Bible App logo
Search Icon

याकूब 4

4
परमेश्‍वरक अधीन होउ
1अहाँ सभक बीच होमऽ वला लड़ाइ-झगड़ा सभक कारण की अछि? की एकर कारण ओ भोग-विलासक अभिलाषा सभ नहि अछि जे अहाँ सभक भीतर मे संघर्ष करैत रहैत अछि? 2अहाँ सभ कोनो बातक इच्‍छा करैत छी मुदा ओ पूरा नहि होइत अछि, तखन अहाँ सभ हत्‍या करैत छी। अहाँ सभ डाह करैत छी, मुदा अहाँ सभक लालसा पूरा नहि होइत अछि तँ लड़ैत-झगड़ैत छी। अहाँ सभ केँ एहि लेल नहि भेटैत अछि जे अहाँ सभ परमेश्‍वर सँ मँगैत नहि छियनि। 3और जखन अहाँ सभ मँगितो छी तखन एहि लेल नहि भेटैत अछि जे अहाँ सभ गलत उद्देश्‍य सँ मँगैत छी जे, जे किछु भेटत तकरा द्वारा भोग-विलासक अभिलाषा सभ केँ तृप्‍त करी।
4यौ बइमान लोक सभ, अहाँ सभ परमेश्‍वरक संग विश्‍वासघात कऽ रहल छी! की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे संसार सँ दोस्‍ती कयनाइ परमेश्‍वर सँ दुश्‍मनी कयनाइ अछि? तेँ जे केओ संसारक दोस्‍त बनऽ चाहैत अछि से अपना केँ परमेश्‍वरक शत्रु बना लैत अछि। 5वा की अहाँ सभक विचार मे धर्मशास्‍त्रक ई कथन निरर्थक अछि जे, परमेश्‍वर जाहि आत्‍मा केँ अपना सभ मे वास करौलनि तकरा ओ अपने लेल चाहैत छथि#4:5 वा, “परमेश्‍वर जाहि आत्‍मा केँ अपना सभ मे वास करौलनि से ईर्ष्‍यापूर्ण इच्‍छा सँ भरल रहैत अछि” ? 6नहि, ओ निरर्थक बात नहि अछि आ तेँ ओ प्रशस्‍त मात्रा मे कृपा कऽ कऽ अपना सभक सहायता करैत छथि। एहि कारणेँ धर्मशास्‍त्रक कथन अछि जे,
“परमेश्‍वर घमण्‍डी सभक विरोध करैत छथि,
मुदा नम्र लोक सभ पर कृपा करैत छथि।”#4:6 नीति 3:34
7तेँ अहाँ सभ परमेश्‍वरक अधीन होउ। शैतानक आक्रमण केँ सामना करिऔक तँ ओ अहाँ सभ लग सँ पड़ायत। 8परमेश्‍वरक लग मे आउ तँ ओहो अहाँ सभक लग मे आबि जयताह। यौ पापी लोक सभ, अपन हाथ शुद्ध करू। यौ दूमतिया लोक सभ, अपन हृदय पवित्र करू। 9शोक मनाउ, कानू आ विलाप करू। अपन हँसी केँ शोक मे आ अपन आनन्‍द केँ उदासी मे बदलि लिअ। 10प्रभुक समक्ष विनम्र बनू और ओ अहाँ सभ केँ सम्‍मानित करताह।
11यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ एक-दोसराक निन्‍दा नहि करू। जे केओ अपन भायक निन्‍दा करैत अछि वा अपना भाय पर दोष लगबैत अछि से धर्म-नियमक निन्‍दा करैत अछि और धर्म-नियम पर दोष लगबैत अछि। जँ अहाँ धर्म-नियम पर दोष लगबैत छी तँ अहाँ ओकर पालन कयनिहार नहि, बल्‍कि ओकर न्‍याय कयनिहार भऽ गेलहुँ। 12धर्म-नियम देबऽ वला और न्‍याय करऽ वला तँ एकेटा छथि जिनका उद्धार करबाक अथवा नाश करबाक सामर्थ्‍य छनि। तखन फेर अहाँ के छी जे अपन पड़ोसीक न्‍याय करैत छी?
काल्‍हि अहाँक हाथ मे नहि
13अहाँ सभ जे कहैत छी जे, “आइ वा काल्‍हि हम सभ फलना शहर जायब, ओतऽ एक वर्ष रहब आ व्‍यापार कऽ कऽ धन कमायब,” से सुनू हमर बात। 14काल्‍हि की होयत से अहाँ सभ नहि जनैत छी। अहाँ सभक जीवन अछिए कतेक? अहाँ सभ मेघक धुइन छी जे कनेक काल देखाइ दैत अछि आ फेर लुप्‍त भऽ जाइत अछि। 15अहाँ सभ केँ एकर बदला मे तँ ई कहबाक चाही जे, “जँ प्रभुक इच्‍छा होनि तँ हम सभ जीवित रहब आ ई वा ओ काज करब।” 16मुदा ई केहन बात भेल जे अहाँ सभ अपन अहंकार सँ नियारल बात सभ पर घमण्‍ड करैत छी? एहन सभ घमण्‍ड कयनाइ अधलाह बात अछि। 17एहि लेल, जे केओ ई जनैत अछि जे की कयनाइ उचित होइत मुदा करैत नहि अछि से पाप करैत अछि।

Currently Selected:

याकूब 4: mai

Highlight

Copy

Compare

Share

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in