज चियौ” कहैछौ त, बताइबला लोकके खातिर आ बिबेकके लेल उ नै खो। 29हमर कहैके मतलब तोहर बिबेकके लेल नै, महज उ बताबैबला लोकके बिबेकके लेल चियै। तुसब कहैले सकबिही, “दोसरके बिबेकके लेल आपन स्‍वतनरता कथिले जाँच करबै? 30यदि हम परमेस्‍वरके धन्‍यबाद द्‍याके खाइचियै त, धन्‍यबाद द्‍याके ख्‍याल भोजनके लेल कथिले हमरा दोसर लोक दोस लगाइतै?”
31तैखातिर तुसब खो, पि या जे कुछ कर, सबकुछ परमेस्‍वरके महिमाके लेल कर। 32तुसब ककरो ठेस लागैबला काम नै कर, चाहे यहुदीके, चाहे गिरिकके या चाहे परमेस्‍वरके मन्‍डलीके हेबे। 33हमर करल जखा कर। हम अपना खुस हैबला काम नै करलियै। महज सबकोइ उधार पाबे कैहके सब तरहसे सबके भलाइ खोजैचियै।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in