Bible App logo
Search Icon

इब्रानी 4

4
1परमेश्‍वर अपना विश्राम मे प्रवेश करयबाक वचन जे अपना लोक केँ देलनि, से एखनो कायम अछि। तेँ अपना सभ सावधान रही, कहीं एना नहि होअय जे अहाँ सभ मे सँ केओ एहि सँ वंचित भऽ जाइ, 2कारण, जहिना ओकरा सभ केँ शुभ समाचार सुनाओल गेल छलैक तहिना अपनो सभ केँ सुनाओल गेल अछि, मुदा ओहि सुनाओल वचन सँ ओकरा सभ केँ कोनो लाभ नहि भेलैक, कारण, ओ सभ सुनि कऽ तकरा विश्‍वासक संग स्‍वीकार नहि कयलक। 3आब अपना सभ विश्‍वास करबाक कारणेँ एहि विश्राम मे प्रवेश कयनिहार छी। अविश्‍वासी पूर्वज सभक सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर ई कहलनि,
“तेँ हम क्रोध मे सपत खाइत कहलहुँ जे,
ई सभ हमर विश्राम मे कहियो नहि प्रवेश कऽ पाओत,”#4:3 भजन 95:11, तहिना पद 5 मे सेहो।
ओना तँ विश्रामक व्‍यवस्‍था कयल गेल छल, कारण, सृष्‍टिक रचनाक समय सँ हुनकर काज समाप्‍त भऽ गेल छनि। 4जेना कतौ धर्मशास्‍त्र मे सातम दिनक विषय मे हुनकर ई कथन छनि जे,
“परमेश्‍वर सातम दिन अपन समस्‍त काज सँ विश्राम कयलनि।”#4:4 उत्‍पत्ति 2:2
5और फेर, जेना ऊपर लिखल अछि, ओ कहैत छथि,
“ई सभ हमर विश्राम मे कहियो नहि प्रवेश कऽ पाओत।”
6जे सभ पहिने शुभ समाचार सुनने छल से सभ एहि विश्राम मे प्रवेश नहि कऽ सकल, कारण ओ सभ आज्ञा नहि मानलक। मुदा ई निश्‍चित अछि जे किछु लोक एहि विश्राम मे सहभागी होयबे करत। 7तेँ परमेश्‍वर अपना विश्राम मे सहभागी होयबाक एक आओर समय निश्‍चित कयलनि, जकरा ओ “आइ” कहैत छथि, कारण ओ बहुत वर्ष बितला पर राजा दाऊद द्वारा ई कहैत छथि, जकर चर्चा ऊपरो कयल गेल अछि,
“आइ जँ तोँ सभ परमेश्‍वरक आवाज सुनबह
तँ अपन मोन जिद्दी नहि बनाबह।”#4:7 भजन 95:7, 8
8कारण, जँ यहोशू द्वारा ओकरा सभ केँ विश्राम भेटल रहितैक तँ परमेश्‍वर तकरा बाद फेर राजा दाऊद द्वारा दोसर दिनक चर्चा नहि कयने रहितथि। 9तेँ परमेश्‍वरक प्रजाक लेल परमेश्‍वरक सातम दिनक विश्राम जकाँ एकटा विशेष विश्राम एखनो बाँकी अछि। 10कारण, जे केओ परमेश्‍वरक विश्राम मे प्रवेश कऽ लेने अछि सेहो अपन सभ काज सँ विश्राम करैत अछि जेना परमेश्‍वर अपन सभ काज सँ कयलनि। 11तेँ अपनो सभ ओहि विश्राम मे सहभागी होयबाक लेल प्रयत्‍नशील रही जाहि सँ एना नहि होअय जे ओकरे सभ जकाँ आज्ञा नहि मानबाक कारणेँ ककरो पतन भऽ जाइक।
12कारण, परमेश्‍वरक वचन जीवित आ फलदायक अछि आ कोनो दूधारी तरुआरिओ सँ तेज अछि। ओ प्राण आ आत्‍मा, जोड़-जोड़ आ हड्डीक भीतरका गुद्दी मे छेदि कऽ ओकरा अलग-अलग कऽ दैत अछि और मोनक विचार आ भावनाक जाँच करैत अछि। 13सम्‍पूर्ण सृष्‍टि मे कोनो वस्‍तु परमेश्‍वरक दृष्‍टि सँ नुकायल नहि अछि। जिनका लग अपना सभ केँ अपन लेखा-जोखा देबाक अछि तिनका दृष्‍टि मे सभ वस्‍तु खुलल अछि, किछु झाँपल नहि अछि।
यीशु—श्रेष्‍ठ महापुरोहित
14अपना सभ केँ जखन एतेक पैघ महापुरोहित छथि, अर्थात् परमेश्‍वरक पुत्र यीशु, जे आकाश केँ पार कऽ स्‍वर्ग मे गेल छथि, तँ अबैत जाउ, आ जाहि विश्‍वास केँ खुलि कऽ स्‍वीकार करैत छी, तकरा दृढ़ता सँ पकड़ने रही। 15किएक तँ अपना सभक महापुरोहित एहन नहि छथि जे अपना सभक कमजोरी मे अपना सभक संग सहानुभूति नहि राखि सकथि। ओहो सभ बात मे अपने सभ जकाँ शैतान द्वारा जाँचल गेलाह, मुदा ओ पाप नहि कयलनि। 16तेँ अपना सभ निर्भयतापूर्बक परमेश्‍वरक सिंहासन लग, जतऽ कृपा कयल जाइत अछि, ततऽ चलू, जाहि सँ अपना सभ पर दया कयल जाय आ अपना सभ ओ कृपा पाबी जे अपना सभक आवश्‍यकताक समय मे सहायता करत।

Currently Selected:

इब्रानी 4: mai

Highlight

Copy

Compare

Share

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in