YouVersion Logo
Search Icon

मसीह-दूत 9

9
साउल केँ यीशुक दर्शन
1साउल एखनो तक प्रभु यीशुक शिष्‍य सभ केँ धमकी दैत छल आ हुनका सभक हत्‍या करबाक फिराक मे रहैत छल। ओ महापुरोहित लग जा कऽ 2दमिश्‍कक सभाघर सभक लेल आज्ञा-पत्र मँगलक जाहि सँ जँ ओकरा दमिश्‍क मे एहि पंथ केँ मानऽ वला लोक सभ भेटैक तँ ओ ओकरा सभ केँ, चाहे स्‍त्रीगण होअय वा पुरुष, बन्‍दी बना कऽ यरूशलेम आनि सकय। 3जखन ओ दमिश्‍क नगर लग पहुँचल तँ एकाएक आकाश सँ बहुत तेज प्रकाश ओकरा चारू कात पड़ल। 4ओ जमीन पर खसि पड़ल आ ओकरा एक स्‍वर सुनाइ देलक, “हौ साउल, हौ साउल, तोँ हमरा किएक सतबैत छह?” 5ओ पुछलकनि, “यौ प्रभु, अहाँ के छी?” ओ उत्तर देलथिन, “हम यीशु छी जिनका तोँ सता रहल छह। 6आब तोँ उठि कऽ शहर मे जाह, ओतऽ तोरा कहल जयतह जे तोरा की करबाक छह।” 7साउलक संग जे लोक सभ जा रहल छल से सभ अवाक रहि गेल, कारण ओ सभ आवाज सुनलक मुदा ककरो देखलक नहि। 8साउल जमीन पर सँ उठलाह मुदा ओ जखन आँखि तकलनि तँ हुनका किछु देखाइ नहि दैत छलनि। तेँ ओ सभ हुनका हाथ पकड़ि कऽ दमिश्‍क शहर मे लऽ गेलनि। 9ओ तीन दिन धरि आन्‍हर रहलाह आ किछु नहि खयलनि-पिलनि।
दमिश्‍क नगर मे साउल
10दमिश्‍क मे हननियाह नामक एक शिष्‍य छलाह, जिनका प्रभु यीशु दर्शन दऽ कऽ कहलथिन, “हौ हननियाह!” ओ उत्तर देलथिन, “कहल जाओ प्रभु।” 11प्रभु आज्ञा देलथिन, “उठह, ‘सोझका गली’ नामक रस्‍ता मे जा कऽ यहूदाक घर मे तरसुस निवासी साउलक खोज करह, ओ प्रार्थना कऽ रहल अछि। 12और ओकरा मोन मे एकटा दृश्‍य देखाइ पड़ल छैक जे हमरा घर मे हननियाह नामक एक आदमी अयलाह आ हमरा पर हाथ रखलनि जे हम देखि सकी।” 13हननियाह उत्तर देलथिन, “यौ प्रभु, हम एहि आदमीक बारे मे बहुत किछु सुनने छी जे कोना ओ यरूशलेम मे अहाँक चुनल लोक सभ केँ सतबैत छल 14आ एहूठाम अहाँक शिष्‍य सभ केँ पकड़बाक लेल मुख्‍यपुरोहित सभक आदेश-पत्र लऽ कऽ आयल अछि।” 15प्रभु उत्तर देलथिन, “तोँ जाह, ओकरा हम चुनने छी जाहि सँ ओ गैर-यहूदी, ओकर सभक राजा सभ मे आ इस्राएली लोकक बीच मे हमर नामक प्रचार करय। 16आब हम ओकरा देखयबैक जे हमर नामक कारणेँ ओकरा कतेक कष्‍ट सहऽ पड़तैक।”
17तखन हननियाह गेलाह आ ओहि घर मे प्रवेश कऽ साउल पर हाथ राखि कऽ कहलथिन, “यौ साउल भाइ, प्रभु जे अहाँ केँ रस्‍ता मे अयबा काल दर्शन देलनि, अर्थात् यीशु, सैह हमरा अहाँ लग पठौलनि जाहि सँ अहाँ फेर देखी आ पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण भऽ जाइ।” 18तखने साउलक आँखि सँ पपड़ी जकाँ किछु खसल आ ओ देखऽ लगलाह। ओ उठलाह और बपतिस्‍मा लेलनि। 19तकरबाद ओ किछु भोजन कयलनि आ हुनका बल भेटलनि।
अत्‍याचारी सँ प्रचारक
साउल दमिश्‍क मे शिष्‍य सभक संग किछु दिन रहलाह। 20ओ तुरत ओतुक्‍का सभाघर सभ मे जा कऽ प्रचार करऽ लगलाह जे यीशु परमेश्‍वरक पुत्र छथि। 21एहि पर सभ लोक जे हुनकर प्रचार सुनलक से अकचका कऽ बाजऽ लागल जे, “ई की भेल? की ई वैह आदमी नहि अछि जे यरूशलेम मे एहि नाम पर विश्‍वास करऽ वला सभ केँ सतबैत छल? और की ओ एहूठाम एहि लेल नहि आयल अछि जे यीशु केँ मानऽ वला सभ केँ पकड़ि कऽ मुख्‍यपुरोहित सभ लग लऽ जाय?” 22मुदा साउल प्रचारक काज मे आओर सामर्थ्‍यवान होइत गेलाह। यीशुए उद्धारकर्ता-मसीह छथि तकर प्रमाण दऽ-दऽ कऽ ओ दमिश्‍क मे रहऽ वला यहूदी सभक मुँह बन्‍द कऽ दैत छलाह। 23एहि तरहेँ बहुत दिन बिति गेल। आब यहूदी सभ षड्‌यन्‍त्र रचऽ लागल जे साउल केँ जान सँ मारि दी। 24मुदा साउल केँ एहि बातक खबरि भऽ गेलनि। यहूदी सभ दिन-राति शहरक द्वारि लग पहरा दऽ कऽ हुनका मारबाक ताक मे रहैत छल। 25मुदा एम्‍हर हुनकर चेला सभ एक राति एकटा ढाकी मे हुनका बैसा कऽ शहरक देवाल पर बाटे ओहि पार उतारि देलकनि। ओ ओहिठाम सँ यरूशलेम चल गेलाह।
26यरूशलेम पहुँचि कऽ साउल विश्‍वासी सभ मे सम्‍मिलित होयबाक प्रयत्‍न कयलनि मुदा ओ सभ हिनका सँ डेराइत छलाह कारण हुनका सभ केँ एहि बातक विश्‍वास नहि होइत छलनि जे वास्‍तव मे ओ यीशु मसीहक शिष्‍य बनि गेल छथि। 27तखन बरनबास हुनका मसीह-दूत सभ लग लऽ गेलनि। ओ हुनका सभ केँ कहलथिन जे कोना साउल रस्‍ता मे प्रभु केँ देखलनि आ प्रभु कोना हिनका सँ गप्‍प कयलथिन और ई कतेक साहसक संग दमिश्‍क मे प्रभु यीशुक प्रचार कयलनि। 28एकरबाद साउल हुनका सभक संग रहऽ लगलाह। ओ यरूशलेम मे घूमि-फिरि कऽ निडर भऽ कऽ प्रभु यीशुक प्रचार कयलनि। 29ओ यूनानी भाषी यहूदी सभ सँ वाद-विवाद करैत छलाह मुदा ओ सभ हिनका जान सँ मारि देबाक कोशिश करऽ लागल। 30विश्‍वासी भाय सभ केँ जखन एहि बातक खबरि भेलनि तँ ओ सभ हुनका कैसरिया लऽ जा कऽ तरसुस नगरक लेल विदा कऽ देलथिन।
31तकरबाद समस्‍त यहूदिया, गलील आ सामरिया प्रदेश मे विश्‍वासी मण्‍डली केँ अत्‍याचार सँ आराम भेटल। प्रभुक आदर करैत आ आज्ञा मानैत मण्‍डली मजगूत होइत गेल और परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा सँ प्रोत्‍साहित भऽ विश्‍वासी सभक संख्‍या बढ़ैत गेल।
एनियास स्‍वस्‍थ भऽ गेल
32पत्रुस बहुत ठाम घुमैत-फिरैत लुद्दा नामक गाम मे विश्‍वासी सभ सँ भेँट करबाक लेल अयलाह। 33एहिठाम एनियास नामक एक आदमी भेटलनि जे लकवा बिमारीक कारणेँ आठ वर्ष सँ ओछायन धऽ लेने छल। 34पत्रुस ओकरा कहलथिन, “हौ एनियास, यीशु मसीह तोरा स्‍वस्‍थ करैत छथुन। तोँ उठह आ अपन ओछायन ठीक करह।” ओ तुरत ठाढ़ भऽ गेल। 35लुद्दा आ शारोनक सभ निवासी ओकरा देखलक, आ प्रभु यीशु पर विश्‍वास कयलक।
दोरकस जिआओल गेलीह
36याफा नगर मे एक विश्‍वासी स्‍त्री छलीह जिनकर नाम तबीता छलनि, जकरा यूनानी भाषा मे “दोरकस”, ⌞अर्थात् “हिरणी”⌟ कहल जाइत अछि। ओ बराबरि अनेक तरहक काज द्वारा दोसराक, आ खास कऽ गरीब सभक, सहायता करैत छलीह। 37जाहि समय मे पत्रुस लुद्दा मे छलाह ताहि समय मे ओ बिमार भेलीह आ मरि गेलीह। हुनकर लास केँ स्‍नान करा कऽ उपरका तल्‍ला पर कोठली मे राखि देल गेलनि। 38लुद्दा याफा सँ बेसी दूर नहि छल, आ तेँ विश्‍वासी सभ ई जानि जे पत्रुस लुद्दा मे छथि, दू आदमी केँ ई कहबाक लेल पत्रुस लग पठौलनि जे, “अहाँ एतऽ आबऽ मे देरी नहि करू!” 39पत्रुस हुनका सभक संग विदा भेलाह। पहुँचलाक बाद लोक सभ हुनका उपरका तल्‍ला पर लऽ गेलनि। विधवा सभ पत्रुस केँ चारू कात सँ घेरि कऽ जे कुर्ता और अन्‍य वस्‍त्र सभ दोरकस मरऽ सँ पहिने बनौने छलीह, से सभ कानि-कानि कऽ देखाबऽ लगलथिन। 40तखन पत्रुस सभ लोक केँ घर सँ बाहर कऽ देलनि, आ अपने ठेहुनिया दऽ कऽ प्रार्थना करऽ लगलाह। तकरबाद ओ लास दिस घूमि कऽ कहलथिन, “तबीता, उठि जाउ!” तबीता आँखि तकलनि आ सामने मे पत्रुस केँ देखि उठि कऽ बैसलीह। 41पत्रुस हुनका हाथ धऽ कऽ ठाढ़ कयलनि। तखन ओ विधवा सभ और अन्‍य विश्‍वासी सभ केँ बजा कऽ दोरकस केँ हुनका सभक जिम्‍मा मे जीवित सौंपि देलथिन। 42ई बात सम्‍पूर्ण याफा मे पसरि गेल आ बहुत लोक प्रभु पर विश्‍वास कयलक। 43पत्रुस याफा मे चमड़ाक कारोबार करऽ वला सिमोनक ओतऽ बहुत दिन धरि रहलाह।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy