इब्रानी 3
3
यीशु मूसा सँ श्रेष्ठ
1तेँ यौ पवित्र भाइ लोकनि जे सभ परमेश्वरक बजाओल लोक मे सम्मिलित छी, अहाँ सभ अपन ध्यान यीशु पर केन्द्रित करू, जिनका अपना सभ परमेश्वरक विशिष्ट दूत आ अपना सभक महापुरोहितक रूप मे खुलि कऽ स्वीकार करैत छी। 2जहिना मूसा परमेश्वरक घरक लोकक बीच सभ काज मे विश्वासयोग्य बनल रहलाह तहिना यीशु अपन नियुक्त कयनिहारक, अर्थात् परमेश्वरक, प्रति विश्वासयोग्य बनल रहलाह। 3जहिना घर सँ घरक बनौनिहारे बेसी आदरणीय होइत अछि तहिना यीशु मूसा सँ अधिक आदर पयबाक योग्य ठहराओल गेल छथि। 4प्रत्येक घर तँ ककरो ने ककरो द्वारा बनाओल जाइत अछि, मुदा सभ वस्तु केँ बनाबऽ वला परमेश्वरे छथि। 5मूसा भविष्य मे सुनाओल जाय वला बातक साक्षी दऽ कऽ परमेश्वरक घरक लोकक बीच सभ काज मे सेवकक रूप मे विश्वासयोग्य छलाह। 6मुदा मसीह तँ पुत्रक रूप मे परमेश्वरक घरक अधिकारी भऽ विश्वासयोग्य छथि। जँ अपना सभ अपन साहस मे आ ओहि आशा मे जे अपना सभक गौरव अछि, अन्त तक स्थिर रहब तँ अपना सभ स्वयं परमेश्वरक घरक लोक छी।
विश्वासक प्रतिफल—विश्राम मे प्रवेश
7तेँ जहिना पवित्र आत्मा धर्मशास्त्र मे कहैत छथि तहिना,
“आइ जँ तोँ सभ परमेश्वरक आवाज सुनबह,
8तँ अपन मोन ओना जिद्दी नहि बनाबह
जेना तोहर सभक पुरखा सभ विद्रोह करैत
निर्जन क्षेत्र मे परीक्षाक समय मे कयलकह।
9ओतऽ ओ सभ कसौटी पर हमर जाँच कयलक
जखन कि चालिस वर्ष धरि हमर काज सभ देखने छल।
10ताहि सँ हम ओहि पीढ़ीक लोक पर क्रोधित भऽ कहलहुँ,
एकरा सभक मोन सदत भटकैत रहैत छैक,
और ई सभ हमर विचार-व्यवहार बुझऽ नहि चाहलक।
11तेँ हम क्रोध मे सपत खाइत कहलहुँ जे,
‘ई सभ हमर विश्राम मे कहियो नहि प्रवेश कऽ पाओत।’ ”#3:11 भजन 95:7-11
12यौ भाइ लोकनि, सावधान रहू, कहीं एना नहि होअय जे अहाँ सभ मे सँ ककरो मोन एहन दुष्ट आ अविश्वासी भऽ जाय जाहि सँ ओ जीवित परमेश्वर केँ छोड़ि दय। 13मुदा जाहि सँ अहाँ सभ मे सँ केओ पापक छल मे पड़ि कऽ जिद्दी नहि भऽ जाइ ताहि लेल अहाँ सभ जाबत धरि “आइ”क दिन कहबैत अछि ताबत धरि प्रत्येक दिन एक-दोसर केँ उत्साहित करैत रहू। 14अपना सभ जँ अन्त तक ओ भरोसा जकरा संग शुरू मे शुभ समाचार पर विश्वास कयलहुँ ताहि मे अटल रही, तँ अपना सभ मसीहक संग सहभागी भऽ गेल छी। 15जेना कि ऊपरो कहल गेल अछि जे,
“आइ जँ तोँ सभ परमेश्वरक आवाज सुनबह
तँ अपन मोन ओना जिद्दी नहि बनाबह
जेना तोहर सभक पुरखा सभ विद्रोह करैत कयलकह।”#3:15 भजन 95:7, 8
16परमेश्वरक आवाज सुनि कऽ के सभ विद्रोह कयलक? की ओ सभ वैह लोक नहि छल जकरा सभ केँ मूसा मिस्र देश सँ बाहर निकाललनि? 17परमेश्वर ककरा सभ सँ चालिस वर्ष धरि क्रोधित रहलथिन? की ओकरे सभ सँ नहि जे सभ पाप कयलक आ जकरा सभक लासक ढेरी निर्जन क्षेत्र मे लागि गेल? 18परमेश्वर सपत खाइत ककरा सम्बन्ध मे कहलनि जे, ई सभ हमर विश्राम मे प्रवेश नहि करऽ पाओत? की तकरे सभक सम्बन्ध मे नहि जे सभ हुनकर आज्ञा नहि मानलकनि? 19एहि तरहेँ अपना सभ देखैत छी जे ओ सभ अविश्वासक कारणेँ ओहि स्थान मे नहि पहुँचि सकल जतऽ ओकरा सभ केँ विश्राम भेटितैक।
Currently Selected:
इब्रानी 3: mai
Highlight
Copy
Compare
Share
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
©2010 The Bible Society of India and © Wycliffe Bible Translators, Inc.