2 थिसलुनिकी 2
2
प्रभुक अयबाक दिनक सम्बन्ध मे धोखा नहि खाउ
1यौ भाइ लोकनि, अपना सभक प्रभु यीशु मसीह जे फेर औताह, ताहि विषय मे, आ अपना सभ जे हुनका लग जमा होयब, ताहि विषय मे हम सभ अहाँ सभ केँ कहि रहल छी— 2केओ जँ ईश्वरीय सम्बाद पयबाक, वा हमरा सभक दिस सँ कोनो सूचना अथवा पत्र प्राप्त करबाक दावा करय जाहि मे ई कहल गेल होअय जे प्रभुक अयबाक दिन आबि चुकल अछि, तँ ताहि सँ अहाँ सभ तुरत्ते भ्रम मे नहि पड़ि जाउ आ ने घबड़ाउ। 3केओ अहाँ सभ केँ कोनो तरहेँ धोखा नहि देबऽ पाबओ, कारण ओ दिन ताबत धरि नहि आओत जाबत धरि परमेश्वरक विरोध मे “महा-विद्रोह” नहि भऽ जायत और ओ “अधर्मक पुरुष”, जकर विनाश निश्चित अछि, से प्रगट नहि भऽ जायत। 4ओ ईश्वर कहौनिहार अथवा पूज्य मानल जाय वला प्रत्येक वस्तुक विरोध करैत अपना केँ ओहि सभ सँ एतेक महान् ठहराओत जे परमेश्वरक मन्दिर मे विराजमान भऽ अपना केँ ईश्वर घोषित करत।
5की अहाँ सभ केँ याद नहि अछि जे अहाँ सभक बीच रहैत हम ई बात सभ बुझबैत रहैत छलहुँ? 6अहाँ सभ केँ बुझल अछि जे कोन सामर्थ्य ओकरा एखन रोकने छैक जाहि सँ ओ निर्धारित समय पर प्रगट होअय। 7अधर्मक गुप्त शक्ति एखनो अपन काज शुरू कऽ देने अछि, मुदा जाबत धरि ओकरा रोकनिहार केँ हटाओल नहि जायत ताबत धरि ओ ओकरा रोकने रहत। 8तकरबाद ओ अधर्मी पुरुष प्रगट कयल जायत जकरा प्रभु यीशु अपन मुँहक फूक सँ मारि देथिन। प्रभु यीशु महिमा मे आबि कऽ ओकर सर्वनाश कऽ देथिन।
9ओ अधर्मी पुरुष शैतानक सामर्थ्य सँ परिपूर्ण भऽ कऽ आओत। ओ सभ तरहक शक्तिशाली आश्चर्यपूर्ण चिन्ह आ छल-कपट वला चमत्कार देखाओत, 10और नाश भेनिहार लोक सभ केँ हर प्रकारक अधर्मक माध्यम सँ धोखा दऽ कऽ फँसाओत। ओ सभ एहि लेल नाश भेनिहार अछि जे ओ सभ ओहि सत्य सँ प्रेम नहि करऽ चाहलक जे सत्य ओकरा सभ केँ बँचा सकैत छलैक। 11एही लेल परमेश्वर ओकरा सभ मे भ्रमपूर्ण मनोभाव उत्पन्न करैत छथिन जाहि सँ ओ सभ झूठक विश्वास करय। 12एहि तरहेँ जे केओ सत्य पर विश्वास नहि कयलक आ अधर्म मे मग्न रहल से सभ दोषी ठहरि कऽ दण्डित कयल जायत।
प्रभुक शिक्षा मे दृढ़ बनल रहू
13यौ भाइ लोकनि, प्रभुक प्रिय लोक, अहाँ सभक लेल हमरा सभ केँ सदिखन परमेश्वर केँ धन्यवाद देबाक अछि, कारण, परमेश्वर शुरुए सँ अहाँ सभ केँ एहि उद्देश्य सँ चुनलनि जे अहाँ सभ हुनकर आत्माक काज द्वारा पवित्र भऽ कऽ और सत्य पर विश्वास कऽ कऽ उद्धार प्राप्त करी। 14जे शुभ समाचार हम सभ अहाँ सभ केँ सुनौलहुँ ताहि द्वारा परमेश्वर अहाँ सभ केँ एहि उद्धारक लेल बजौलनि, जाहि सँ अहाँ सभ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक महिमा मे सहभागी बनी। 15तेँ यौ भाइ लोकनि, अपना विश्वास मे स्थिर रहू आ ओहि शिक्षा मे दृढ़ बनल रहू जे अहाँ सभ केँ हमरा सभ सँ मौखिक रूप सँ वा पत्र द्वारा भेटल अछि।
16आब स्वयं अपना सभक प्रभु यीशु मसीह और अपना सभक पिता परमेश्वर जे अपना सभ सँ प्रेम कयलनि आ अपना कृपा सँ अनन्त कालीन उत्साह आ अटल आशा देने छथि, 17से अहाँ सभ केँ प्रोत्साहित करैत रहथि और सभ प्रकारक नीक काज करबाक लेल आ नीक बात बजबाक लेल बल दैत रहथि।
Currently Selected:
2 थिसलुनिकी 2: mai
Highlight
Copy
Compare
Share
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
©2010 The Bible Society of India and © Wycliffe Bible Translators, Inc.