कुलुस्सी 2:13-14
कुलुस्सी 2:13-14 MAI
अहाँ सभ जे गैर-यहूदी जातिक लोक छी से एक समय मे अपना पाप सभक कारणेँ, आ पाप-स्वभावक खतना नहि कयल जयबाक कारणेँ, आत्मिक रूप सँ मरल छलहुँ, मुदा परमेश्वर अहाँ सभ केँ मसीहक संग फेर जीवित कयलनि। ओ अपना सभक सभ पाप केँ क्षमा कयलनि। अपना सभक विरोध मे जे दोष-पत्र लिखल छल आ जे अपना सभ केँ दण्डक जोगरक प्रमाणित कयलक, तकरा ओ ओकर सम्पूर्ण नियम सभक संग रद्द कऽ देलनि, आ ओकरा क्रूस पर काँटी ठोकि कऽ अपना सभ सँ दूर कऽ देलनि।





