गलाती 2
2
पौलुसक प्रचारक काज पर दोसरो मसीह-दूत सभक छाप
1चौदह वर्षक बाद हम फेर यरूशलेम गेलहुँ। बरनबास हमरा संग छलाह आ तीतुस केँ सेहो हम अपना संग लऽ गेलहुँ। 2हम एहि लेल गेलहुँ जे परमेश्वर स्पष्ट रूप सँ देखा देने छलाह जे हमरा जयबाक अछि। हम मण्डलीक मुख्य व्यक्ति सभक सामने एकान्त मे ओ सुसमाचार प्रस्तुत कयलहुँ जकर प्रचार हम गैर-यहूदी लोकक बीच करैत छी, जाहि सँ एना नहि होअय जे हम जे परिश्रम कऽ रहल छलहुँ वा कऽ चुकल छलहुँ से व्यर्थ होअय। 3मुदा तीतुस जे हमरा संग छलाह, यूनानी होइतो, तिनका केओ खतना करयबाक लेल विवश नहि कयलकनि। 4खतनाक प्रश्नो किछु झुट्ठा भाय सभक कारणेँ मात्र उठाओल गेल जे सभ एहि लेल मण्डली मे चोरा कऽ घुसि आयल छल, जाहि सँ मसीह यीशु मे भेटल हमरा सभक स्वतन्त्रताक भेद लय आ हमरा सभ केँ फेर धर्म-नियमक गुलामी मे राखि दय। 5हम सभ ओकरा सभक सामने एको क्षणक लेल नहि झुकलहुँ जाहि सँ अहाँ सभक बीच सुसमाचारक सत्य स्थिर बनल रहय।
6मुदा जे सभ प्रतिष्ठित मानल जाइत छलाह—ओना तँ ओ सभ की छलाह ओहि सँ हमरा कोनो अन्तर नहि पड़ैत अछि, कारण परमेश्वर ककरो संग पक्षपात कयनिहार नहि छथि—से सभ हमरा सुसमाचार मे कोनो बात नहि जोड़लनि। 7बरु ओ सभ मानि लेलनि जे हमरा ओही तरहेँ आन जाति सभक बीच सुसमाचारक प्रचारक काज सौंपल गेल अछि जाहि तरहेँ पत्रुस केँ यहूदी जातिक बीच मे, 8किएक तँ जे परमेश्वर पत्रुस द्वारा यहूदी सभक बीच मसीह-दूतक काज करबा रहल छलाह, वैह हमरो द्वारा आन जाति सभक बीच मसीह-दूतक काज करबा रहल छलाह। 9जखन ओ सभ बुझलनि जे ई काज हमरा देल गेल परमेश्वरक कृपादान अछि तँ याकूब, पत्रुस#2:9 मूल मे, “कैफा”। “कैफा” (इब्रानी भाषा) और “पत्रुस” (यूनानी भाषा) एके नाम अछि। तहिना, पद 11 और 14 मे सेहो। आ यूहन्ना, जे सभ मण्डलीक खाम्ह बुझल जाइत छथि, हमरा आ बरनबास सँ दहिना हाथ मिलबैत हमरा सभ केँ सहभागीक रूप मे स्वीकार कयलनि। ओ सभ एहि बात सँ सहमति छलाह जे हम सभ आन जाति सभक बीच काज करी आ ओ सभ यहूदी सभक बीच। 10हुनका सभक आग्रह एतबे छल जे हुनका सभक बीच मे जे गरीब सभ छल, तकरा सभक सुधि ली। आ ठीक सैह काज करबाक लेल हम अपनो उत्सुक छलहुँ।
सुसमाचारक रक्षाक लेल पौलुस द्वारा पत्रुसक विरोध
11मुदा जखन पत्रुस अन्ताकिया नगर अयलाह तँ हम हुनका मुँह पर हुनकर विरोध कयलियनि, किएक तँ ओ गलत बात करैत छलाह। 12कारण, याकूबक ओतऽ सँ किछु लोक सभ केँ आबऽ सँ पहिने ओ यहूदी प्रथा नहि मानऽ वला आन जातिक लोक सभक संग-संग भोजन करैत छलाह, मुदा ओकरा सभ केँ अयला पर ओ पाछाँ हटऽ लगलाह आ गैर-यहूदी लोक सभ सँ अलग रहऽ लगलाह, किएक तँ ओ ओहि यहूदी सभ सँ डेराइत छलाह जे सभ खतना प्रथाक कट्टर समर्थक छल। 13मण्डलीक बाँकी यहूदी भाय सभ सेहो एहि कपट मे हुनका संग देलकनि, एतऽ तक जे बरनबासो ओहि लोक सभक कपटक कारणेँ बहकि गेलाह। 14मुदा जखन हम देखलहुँ जे हुनका सभक व्यवहार सुसमाचारक सत्य सँ नहि मिलैत अछि तँ सभक सामने मे हम पत्रुस केँ कहलियनि, “जखन अहाँ यहूदी वंशक भऽ कऽ यहूदी प्रथा सभ केँ त्यागि कऽ आन जाति सभ जकाँ व्यवहार करैत आयल छी तँ आन जातिक विश्वासी सभ केँ यहूदी सभक प्रथाक अनुसार चलबाक लेल आब कोना विवश करैत छिऐक?”
धार्मिकता कोना—धर्म-नियमक कर्म-काण्ड सँ वा मसीह यीशु पर विश्वास कयला सँ?
15हम सभ जन्म सँ यहूदी छी, नहि कि “आन जातिक पापी सभ”, जेना गैर-यहूदी सभ केँ कहल जाइत छैक। 16तैयो हम सभ जनैत छी जे कोनो मनुष्य यहूदी सभक धर्म-नियमक कर्म-काण्ड द्वारा नहि, बल्कि मसीह यीशु पर विश्वास कयला सँ परमेश्वरक नजरि मे धार्मिक ठहरैत अछि। एहि कारणेँ हमहूँ सभ मसीह यीशु पर विश्वास कयने छी जाहि सँ हम सभ धर्म-नियमक कर्म-काण्ड द्वारा नहि, बल्कि मसीह यीशु पर विश्वास कयला सँ धार्मिक ठहराओल जाइ, किएक तँ धर्म-नियमक कर्म-काण्ड द्वारा कोनो मनुष्य धार्मिक नहि ठहराओल जायत। 17जँ हम सभ, जे मसीह द्वारा धार्मिक ठहराओल जयबाक आशा कऽ रहल छी, से धर्म-नियम द्वारा पापी प्रमाणित होइत छी तँ की एकर अर्थ ई अछि जे मसीह पाप केँ बढ़बैत छथि? किन्नहुँ नहि! 18धर्म-नियम द्वारा धार्मिक ठहरबाक जाहि आशा केँ हम एक बेर नष्ट कऽ चुकल छी, जँ ओकरा फेर ठाढ़ करी तँ हम अपना केँ फेर पापी प्रमाणित करब, 19किएक तँ धर्म-नियमक द्वारा हम धर्म-नियमक लेखेँ मरि गेलहुँ जाहि सँ हम परमेश्वरक लेल जीबि सकी। 20हम मसीहक संग क्रूस पर मरि गेल छी। आब हम जीवित नहि रहलहुँ, बल्कि मसीह हमरा मे जीबैत छथि। जे जीवन हम आब एहि शरीर मे जीबैत छी से विश्वास सँ जीबैत छी। ई विश्वास परमेश्वरक पुत्र पर टिकल अछि, जे हमरा सँ प्रेम कयलनि आ हमरा लेल अपना केँ अर्पित कऽ देलनि। 21हम परमेश्वरक कृपा केँ नहि त्यागब। जँ धर्म-नियम द्वारा मनुष्य धार्मिक ठहरि सकैत अछि, तँ मसीह बेकारे मरलाह!
Currently Selected:
गलाती 2: mai
Highlight
Copy
Compare
Share
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
©2010 The Bible Society of India and © Wycliffe Bible Translators, Inc.