YouVersion Logo
Search Icon

मसीह-दूत 5

5
हननियाह आ सफीराक छल-कपट
1हननियाह नामक एक आदमी सेहो, अपना स्‍त्री सफीरा सँ विचार-विमर्श कऽ अपन जमीन बेचलक 2और स्‍त्रीक सहमति सँ अपना लेल किछु पाइ राखि कऽ बाँकी पाइ आनि मसीह-दूत सभक चरण मे राखि देलक। 3मुदा पत्रुस कहलथिन, “यौ हननियाह! ई केहन बात भेल जे शैतान अहाँक मोन तेना कऽ वश मे कऽ लेलक जे अहाँ परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा सँ झूठ बजलहुँ आ जमीनक मोल सँ किछु अपना लेल राखि लेलहुँ? 4की बेचऽ सँ पहिने ओ जमीन अहाँक नहि छल? आ बेचलाक बादो की अपना इच्‍छाक अनुसार ओहि पाइक खर्च करबाक अधिकार अहाँ केँ नहि छल? एहन बात अहाँ केँ फुरायल कोना? अहाँ मनुष्‍य सँ नहि, परमेश्‍वर सँ झूठ बजलहुँ।”
5ई बात सुनितहि, हननियाह खसि पड़ल आ मरि गेल। ई बात जे केओ सुनलक, तकरा सभ मे बड़का डर सन्‍हिया गेलैक। 6तखन किछु नवयुवक उठि कऽ ओकर लास कपड़ा मे लपेटि लेलक आ बाहर लऽ जा कऽ गाड़ि देलकैक।
7करीब तीन घण्‍टाक बाद ओकर स्‍त्री ओतऽ आयल। ओकरा एहि घटनाक सम्‍बन्‍ध मे कोनो जानकारी नहि छलैक। 8पत्रुस ओकरा सँ पुछलथिन, “कहू! अहाँ सभ अपन जमीन एतेक मे बेचलहुँ?” ओ उत्तर देलकनि, “हँ, एतेक मे।”
9तखन पत्रुस कहलथिन, “अहाँ दूनू गोटे किएक प्रभुक आत्‍मा केँ जाँच करबाक लेल एकमत भऽ गेलहुँ? देखू! अहाँक घरवला केँ जे सभ गाड़ि आयल, से सभ द्वारिए पर अछि और अहूँ केँ लऽ जायत।”
10ओ तुरत हुनका आगाँ मे खसि पड़ल आ मरि गेल। तखन ओ नवयुवक सभ फेर भीतर आयल, आ ओकरा मुइल देखि उठा कऽ लऽ गेलैक और ओकरा घरवलाक कात मे गाड़ि देलकैक। 11एहि सँ पूरा मसीही मण्‍डली केँ, और जे सभ एहि घटना सभक बारे मे सुनलक, तकरा सभ केँ बड़का डर भऽ गेलैक।
मसीह-दूत सभक चमत्‍कारपूर्ण काज
12मसीह-दूत सभक द्वारा लोकक बीच बहुत चमत्‍कारपूर्ण काज कयल जाइत छल। सभ विश्‍वासी सुलेमानक असोरा पर जमा होइत छलाह। 13लोक सभ हुनका सभक प्रशंसा तँ करैत छल मुदा ककरो ई साहस नहि होइत छलैक जे हुनका सभ मे सम्‍मिलित भऽ जाइ। 14तैयो बहुतो स्‍त्री आ पुरुष प्रभु पर विश्‍वास कऽ कऽ विश्‍वासी सभक समूह मे सम्‍मिलित भेल जाइत छल। 15मसीह-दूत सभक चमत्‍कारपूर्ण काज देखि लोक सभ रोगी सभ केँ सड़क पर पटिया वा खाट पर राखि दैत छल, जाहि सँ पत्रुस केँ अयला पर हुनकर छाँहो ककरो-ककरो पर पड़ि जाय। 16यरूशलेमक लग-पासक नगर सभ सँ सेहो हाँजक-हाँज लोक सभ रोगी आ दुष्‍टात्‍मा#5:16 मूल मे “अशुद्ध आत्‍मा” लागल आदमी सभ केँ हुनका सभ लग अनैत छल और सभ केओ स्‍वस्‍थ कयल जाइत छल।
मसीह-दूत सभ पर धर्म-महासभाक क्रोध
17एहि पर महापुरोहित आ हुनकर संग देबऽ वला सदुकी पंथक लोक सभ केँ डाह होमऽ लगलनि। 18ओ सभ मसीह-दूत सभ केँ पकड़ि कऽ स्‍थानीय जहल मे राखि देलथिन। 19मुदा ओही राति मे प्रभुक एकटा स्‍वर्गदूत जहलक द्वारि खोलि हुनका सभ केँ बाहर लऽ अनलथिन आ कहलथिन, 20“जाह, मन्‍दिर मे जा कऽ एहि ‘नव जीवन’क विषय मे सभ बात लोक सभ केँ सुनाबह।”
21ओ सभ भोर होइते मन्‍दिर मे जा कऽ स्‍वर्गदूतक कथनानुसार लोक सभक बीच उपदेश देबऽ लगलाह।
एम्‍हर महापुरोहित आ हुनकर संगी सभ इस्राएलक सभ बूढ़-प्रतिष्‍ठित केँ बजा कऽ सम्‍पूर्ण धर्म-महासभाक लोक केँ जमा कयलनि आ जहल मे सँ मसीह-दूत सभ केँ अनबाक लेल ककरो पठौलनि। 22मुदा सिपाही सभ जखन ओतऽ पहुँचल तँ मसीह-दूत सभ जहल मे नहि छलाह। ओ सभ घूमि कऽ आबि गेल आ ई खबरि महासभाक सदस्‍य सभ केँ देलकनि जे, 23“हम सभ ओहि जहलक द्वारि मे सुरक्षित तरीका सँ ताला लागल देखलहुँ आ पहरेदार सभ सेहो चौकस भऽ द्वारि पर ठाढ़ छल मुदा ताला खोलि कऽ भीतर गेला पर देखलहुँ जे केओ नहि अछि।” 24ई बात सुनला पर मन्‍दिरक सिपाहीक कप्‍तान आ मुख्‍यपुरोहित सभ सोच मे पड़ि गेलाह जे ई की भेल? 25एतबे मे केओ आबि कऽ कहलकनि जे, “सुनैत छी, जकरा सभ केँ अपने लोकनि जहल मे बन्‍द कयने छलहुँ से सभ एखन मन्‍दिर मे ठाढ़ भऽ कऽ लोक सभ केँ शिक्षा दऽ रहल अछि।” 26तखन मन्‍दिरक सिपाहीक कप्‍तान किछु सिपाही सभ केँ लऽ कऽ मन्‍दिर मे गेलाह आ हुनका सभ केँ लऽ अयलथिन, मुदा जबरदस्‍ती नहि, कारण हुनका सभ केँ डर छलनि जे लोक सभ कतौ पथरबाहि कऽ कऽ हमरा सभ केँ मारि नहि देअय।
27ओ सभ मसीह-दूत सभ केँ आनि कऽ महासभा मे ठाढ़ कऽ देलथिन। तकरबाद महापुरोहित हुनका सभ सँ पुछलथिन, 28“की हम सभ तोरा सभ केँ ई आज्ञा नहि देने छलिऔक जे तोँ सभ एहि नाम सँ शिक्षा देनाइ बन्‍द करै, लेकिन तोँ सभ सम्‍पूर्ण यरूशलेम केँ अपन शिक्षा सँ भरि देलेँ और ओहि आदमीक खूनक दोषी हमरा सभ केँ बनाबऽ चाहैत छेँ।”
29एहि पर पत्रुस और आन मसीह-दूत सभ उत्तर देलथिन, “हमरा सभ केँ मनुष्‍यक आज्ञा सँ बढ़ि कऽ परमेश्‍वरेक आज्ञा केँ मानबाक अछि। 30जाहि यीशु केँ अहाँ सभ क्रूस पर चढ़ा कऽ मारि देलियनि, तिनका अपना सभक पूर्वजक परमेश्‍वर जिआ देलथिन। 31हुनका परमेश्‍वर प्रभु आ उद्धारकर्ताक ऊँच पद दऽ कऽ अपन दहिना कात बैसौलथिन, जाहि सँ ओ इस्राएलक लोक केँ पश्‍चात्ताप आ हृदय-परिवर्तन करबाक वरदान देथि आ पापक क्षमा प्रदान करथि। 32एहि बात सभक गवाह हम सभ छी और पवित्र आत्‍मा सेहो छथि, जे आत्‍मा परमेश्‍वर अपन आज्ञाक पालन कयनिहार सभ केँ देने छथिन।”
गमालिएलक सल्‍लाह
33ई सुनि कऽ महासभाक सदस्‍य सभ तिलमिला उठलाह आ हुनका सभ केँ जान सँ मारि देबऽ चाहलनि। 34मुदा फरिसी पंथक गमालिएल नामक एक आदमी जे धर्म-नियमक आचार्य छलाह आ सभक नजरि मे प्रतिष्‍ठित लोक छलाह से सभा मे ठाढ़ भऽ आज्ञा देलथिन जे, एकरा सभ केँ किछु कालक लेल बाहर कऽ दिऔक। 35तकरबाद ओ महासभाक सदस्‍य सभ केँ कहऽ लगलाह, “इस्राएली भाइ लोकनि, एहि लोकक संग जे किछु अहाँ सभ करऽ वला छी से सोचि-विचारि कऽ करू। 36कारण, किछु समय पहिने थियूदास नामक आदमी अपने प्रशंसा मे बहुत तरहक बात कहैत छल आ करीब चारि सय लोक ओकर बात सुनि कऽ ओकरा पाछाँ-पाछाँ चलऽ लागल मुदा ओकरा मारल गेलाक बाद ओकर चेला सभ जहाँ-तहाँ छिड़िया गेल और ओकर सभ बात समाप्‍त भऽ गेलैक। 37तकरबाद जनगणनाक समय मे गलील वासी यहूदा बहुत लोक केँ चढ़ा-बढ़ा कऽ एक क्रान्‍ति शुरू कयलक, मुदा ओहो मारल गेल आ ओकरो पाछाँ चलऽ वला लोक सभ छिड़िया गेल। 38तेँ एकरा सभक सम्‍बन्‍ध मे हमर कथन यैह अछि जे, एकरा सभ केँ किछु नहि कयल जाय, बल्‍कि छोड़ि देल जाय। जँ एकर सभक ई विचार आ काज मनुष्‍यक प्रेरणा सँ भऽ रहल अछि तँ अपने सँ समाप्‍त भऽ जायत। 39मुदा जँ परमेश्‍वरक प्रेरणा सँ अछि तँ अहाँ सभ एकरा सभ केँ नहि रोकि सकब, बल्‍कि एना कयला पर अहीं सभ अपने परमेश्‍वर सँ लड़निहार बनि जायब।”
40महासभाक सदस्‍य लोकनि गमालिएलक सल्‍लाह स्‍वीकार कऽ लेलनि। ओ सभ मसीह-दूत सभ केँ भीतर बजबा कऽ बेंत सँ पिटबौलथिन आ ई आज्ञा दऽ कऽ छोड़ि देलथिन जे यीशुक नाम लऽ कऽ किछु नहि बाज।
41मसीह-दूत सभ एहि बातक लेल आनन्‍द मनबैत महासभा सँ बहरयलाह जे परमेश्‍वर हमरा सभ केँ एहि जोगरक बुझलनि जे हम सभ यीशुक नामक कारणेँ अपमानित होइ। 42ओ सभ प्रत्‍येक दिन मन्‍दिर मे आ लोक सभक घर-घर मे जा कऽ शिक्षा दैते रहलाह और एहि शुभ समाचारक प्रचार करिते रहलाह जे यीशु उद्धारकर्ता-मसीह छथि।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy