YouVersion Logo
Search Icon

यूहन्‍ना 16

16
1“ई सभ बात हम अहाँ सभ केँ एहि लेल कहि दैत छी जे अहाँ सभ विश्‍वास केँ नहि छोड़ी। 2ओ सभ अहाँ सभ केँ सभाघर सँ बारि देत। हँ, ओ समय आबि रहल अछि जे, जे अहाँ सभ केँ जान सँ मारि देत से बुझत जे ओ परमेश्‍वरक धर्म-कर्म कऽ रहल अछि। 3ई काज ओ सभ एहि लेल करत जे ओ सभ ने हमरा आ ने हमरा पिता केँ कहियो चिन्‍हने अछि। 4मुदा ई सभ बात हम अहाँ सभ केँ कहि दैत छी जाहि सँ जखन ओ समय आओत तखन अहाँ सभ मोन राखब जे हम एहि विषय मे कहि देने छी।
पवित्र आत्‍माक काज
“ई बात सभ हम शुरू सँ नहि कहलहुँ, कारण हम अहाँ सभक संग छलहुँ। 5मुदा आब हम तिनका लग जा रहल छी जे हमरा पठौलनि, तैयो अहाँ सभ मे सँ केओ नहि हमरा सँ पुछैत छी जे, अहाँ कतऽ जा रहल छी, 6बल्‍कि हमर एहि कथनक कारणेँ अहाँ सभक मोन शोक सँ भरि गेल अछि। 7मुदा हम सत्‍ये कहैत छी जे ई अहाँ सभक हितक लेल अछि जे हम जा रहल छी, किएक तँ जँ हम नहि जायब तँ सहायक नहि औताह, लेकिन जँ हम जायब तँ हम हुनका अहाँ सभ लग पठा देबनि। 8ओ जखन औताह तँ पाप, धार्मिकता आ न्‍यायक विषय मे संसारक दोष सिद्ध करथिन। 9ओकर दोष पापक विषय मे एहि लेल सिद्ध होयतैक, जे ओ सभ हमरा पर विश्‍वास नहि करैत अछि; 10धार्मिकताक विषय मे एहि लेल जे हम पिता लग जा रहल छी आ अहाँ सभ हमरा फेर नहि देखब; 11और न्‍यायक विषय मे एहि लेल जे, ओ जे एहि संसारक शासक अछि से दोषी ठहरि गेल अछि।
12“हमरा अहाँ सभ केँ आओर बहुत किछु कहबाक अछि, मुदा एखन अहाँ सभ ओकरा नहि सहि सकैत छी। 13सत्‍यक आत्‍मा जखन औताह तखन ओ अहाँ सभ केँ पूर्ण सत्‍य बुझौताह, कारण ओ अपना तरफ सँ नहि बजताह, बल्‍कि जे ओ सुनताह सैह बजताह, और भविष्‍य मे होमऽ वला बात अहाँ सभ केँ कहि देताह। 14ओ हमर महिमा प्रगट करताह कारण जतेक बात ओ अहाँ सभ केँ कहताह, से हमरा सँ लऽ लेने रहताह। 15जे किछु पिताक छनि, से सभ हमर अछि। एहि कारणेँ हम कहलहुँ जे, आत्‍मा जे किछु अहाँ सभ केँ कहताह से हमरा सँ लऽ लेने रहताह।
“दुःख सुख मे बदलि जायत”
16“आब कनेक काल मे अहाँ सभ हमरा नहि देखब, तखन फेर कनेक कालक बाद हमरा देखब।”
17एहि पर हुनकर किछु शिष्‍य एक-दोसर सँ कहऽ लगलाह, “हुनकर एहि कथनक की अर्थ भेल जे ‘कनेक काल मे अहाँ सभ हमरा नहि देखब’, और, ‘तखन तकरा कनेक कालक बाद हमरा फेर देखब’, और एकर जे, ‘कारण, हम पिता लग जा रहल छी’?” 18ओ सभ कहऽ लगलाह, “हुनकर एहि ‘कनेक काल’क की कहबाक मतलब छनि? हम सभ नहि बुझि पबैत छी जे ओ की कहि रहल छथि।”
19यीशु जनैत छलाह जे ओ सभ हुनका सँ पुछऽ चाहैत छथि, तेँ ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “की अहाँ सभ एक-दोसर सँ पुछि रहल छी जे हमर की कहबाक अर्थ छल जखन हम कहलहुँ जे, कनेक काल मे अहाँ सभ हमरा नहि देखब, और, तखन तकरा कनेक कालक बाद हमरा फेर देखब? 20हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे अहाँ सभ कन्‍ना-रोहटि आ विलाप करब जखन कि संसार आनन्‍द मनाओत। अहाँ सभ शोक मनायब, मुदा अहाँ सभक शोक आनन्‍द मे बदलि जायत। 21जखन स्‍त्री बच्‍चा केँ जन्‍म दैत अछि तँ ओकरा दर्द होइत छैक, कारण ओकर समय आबि गेल रहैत छैक, मुदा जखन ओ बच्‍चा केँ जन्‍म दऽ दैत अछि तँ ओ एहि खुशी मे जे एक नव बच्‍चा संसार मे जन्‍म लेलक, अपना पीड़ा केँ बिसरि जाइत अछि। 22तहिना, अहाँ सभ एखन शोक मनबैत छी, मुदा हम अहाँ सभ केँ फेर देखब आ तखन अहाँ सभक मोन आनन्‍द सँ भरि जायत, और अहाँ सभक आनन्‍द केओ नहि अहाँ सभ सँ छिनत। 23ओहि समय मे अहाँ सभ हमरा सँ कोनो प्रश्‍न नहि पुछब।
“हम अहाँ सभ केँ विश्‍वास दिअबैत छी जे, जँ अहाँ सभ पिता सँ किछु माँगब तँ ओ अहाँ सभ केँ हमरा नाम सँ देताह। 24एखन तक अहाँ सभ हमरा नाम सँ नहि किछु मँगने छी। माँगू और अहाँ सभ प्राप्‍त करब, आ ताहि सँ अहाँ सभक आनन्‍द पूर्ण भऽ जायत।
25“ई सभ बात हम अहाँ सभ केँ झाँपल भाषा मे कहि देने छी। मुदा समय आबि रहल अछि जखन हम झाँपल भाषा मे नहि बाजब, बल्‍कि पिताक विषय मे अहाँ सभ केँ स्‍पष्‍ट कहब। 26ओहि समय मे अहाँ सभ हमरा नाम सँ माँगब। हम ई नहि कहैत छी जे हम अहाँ सभक लेल पिता सँ माँगब। 27नहि, पिता अपने अहाँ सभ सँ प्रेम करैत छथि, कारण अहाँ सभ हमरा सँ प्रेम कयने छी आ विश्‍वास कयने छी जे हम पिता लग सँ अयलहुँ। 28हम पिता लग सँ संसार मे अयलहुँ, आब फेर संसार केँ छोड़ि कऽ पिता लग जा रहल छी।”
29तखन हुनकर शिष्‍य सभ कहलथिन, “हँ, आब अहाँ स्‍पष्‍ट बाजि रहल छी, और झाँपल भाषा मे नहि। 30आब हम सभ जानि गेलहुँ जे अहाँ केँ सभ किछु बुझल अछि और अहाँ केँ इहो आवश्‍यकता नहि अछि जे केओ अहाँ लग अपन प्रश्‍न राखय। एहि कारणेँ हम सभ विश्‍वास करैत छी जे अहाँ परमेश्‍वर लग सँ आयल छी।”
31यीशु बजलाह, “की आब विश्‍वास करैत छी? 32देखू! ओ समय आबि रहल अछि, हँ, आबिओ गेल, जखन अहाँ सभ छिड़िया जायब। अहाँ सभ अपन-अपन घर भागि कऽ हमरा असगरे छोड़ि देब। तैयो हम असगर नहि छी, कारण पिता हमरा संग छथि।
33“हम अहाँ सभ केँ ई सभ बात कहि देने छी जाहि सँ हमरा मे अहाँ सभ केँ शान्‍ति भेटय। संसार मे अहाँ सभ पर संकट आओत, मुदा साहस राखू! हम संसार पर विजयी भऽ गेल छी।”

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy