YouVersion Logo
Search Icon

मसीह-दूत 14

14
इकुनियुम मे
1करीब वैह बात इकुनियुम मे सेहो भेल—पौलुस आ बरनबास यहूदी सभक सभाघर मे गेलाह, और एहन उपदेश देलनि जे बहुतो यहूदी और आन जातिक लोक सभ विश्‍वास कऽ लेलक। 2मुदा जे यहूदी सभ विश्‍वास नहि करऽ चाहलक, से सभ आन जातिक लोक केँ बहकाबऽ लागल आ ओकरा सभक मोन मे विश्‍वासी भाय सभक प्रति दुश्‍मनी उत्‍पन्‍न कऽ देलकैक। 3पौलुस आ बरनबास ओतऽ बहुत दिन धरि रहलाह आ निडर भऽ प्रभु यीशुक लेल प्रचार करैत रहलाह। प्रभु हुनका सभक माध्‍यम सँ आश्‍चर्यपूर्ण चिन्‍ह आ चमत्‍कारक काज सभ कऽ कऽ अपन कृपाक विषय मे हुनका सभक प्रचार केँ सत्‍य ठहरौलनि।
4शहरक लोक मे आब फूट पड़ि गेल—किछु लोक यहूदी सभक संग भऽ गेल, आ किछु लोक मसीह-दूत सभक संग। 5जखन आन जातिक लोक आ यहूदी सभ अपन अधिकारी सभक संग मिलि कऽ हिनका सभ केँ अपमानित करबाक आ पथरबाहि कऽ मारि देबाक लेल नियारलक, 6तँ ई बात हिनको सभ केँ बुझऽ मे आबि गेलनि, आ तुरत लुकाउनिया क्षेत्रक लुस्‍त्रा और दरबे नगर मे भागि गेलाह। 7ओ सभ ओहि नगर सभ मे आ लग-पासक देहात मे शुभ समाचारक प्रचार करैत रहलाह।
लुस्‍त्रा आ दरबे नगर सभ मे
8लुस्‍त्रा नगर मे एक लोथ आदमी बैसल छल। ओ जन्‍मे सँ लोथ छल आ कहियो चलल नहि छल। 9ई आदमी पौलुसक प्रवचन सुनि रहल छल। पौलुस ओकरा टकटकी लगा कऽ देखलथिन आ ई देखि जे ओकरा ई विश्‍वास छैक जे हम स्‍वस्‍थ भऽ सकैत छी, 10ओ जोर सँ ओहि आदमी केँ कहलथिन, “अपन पयर पर सोझ भऽ कऽ ठाढ़ होउ!” एहि पर ओ छरपि कऽ ठाढ़ भेल आ चलऽ-फिरऽ लागल।
11भीड़क लोक सभ जखन देखलक जे पौलुस की कयलनि, तँ ओ सभ लुकाउनियाक भाषा मे जोर-जोर सँ बाजि कऽ कहऽ लागल, “देवता सभ मनुष्‍य बनि कऽ हमरा सभक बीच अयलाह अछि!” 12बरनबास केँ ओ सभ “ज्‍यूस-देवता” सँ सम्‍बोधन करऽ लगलनि, आ पौलुस केँ “हिरमेस-देवता,” कारण पौलुस मुख्‍य बाजऽ वला छलाह। 13ज्‍यूस-देवताक पुजारी, जकर मन्‍दिर शहर सँ बाहर छल, से बड़का भीड़क संग हुनका सभ लग पशु-बलि चढ़यबाक लेल बड़द आ फूलक माला सभ लऽ कऽ शहरक प्रवेश-द्वारि लग आयल।
14मुदा बरनबास आ पौलुस ई सुनि कऽ विरोध स्‍वरूप अपन वस्‍त्र फाड़लनि आ ओहि भीड़ मे दौड़ि कऽ गेलाह आ ओकरा सभ केँ जोर सँ कहऽ लगलाह, 15“अहाँ सभ ई की कऽ रहल छी?! हमहूँ सभ अहीं सभ जकाँ मनुष्‍ये छी! हम सभ अहाँ सभ केँ ई शुभ समाचार सुनयबाक लेल आयल छी जे अहाँ सभ निरर्थक मुरुतक पूजा-पाठ कयनाइ छोड़ि कऽ जीवित परमेश्‍वर जे आकाश, पृथ्‍वी, समुद्र और ओहि मे जे किछु अछि, तकर सभक रचना कयने छथि, तिनका पर विश्‍वास करू। 16प्राचीन समय मे ओ सभ जाति केँ अपना-अपना रस्‍ता पर चलऽ देलनि, 17तैयो ओ अपना भलाइक काज द्वारा मनुष्‍य जाति केँ अपना बारे मे साक्षी दैत रहलाह—ओ अहाँ सभ केँ आकाश सँ वर्षा आ ठीक समय पर उपजा दैत छथि। अहाँ सभ केँ भोजनक वस्‍तु सँ तृप्‍त करैत छथि और अहाँ सभक मोन केँ हर्षित करैत छथि।” 18ई सभ बात कहलाक बादो ओ सभ ओकरा सभ केँ बहुत मुश्‍किल सँ मना सकलाह जे हमरा सभ लग बलि नहि चढ़ाउ।
19तखन अन्‍ताकिया और इकुनियुम सँ यहूदी सभ आयल और जनता केँ अपना पक्ष मे कऽ कऽ पौलुस पर पथरबाहि कयलक, आ हुनका मरल बुझि कऽ शहर सँ बाहर घिसिआ कऽ धऽ अयलनि। 20मुदा शिष्‍य सभ जखन हुनका चारू कात जमा भेलनि तँ हुनका होश अयलनि और ओ उठि कऽ शहर मे गेलाह। प्रात भेने ओ बरनबासक संग दरबे नगर चल गेलाह।
प्रचार-यात्राक समाप्‍ति
21ओहू नगर मे ओ सभ शुभ समाचारक प्रचार कयलनि, और बहुत शिष्‍य सभ बना कऽ लुस्‍त्रा, इकुनियुम आ अन्‍ताकिया नगर घूमि अयलाह। 22एहि नगर सभ मे ओ सभ शिष्‍य सभक हिम्‍मत बढ़बैत ओकरा सभ केँ विश्‍वास मे स्‍थिर रहबाक लेल प्रोत्‍साहित करैत छलाह, और कहैत छलाह जे “परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश करबाक लेल अपना सभ केँ बहुत कष्‍ट सहऽ पड़त।” 23ओ सभ शिष्‍य सभक लेल प्रत्‍येक मण्‍डली मे देख-रेख कयनिहार सभ केँ नियुक्‍त कयलथिन और उपास आ प्रार्थना कऽ कऽ प्रभु यीशु, जिनका पर ओ सभ विश्‍वास रखने छलाह, तिनका हाथ मे सौंपि देलथिन।
24ओतऽ सँ पौलुस आ बरनबास पिसिदिया अंचल दऽ कऽ पंफूलिया प्रदेश मे अयलाह। 25ओहि अंचलक पर्गा नगर मे शुभ समाचार सुना कऽ अतालिया नगर अयलाह।
26ओतऽ सँ ओ सभ पानि जहाज सँ ⌞सीरिया प्रदेशक⌟ अन्‍ताकिया नगर मे घूमि अयलाह, जतऽ विश्‍वासी भाय सभ हुनका सभ केँ परमेश्‍वरक जिम्‍मा मे ओहि काजक लेल सौंपि देने छलनि, जाहि काज केँ ओ सभ आब पूरा कऽ लेने छलाह। 27ओ सभ ओहिठाम पहुँचि कऽ मण्‍डली केँ जमा कऽ कऽ सुनौलनि जे परमेश्‍वर हुनका सभक द्वारा केहन-केहन काज कयलनि, आ कोना परमेश्‍वर गैर-यहूदी लोकक लेल विश्‍वासक द्वारि खोलि देलनि। 28ओ सभ अन्‍ताकिया मे शिष्‍य सभक संग बहुत दिन धरि रहलाह।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy