Bible App logo
Search Icon

इब्रानी 1

1
पुत्रक परिचय
1प्राचीन काल मे परमेश्‍वर अपना सभक पूर्वज लोकनि सँ विभिन्‍न समय मे आ विभिन्‍न प्रकार सँ अपन प्रवक्‍ता सभ द्वारा बात कयलनि, 2मुदा आब एहि अन्‍तिम समय मे ओ अपना सभ सँ बात कयने छथि अपन पुत्र द्वारा, जिनका ओ सभ वस्‍तुक उत्तराधिकारी बनौलनि आ जिनका द्वारा सम्‍पूर्ण सृष्‍टिक रचना सेहो कयलनि। 3पुत्र परमेश्‍वरक महिमाक चमक छथि, आ परमेश्‍वरक व्‍यक्‍तित्‍वक प्रतिरूप छथि। ओ अपन सामर्थी वचन सँ सम्‍पूर्ण सृष्‍टि केँ सम्‍हारैत छथि। ओ मनुष्‍य केँ शुद्ध करबाक लेल पापक प्रायश्‍चित्त कऽ कऽ स्‍वर्ग मे सर्वशक्‍तिमान परमेश्‍वरक दहिना कात बैसलाह।
पुत्र स्‍वर्गदूतो सभ सँ श्रेष्‍ठ
4पुत्र स्‍वर्गदूत सभक अपेक्षा जतेक श्रेष्‍ठ नाम परमेश्‍वर सँ पौलनि ततेक ओ स्‍वर्गदूत सभ सँ पैघो ठहराओल गेल छथि। 5कारण, परमेश्‍वर स्‍वर्गदूत सभ मे सँ किनको कहियो कहाँ ई बात कहलथिन,
“अहाँ हमर पुत्र छी,
आइ हम अहाँ केँ उत्‍पन्‍न कयलहुँ,”#1:5 भजन 2:7
आ ई जे,
“हम ओकर पिता होयबैक
आ ओ हमर पुत्र होयत”#1:5 2 शमू 7:14; 1 इति 17:13 ?
6फेर, परमेश्‍वर अपन प्रथम सन्‍तान केँ संसार मे अनबाक समय मे कहैत छथि,
“परमेश्‍वरक सभ स्‍वर्गदूत हुनका दण्‍डवत करथुन।”
7स्‍वर्गदूत सभक विषय मे परमेश्‍वर धर्मशास्‍त्र मे कहैत छथि,
“परमेश्‍वर अपन स्‍वर्गदूत सभ केँ बसात,
हँ, अपन सेवक सभ केँ आगिक धधरा बनबैत छथि।”#1:7 भजन 104:4
8मुदा अपन पुत्र केँ ई कहैत छथि जे,
“हे परमेश्‍वर, अहाँक सिंहासन युगानुयुग स्‍थिर रहत,
अहाँ अपन राज्‍य न्‍याय सँ चलायब।
9अहाँ धार्मिकता सँ प्रेम आ अधर्म सँ घृणा करैत छी।
तेँ परमेश्‍वर, अहाँक परमेश्‍वर, हर्ष रूपी तेल सँ अहाँक अभिषेक करैत
अहाँ केँ अपना संगी-साथी सभ सँ श्रेष्‍ठ ठहरौने छथि।”#1:9 भजन 45:6, 7
10परमेश्‍वर इहो कहैत छथिन जे,
“हे प्रभु, आरम्‍भ मे अहीं पृथ्‍वीक न्‍यो रखलहुँ
आ आकाश अहींक हाथक कारीगरी अछि।
11ओ सभ नष्‍ट भऽ जायत मुदा अहाँ अटल छी।
ओ सभ वस्‍त्र जकाँ पुरान भऽ जायत।
12अहाँ ओकरा सभ केँ चद्दरि जकाँ समटब,
ओ सभ वस्‍त्र जकाँ बदलल जायत।
मुदा अहाँ एके समान रहब,
अहाँक उमेरक कोनो अन्‍त नहि अछि।”#1:12 भजन 102:25-27
13मुदा परमेश्‍वर स्‍वर्गदूत सभ मे सँ किनको कहियो कहाँ ई बात कहलथिन जे,
“अहाँ हमर दहिना कात बैसू,
आ हम अहाँक शत्रु सभ केँ अहाँक पयरक तर मे कऽ देब”#1:13 भजन 110:1 ?
14स्‍वर्गदूत सभ तखन की छथि? ओ सभ परमेश्‍वरक सेवा-टहल करऽ वला आत्‍मा सभ छथि। हुनका सभ केँ ओहि लोक सभक सेवाक लेल पठाओल जाइत छनि जे सभ उद्धार पयबाक उत्तराधिकारी बनैत अछि।

Currently Selected:

इब्रानी 1: mai

Highlight

Copy

Compare

Share

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in