Bible App logo
Search Icon

गलाती 1

1
1ई पत्र हम मसीह-दूत पौलुस लिखि रहल छी, जे ने तँ मनुष्‍य सभक दिस सँ आ ने कोनो मनुष्‍यक द्वारा मसीह-दूत नियुक्‍त भेल छी, बल्‍कि यीशु मसीह द्वारा आ पिता परमेश्‍वर द्वारा, जे यीशु मसीह केँ मृत्‍यु मे सँ जिऔलथिन। 2हम आ हमरा संग जतेक भाय लोकनि छथि से सभ ई पत्र गलातिया प्रदेशक मण्‍डली सभ केँ लिखि रहल छी।
3अपना सभक पिता परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि और अहाँ सभ केँ शान्‍ति देथि। 4मसीह अपना सभक पापक प्रायश्‍चित्तक लेल अपना केँ अर्पित कयलनि जाहि सँ एहि वर्तमान पापमय संसारक वश सँ अपना सभ केँ बचबथि। ई अपना सभक पिता परमेश्‍वरक इच्‍छाक अनुसार भेल, 5जिनकर प्रशंसा युगानुयुग होइत रहनि। आमीन।
दोसर सुसमाचार कोनो अछिए नहि!
6हमरा आश्‍चर्य होइत अछि जे, जे परमेश्‍वर मसीहक कृपा द्वारा अहाँ सभ केँ बजौलनि तिनका अहाँ सभ कोना एतेक जल्‍दी त्‍यागि कऽ कोनो दोसरे सुसमाचारक दिस घूमि रहल छी। 7दोसर सुसमाचार तँ कोनो अछिए नहि, मुदा किछु लोक अछि जे अहाँ सभ केँ विचलित कऽ रहल अछि आ मसीहक सुसमाचार केँ बिगाड़ऽ चाहैत अछि। 8परन्‍तु जँ हमहूँ सभ वा स्‍वर्गक कोनो दूतो ओहि सुसमाचार केँ छोड़ि जे हम सभ अहाँ सभ केँ सुनौलहुँ, कोनो आन सुसमाचार अहाँ सभ केँ सुनाबय तँ ओ परमेश्‍वर द्वारा सरापित होअय! 9हम सभ जे बात पहिनो कहि चुकल छी सैह हम दोहरबैत छी—जे शुभ समाचार अहाँ सभ स्‍वीकार कयने छी, जँ ओहि सँ अलग कोनो सुसमाचार केओ अहाँ सभ केँ सुनाबय तँ ओ परमेश्‍वर द्वारा सरापित होअय!
पौलुस द्वारा प्रचारित सुसमाचार मनुष्‍य द्वारा रचित नहि
10की आब हम मनुष्‍य सभ सँ प्रशंसा पाबऽ चाहैत छी वा परमेश्‍वर सँ? की हम मनुष्‍य सभ केँ प्रसन्‍न करबाक प्रयास कऽ रहल छी? जँ हम एखनो धरि मनुष्‍य सभ केँ प्रसन्‍न करबाक प्रयत्‍न करैत रहितहुँ तँ हम मसीहक सेवक नहि होइतहुँ।
11यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ ई बुझि लिअ जे हम जे सुसमाचार अहाँ सभ केँ सुनौलहुँ से मनुष्‍य द्वारा रचित नहि अछि। 12किएक तँ ओ ने हमरा कोनो मनुष्‍य सँ प्राप्‍त भेल आ ने केओ हमरा सिखौलक, बल्‍कि तकर ज्ञान यीशु मसीह अपने हमरा देलनि।
13अहाँ सभ तँ सुनि चुकल छी जे पहिने जखन हम यहूदी धर्म मानैत छलहुँ तँ हमर व्‍यवहार केहन छल। हम परमेश्‍वरक मण्‍डली पर घोर अत्‍याचार करैत छलहुँ आ ओकरा नष्‍ट करबाक प्रयत्‍न करैत छलहुँ। 14हम अपना तुरियाक बहुतो यहूदी सभक अपेक्षा यहूदी धर्मक पालन करबा मे आगू रही आ अपन पुरखा लोकनिक परम्‍परा सभक कट्टर समर्थक छलहुँ। 15मुदा परमेश्‍वर मायक गर्भे सँ हमरा अपना लेल अलग रखने छलाह आ हमरा पर कृपा कऽ हमरा बजौलनि। 16जखन ओ अपना इच्‍छाक अनुसार अपना पुत्र केँ हमरा चिन्‍हौलनि जाहि सँ हम गैर-यहूदी सभ मे हुनकर सुसमाचार सुनाबी, तखन हम एहि सम्‍बन्‍ध मे कोनो मनुष्‍यक संग विचार-विमर्श नहि कयलहुँ, 17आ ने हम यरूशलेम मे हुनका सभ लग गेलहुँ जे सभ हमरा सँ पहिने सँ मसीह-दूत छलाह, बल्‍कि हम सोझे अरब देश चल गेलहुँ आ बाद मे फेर दमिश्‍क नगर घूमि अयलहुँ।
18हम तीन वर्षक बाद पत्रुस#1:18 मूल मे, “कैफा”। “कैफा” (इब्रानी भाषा) और “पत्रुस” (यूनानी भाषा) एके नाम अछि। सँ भेँट करबाक लेल यरूशलेम गेलहुँ आ हुनका संग पन्‍द्रह दिन रहलहुँ। 19मुदा प्रभुक भाय याकूब केँ छोड़ि हमरा आरो मसीह-दूत मे सँ किनको सँ भेँट नहि भेल। 20परमेश्‍वर हमर गवाह छथि जे हम जे अहाँ सभ केँ लिखि रहल छी से झूठ नहि अछि। 21तकरबाद हम सीरिया आ किलिकिया प्रदेश गेलहुँ। 22ओहि समय मे यहूदिया प्रदेशक मसीहक मण्‍डली सभ हमरा व्‍यक्‍तिगत रूप सँ नहि चिन्‍हैत छलाह। 23ओ सभ एतबे सुनने छलाह जे, “जे व्‍यक्‍ति पहिने हमरा सभ पर अत्‍याचार करैत छल वैह आब ओहि विश्‍वासक प्रचार करैत अछि जकर ओ पहिने सर्वनाश करबाक प्रयत्‍न करैत छल।” 24आ ओ सभ हमरा विषय मे परमेश्‍वरक प्रशंसा कयलनि।

Currently Selected:

गलाती 1: mai

Highlight

Copy

Compare

Share

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in