YouVersion Logo
Search Icon

मसीह-दूत 10

10
रोमी कप्‍तान कुरनेलियुस केँ परमेश्‍वरक सम्‍बाद
1कैसरिया नगर मे कुरनेलियुस नामक एक आदमी छलाह जे रोमी सेना मे ओहि पल्‍टनक कप्‍तान छलाह जे “इटली पल्‍टन” कहबैत छल। 2ओ अपन पूरा परिवार भक्‍तिपूर्बक परमेश्‍वरक भय मानऽ वला छलाह। ओ गरीब सभ केँ दान दैत छलाह और परमेश्‍वर सँ नियमित रूप सँ प्रार्थना करैत छलाह। 3एक दिन बेरिआ मे, करीब तीन बजे परमेश्‍वरक एक स्‍वर्गदूत हुनका दर्शन देलथिन। ओ स्‍वर्गदूत केँ अपना लग अबैत स्‍पष्‍ट देखलथिन। स्‍वर्गदूत हुनका नाम लऽ कऽ कहलथिन, “यौ कुरनेलियुस!” 4कुरनेलियुस डेराइते हुनका दिस एकटक लगा कऽ तकैत कहलथिन, “की बात, प्रभु?” स्‍वर्गदूत उत्तर देलथिन, “अहाँक प्रार्थना और गरीब सभ केँ देल गेल दान सभ चढ़ौनाक रूप मे परमेश्‍वर लग पहुँचल अछि, और ओ अहाँ पर ध्‍यान देलनि अछि। 5आब अहाँ एना करू—किछु गोटे केँ याफा नगर मे सँ सिमोन, जकर दोसर नाम पत्रुस छैक, तकरा बजाबऽ लेल पठा दिऔक। 6ओ ओहिठाम दोसर सिमोन नामक आदमी, जे चमड़ाक कारोबार करैत अछि, आ जकर घर समुद्रक कात मे छैक, तकरा ओतऽ रहि रहल अछि।”
7स्‍वर्गदूत केँ चल गेलाक बाद, कुरनेलियुस दूटा नोकर और अपन निजि सहायक सभ मे सँ एक भक्‍त सैनिक केँ बजबौलनि। 8ओ ओकरा सभ केँ सभ बात कहि देलथिन आ याफा नगर पठौलथिन।
पत्रुसक समक्ष आश्‍चर्यजनक दृश्‍य
9प्रात भेने दुपहर कऽ ओ सभ याफा नगर लग पहुँचल, आ एम्‍हर पत्रुस प्रार्थना करबाक लेल छत पर गेलाह। 10हुनका भूख लगलनि और किछु खयबाक इच्‍छा भेलनि, मुदा भानस भइए रहल छल। ओही समय मे हुनका सामने एक दृश्‍य प्रगट भेलनि। 11ओ स्‍वर्ग केँ खुजल और ओतऽ सँ बड़का चद्दरि जकाँ कोनो चीज, जकर चारू खूँट बान्‍हल छलैक, से नीचाँ पृथ्‍वी दिस उतारल जाइत देखलनि। 12ओहि चद्दरि मे सभ प्रकारक चौपाया जानबर, जमीन मे ससरऽ वला जीव-जन्‍तु और आकाशक चिड़ै सभ छल। 13तखन पत्रुस केँ एक आवाज सुनाइ पड़लनि जे, “पत्रुस, उठह, आ एहि मे सँ मारि कऽ खाह!” 14पत्रुस उत्तर देलथिन, “नहि, नहि प्रभु! हम कोनो अपवित्र वा अशुद्ध वस्‍तु कहियो नहि खयलहुँ।” 15एहि पर फेर आवाज आयल जे, “जाहि वस्‍तु केँ परमेश्‍वर शुद्ध ठहरौने छथिन, तकरा तोँ अशुद्ध नहि कहक।” 16ई बात तीन बेर भऽ गेल, तखन एकाएक ओ चद्दरि फेर स्‍वर्ग दिस घीचि लेल गेल।
दृश्‍यक उद्देश्‍य
17पत्रुस सोचिए रहल छलाह जे एहन दृश्‍यक अर्थ की भऽ सकैत अछि, ठीक ओही समय मे कुरनेलियुसक पठाओल आदमी सभ पुछैत-पुछैत सिमोनक घर लग पहुँचल, और बाहर वला द्वारि लग ठाढ़ भऽ 18सोर पारि कऽ पुछलक, “की सिमोन पत्रुस नामक कोनो व्‍यक्‍ति एतऽ ठहरल छथि?” 19पत्रुस एखनो ओहि दृश्‍यक सम्‍बन्‍ध मे विचार कऽ रहल छलाह कि परमेश्‍वरक आत्‍मा हुनका कहलथिन, “सिमोन! तोरा तीन आदमी ताकि रहल छह। 20तेँ आब नीचाँ जाह आ कोनो तरहक दुबिधा मे नहि पड़ि कऽ ओकरा सभक संग जाह, कारण हमहीं ओकरा सभ केँ तोरा लग पठौने छिऐक।” 21पत्रुस नीचाँ जा कऽ ओकरा सभ केँ कहलथिन, “जिनका अहाँ सभ ताकि रहल छी, से हम छी। अहाँ सभ कोन काज सँ अयलहुँ?”
22ओ सभ उत्तर देलकनि, “हम सभ कप्‍तान कुरनेलियुसक ओतऽ सँ अयलहुँ। ओ धार्मिक आ परमेश्‍वरक भय मानऽ वला लोक छथि। हुनका समस्‍त यहूदी जाति मे मान्‍यता छनि। एक पवित्र स्‍वर्गदूत हुनका आज्ञा देलथिन जे अपने केँ ओ अपना ओहिठाम बजबा कऽ अपनेक उपदेश सुनथि।” 23तखन पत्रुस ओकरा सभ केँ घरक भीतर आनि कऽ सेवा-सत्‍कार करऽ लगलथिन।
तकर प्राते भेने पत्रुस ओकरा सभक संग विदा भेलाह, और याफा सँ किछु विश्‍वासी भाय सेहो संग गेलनि। 24एक दिनक बाद ओ सभ कैसरिया मे पहुँचि गेलाह। कुरनेलियुस हिनका सभक बाट तकैत छलथिन और अपन सम्‍बन्‍धी लोक आ इष्‍ट-मित्र सभ केँ बजा लेने छलाह। 25जखन पत्रुस घर मे प्रवेश करहे वला छलाह तखन कुरनेलियुस आबि कऽ हुनकर पयर पर खसि कऽ प्रणाम कयलनि। 26मुदा पत्रुस हुनका उठबैत कहलथिन, “उठू, उठू, हमहूँ मनुष्‍ये छी!”
27हुनका सँ गप्‍प-सप्‍प करैत पत्रुस भीतर गेलाह, और बहुत लोक जमा भेल देखि 28ओकरा सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ केँ बुझले अछि जे हमरा यहूदी लोकनिक धर्म-नियम गैर-यहूदी सँ सम्‍पर्क राखब वा ओकरा ओहिठाम जायब मना करैत अछि। मुदा परमेश्‍वर हमरा स्‍पष्‍ट कऽ देलनि जे ककरो अशुद्ध वा अछोप नहि बुझबाक चाही। 29तेँ हमरा जखन बजाओल गेल तँ बिनु कोनो आपत्ति मानैत हम चल अबैत रहलहुँ। आब अहाँ सभ कहू जे हमरा कोन काज सँ बजौलहुँ।”
30कुरनेलियुस उत्तर देलथिन, “चारि दिन पहिने हम एही समय मे, अर्थात् तीन बजे मे, अपना घर मे प्रार्थना कऽ रहल छलहुँ। एकाएक बहुत चमकैत वस्‍त्र पहिरने एक आदमी हमरा सामने मे ठाढ़ भऽ गेलाह 31आ कहलनि, ‘कुरनेलियुस! परमेश्‍वर अहाँक प्रार्थना सुनने छथि और अहाँक दानक काज सँ प्रसन्‍न छथि। 32अहाँ एना करू, सिमोन केँ, जकर दोसर नाम पत्रुस छैक, याफा सँ बजबा लिअ। ओ चमड़ाक कारोबार करऽ वला सिमोन, जकर घर समुद्रक कात मे छैक, तकरा ओतऽ ठहरल अछि।’ 33तेँ हम अपने केँ तुरत बजबौलहुँ, और ई अपनेक कृपा भेल जे अपने हमरा ओहिठाम अयलहुँ। आब हम सभ गोटे एतऽ परमेश्‍वरक समक्ष उपस्‍थित छी, और परमेश्‍वर जे किछु कहबाक आज्ञा अपने केँ देने होथि, से सभ बात सुनबाक लेल हम सभ तैयार छी।”
कुरनेलियुसक घर मे पत्रुसक उपदेश
34एहि पर पत्रुस कहऽ लगलाह, “हम आब बुझि गेलहुँ जे सत्‍ये मे परमेश्‍वर ककरो संग पक्षपात नहि करैत छथि, 35और जे केओ हुनकर भय मानैत छनि आ उचित काज करैत अछि चाहे ओ कोनो जातिक होअय, तकरा परमेश्‍वर स्‍वीकार करैत छथिन। 36अहाँ सभ जनैत होयब जे परमेश्‍वर इस्राएली लोकक बीच एक शुभ समाचार सुनबौलथिन। ओ शुभ समाचार ई अछि जे यीशु मसीह, जे सभक प्रभु छथि, तिनका द्वारा परमेश्‍वरक संग मेल-मिलाप भऽ सकैत अछि। 37अहाँ सभ इहो जनैत होयब जे यूहन्‍ना द्वारा पश्‍चात्ताप आ बपतिस्‍माक प्रचार भेलाक बाद, गलील प्रदेश सँ लऽ कऽ सम्‍पूर्ण यहूदिया प्रदेश मे की-की भेल— 38कोना नासरत-निवासी यीशु केँ परमेश्‍वर अपना पवित्र आत्‍मा आ सामर्थ्‍य सँ परिपूर्ण कयलथिन#10:38 वा, “अभिषिक्‍त कयलथिन” , आ कोना ओ सभतरि घूमि-घूमि कऽ भलाइक काज करैत छलाह और शैतान सँ पीड़ित लोक सभ केँ स्‍वस्‍थ कऽ दैत छलाह। ई काज सभ ओ एहि लेल कऽ सकलाह जे परमेश्‍वर हुनका संग छलथिन। 39और जतेक काज ओ यहूदिया प्रदेश आ यरूशलेम शहर मे कयलनि, तकर सभक साक्षी हम सभ छी। लोक सभ हुनका क्रूस पर चढ़ा कऽ मारि देलकनि, 40मुदा परमेश्‍वर हुनका तेसर दिन फेर जिआ देलथिन, और प्रत्‍यक्ष देखौलथिन, 41सभ केँ नहि, बल्‍कि ओही लोक सभ केँ जकरा ओ पहिनहि सँ गवाहक लेल चुनि लेने छलाह। ओ गवाह हम सभ छी आ हुनकर मृत्‍यु मे सँ जीबि उठलाक बाद हम सभ हुनका संग खयलहुँ-पिलहुँ। 42ओ हमरा सभ केँ आज्ञा देलनि जे हम सभ लोक सभक बीच ई शुभ समाचारक प्रचार करी आ गवाही दिऐक जे हुनके परमेश्‍वर सभ लोकक न्‍याय करबाक लेल नियुक्‍त कयने छथि, ओ सभ चाहे मुइल होअय वा जीवित। 43हुनके विषय मे परमेश्‍वरक सभ प्रवक्‍ता लोकनि गवाही देने छथि जे, जे केओ हुनका पर विश्‍वास करत तकरा हुनका द्वारा पापक क्षमा भेटतैक।”
गैर-यहूदी सभ केँ सेहो परमेश्‍वरक आत्‍माक प्राप्‍ति
44पत्रुस जखन बाजिए रहल छलाह तखने जे सभ हुनकर ई प्रवचन सुनि रहल छल, तकरा सभ पर पवित्र आत्‍मा अयलाह। 45-46ओ सभ अनजान भाषा मे बाजऽ लागल और परमेश्‍वरक स्‍तुति-प्रशंसा करऽ लागल। यहूदी विश्‍वासी सभ जे पत्रुसक संग आयल छलाह, से सभ ई देखि चकित रहि गेलाह जे परमेश्‍वर गैर-यहूदी सभ केँ सेहो अपन पवित्र आत्‍मा प्रदान कयलनि।
47तखन पत्रुस कहलथिन, “की एकरा सभक बारे मे, जे अपने सभ जकाँ पवित्र आत्‍मा केँ प्राप्‍त कयने अछि, केओ कहि सकत जे एकरा सभ केँ बपतिस्‍मा नहि देल जाइक?” 48ई कहि ओ ओकरा सभ केँ प्रभु यीशु मसीहक नाम सँ बपतिस्‍मा लेबाक आदेश देलथिन। तखन ओ सभ पत्रुस सँ निवेदन कयलकनि जे, अपने हमरा सभक संग किछु दिन रहल जाओ।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy