याकूब 2
2
भेद-भाव पाप अछि
1यौ हमर भाइ लोकनि, जँ अपना सभक महिमामय प्रभु यीशु मसीह पर अहाँ सभक विश्वास अछि तँ ककरो संग पक्षपात नहि करू। 2जँ अहाँ सभक आराधना सभा मे कोनो व्यक्ति सोनक औँठी आ किमती वस्त्र पहिरने आबय और एक गरीब व्यक्ति फाटल-पुरान वस्त्र पहिरने सेहो आबय, 3और तखन अहाँ सभ ओहि किमती वस्त्र पहिरऽ वला पर विशेष ध्यान दैत कहिऐक जे, “अपने एहि नीक स्थान पर बैसल जाओ,” और ओहि गरीब केँ कहिऐक जे, “ओतऽ कात मे ठाढ़ भऽ जो,” वा “एतऽ हमरा पयर लग बैस,” 4तँ की अहाँ सभ अपना बीच मे भेद-भावपूर्ण व्यवहार नहि कयलहुँ? की अहाँ सभ गलत विचारक अनुसार न्याय कयनिहार नहि ठहरलहुँ? 5यौ हमर प्रिय भाइ सभ, सुनू! जे सभ संसारक दृष्टि सँ गरीब अछि, की तकरा सभ केँ परमेश्वर विश्वास मे धनिक होयबाक लेल आ ओहि राज्यक उत्तराधिकारी होयबाक लेल नहि चुनलथिन जे राज्य ओ अपन प्रेम कयनिहार सभ केँ देबाक वचन देने छथि? 6मुदा अहाँ सभ तँ ओहि गरीब लोकक अपमान कऽ देलिऐक। की धनिके लोक सभ अहाँ सभक शोषण नहि करैत अछि, आ अहाँ सभ केँ अदालत मे घिसिअबैत नहि लऽ जाइत अछि? 7वा, की यैह लोक सभ प्रभु यीशुक सर्वश्रेष्ठ नामक बदनामी नहि करैत अछि, जिनकर लोक अहाँ सभ छी?
8धर्मशास्त्र कहैत अछि, “अपन पड़ोसी सँ अपने जकाँ प्रेम करह।”#2:8 लेवी 19:18 जँ अहाँ सभ वास्तव मे एहि राजकीय नियमक पालन करैत छी तँ ठीक करैत छी। 9मुदा जँ अहाँ सभ पक्षपात करैत छी तँ पाप कऽ रहल छी आ धर्म-नियम अहाँ सभ केँ अपराधी ठहरबैत अछि। 10कारण, जँ केओ सम्पूर्ण धर्म-नियमक पालन करैत अछि और एकोटा बात मे चुकि जाइत अछि तँ ओ धर्म-नियमक सभ बात मे दोषी ठहरैत अछि। 11किएक तँ जे ई कहलनि, “परस्त्रीगमन नहि करह,”#2:11 प्रस्थान 20:14; व्यव 5:18 सैह इहो कहलनि जे, “हत्या नहि करह,”#2:11 प्रस्थान 20:13; व्यव 5:17 तेँ जँ अहाँ परस्त्रीगमन तँ नहि कयलहुँ मुदा हत्या कयलहुँ तँ अहाँ धर्म-नियमक उल्लंघन कयनिहार ठहरैत छी। 12एहि लेल अहाँ सभक बात-चीत आ व्यवहार एहन लोक सभक जकाँ होअय जकर सभक न्याय ओहि नियमक अनुसार होयतैक जे स्वतन्त्र करैत अछि। 13कारण, जे केओ दया नहि देखबैत अछि तकरो न्याय बिनु दये देखौने कयल जयतैक। दया न्याय पर विजयी होइत अछि।
विश्वास आ काज, दूनू जरूरी
14यौ हमर भाइ लोकनि, केओ जँ कहैत अछि जे, “हम विश्वास करैत छी,” मुदा ओ ताहि अनुरूप काज नहि करैत अछि तँ ओहि सँ ओकरा लाभ की होयतैक? की एहन विश्वास ओकर उद्धार कऽ सकैत छैक? 15जँ कोनो भाय वा कोनो बहिन केँ पहिरबाक लेल वस्त्र नहि छैक आ खयबाक लेल भोजनक वस्तु नहि छैक, 16आ तकरा अहाँ सभ मे सँ केओ कहैत छिऐक जे, “कुशलपूर्बक जाउ, आराम सँ पहिरू-ओढू आ भरि पेट भोजन करू,” मुदा ओकरा जे शरीरक लेल आवश्यक छैक तकर पूर्ति जँ नहि करैत छिऐक तँ ओहि सँ लाभ की? 17एहि तरहेँ विश्वास सेहो, जँ मात्र विश्वासे अछि आ तकरा संग काज नहि अछि तँ निर्जीव अछि।
18मुदा एहन व्यक्ति केँ केओ कहि सकैत छैक जे, “अहाँ विश्वास करैत छी आ हम काज करैत छी; आब अहाँ अपन विश्वास बिनु काज सभक द्वारा देखाउ आ हम अपन काज सभक द्वारा देखायब जे हमरा विश्वासो अछि।” 19अहाँक विश्वास अछि जे परमेश्वर एकेटा छथि। बड्ड बढ़ियाँ! दुष्टात्मा सभ सेहो यैह बात विश्वास करैत अछि आ थर-थर कँपैत अछि। 20यौ मूर्ख, की अहाँ एहि बात केँ मानबाक लेल तैयार नहि छी जे बिनु काजक विश्वास बेकार अछि? 21अपना सभक पूर्वज अब्राहम जहिया परमेश्वरक आज्ञा मानि अपन पुत्र इसहाक केँ परमेश्वर केँ चढ़यबाक लेल वेदी पर राखि देलनि, तहिया की ओ एहि काजेक द्वारा धार्मिक नहि ठहराओल गेलाह?#2:21 उत्पत्ति 22:1-19 केँ देखू। 22की देखाइ नहि दैत अछि जे विश्वास हुनका काज मे क्रियाशील छलनि आ काजेक द्वारा हुनकर विश्वास पूर्ण भेलनि? 23और धर्मशास्त्रक ई लेख पूरा भेल जे, “अब्राहम परमेश्वरक बातक विश्वास कयलनि और ई विश्वास हुनका लेल धार्मिकता मानल गेलनि।”#2:23 उत्पत्ति 15:6 और ओ परमेश्वरक मित्र कहाओल गेलाह। 24देखैत छी ने, मनुष्य मात्र विश्वासे सँ नहि, बल्कि काज सँ धार्मिक ठहराओल जाइत अछि। 25तहिना की वेश्या राहाब सेहो अपन काजेक द्वारा धार्मिक नहि ठहराओल गेलि जखन ओ जासूस सभ केँ अपना घर मे सत्कारक संग रखलकैक आ दोसर बाट सँ पठा देलकैक?#2:25 यहोशू 2 केँ देखू। 26तेँ जहिना शरीर आत्माक बिना निर्जीव अछि ठीक तहिना विश्वास सेहो काजक बिना निर्जीव अछि।
Currently Selected:
याकूब 2: mai
Highlight
Copy
Compare
Share
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
©2010 The Bible Society of India and © Wycliffe Bible Translators, Inc.