Bible App logo
Search Icon

2 कोरिन्‍थी 1

1
1हम पौलुस, जे परमेश्‍वरक इच्‍छा सँ मसीह यीशुक एक मसीह-दूत छी, और भाइ तिमुथियुस सेहो, ई पत्र अहाँ सभ केँ लिखि रहल छी, जे सभ कोरिन्‍थ नगर मे परमेश्‍वरक मण्‍डली छी। आ संगहि समस्‍त अखाया प्रदेशक हुनकर सभ पवित्र लोक केँ सेहो लिखि रहल छी।
2अपना सभक पिता परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि और अहाँ सभ केँ शान्‍ति देथि।
दुःख-कष्‍ट मे परमेश्‍वरक सान्‍त्‍वना
3अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक जे परमेश्‍वर आ पिता छथि, तिनकर स्‍तुति होनि, जे दया करऽ वला पिता छथि आ सभ प्रकारक सान्‍त्‍वना देबऽ वला परमेश्‍वर छथि। 4ओ अपना सभ केँ सभ प्रकारक दुःख-तकलीफ मे सान्‍त्‍वना दैत छथि जाहि सँ अपनो सभ परमेश्‍वर सँ प्राप्‍त एहि सान्‍त्‍वना द्वारा सभ प्रकारक दुःख मे पड़ल लोक सभ केँ सान्‍त्‍वना दऽ सकिऐक। 5किएक तँ जाहि तरहेँ मसीहक कष्‍ट प्रशस्‍त मात्रा मे अपना सभक जीवन मे अबैत रहैत अछि ताहि तरहेँ मसीह द्वारा सान्‍त्‍वना सेहो प्रशस्‍त मात्रा मे अबैत रहैत अछि। 6जँ हमरा सभ केँ दुःख-कष्‍ट भोगऽ पड़ैत अछि तँ ई अहाँ सभक सान्‍त्‍वना आ उद्धारक लेल अछि। कारण, जखन हम सभ सान्‍त्‍वना पबैत छी तँ से एहि लेल जे हम सभ अहूँ सभ केँ सान्‍त्‍वना दऽ सकी, जाहि सँ अहाँ सभ धैर्यपूर्बक ओहि सभ कष्‍ट केँ सहबाक लेल साहस करी जकरा हमहूँ सभ सहैत छी। 7अहाँ सभक विषय मे हमरा सभ केँ पूरा विश्‍वास अछि जे अहाँ सभ स्‍थिर रहब, किएक तँ हम सभ ई जनैत छी जे जहिना अहाँ सभ कष्‍ट मे सहभागी छी तहिना सान्‍त्‍वना मे सेहो सहभागी छी।
8यौ भाइ लोकनि, हम सभ अहाँ सभ सँ ई नहि नुकाबऽ चाहैत छी जे आसिया प्रदेश मे हमरा सभ केँ केहन-केहन कष्‍ट उठाबऽ पड़ल। एहि कष्‍टक भार एतेक भारी छल जे ओ हमरा सभक सहनशक्‍तिक सीमा सँ बाहर छल, एतऽ तक जे हमरा सभ केँ जीवित बचबाक कोनो आशा नहि रहि गेल छल। 9वास्‍तव मे हमरा सभ केँ एना बुझाइत छल जे आब हमरा सभक मृत्‍यु निश्‍चित अछि। ई सभ एहि लेल भेल जे हम सभ अपना पर नहि, बल्‍कि परमेश्‍वर पर भरोसा राखी, जे मरल सभ केँ जीवित कऽ दैत छथि। 10ओ हमरा सभ केँ एहन मृत्‍युक संकट सँ बचौलनि आ एखनो बँचौताह। हुनका पर हम सभ आशा लगौने छी जे ओ हमरा सभ केँ आबऽ वला समय मे सेहो बचबैत रहताह। 11एहि बात मे अहूँ सभ प्रार्थना द्वारा हमरा सभक सहायता करैत छी। एहि तरहेँ अनेक लोकक प्रार्थनाक उत्तर मे जे आशिष हमरा सभ केँ भेटत तकरा लेल बहुत लोक हमरा सभक कारणेँ परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देतनि।
पौलुसक कार्यक्रम मे परिवर्तनक कारण
12हमरा सभ केँ एकटा गर्वक बात अछि—हमरा सभक मोन एहि बातक गवाही दैत अछि जे संसार मे हमरा सभक आचरण, आ विशेष रूप सँ अहाँ सभक संग जे व्‍यवहार कयने छी, से ओहि पवित्रताक संग आ शुद्ध मोन सँ छल जे परमेश्‍वर सँ भेटैत अछि। हमरा सभक भरोसा सांसारिक बुद्धि पर नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक कृपा पर छल। 13हम सभ तँ अहाँ सभ केँ कोनो एहन बात नहि लिखैत छी जकरा पढ़ला सँ अर्थ नहि बुझल जा सकैत अछि। हमरा आशा अछि जे अहाँ सभ जहिना एखन आंशिक रूप मे हमरा सभ केँ जनैत छी, 14तहिना पूर्ण रूप सँ ई बात जानी जे जाहि तरहेँ हम सभ प्रभु यीशुक अयबाक दिन मे अहाँ सभ पर गर्व करब ताहि तरहेँ अहाँ सभ हमरो सभ पर गर्व कऽ सकब।
15हमरा एहि बातक पूरा विश्‍वास अछि। एहि लेल हम अहाँ सभ केँ दू बेर आशिष पयबाक अवसर देबाक विचार कऽ कऽ पहिने अहीं सभ लग अयबाक निश्‍चय कयने छलहुँ। 16हम अहाँ सभक ओतऽ होइत मकिदुनिया प्रदेश जाइ आ फेर मकिदुनिया सँ लौटैत काल अहाँ सभक ओतऽ आबी, से चाहैत छलहुँ, जाहि सँ अहाँ सभ हमरा लेल यहूदिया प्रदेशक यात्राक लेल प्रबन्‍ध कऽ सकी। 17हमर निश्‍चय जँ यैह छल, तँ की हम बिनु कारणेँ अपन विचार बदलि लेलहुँ? की हम सांसारिक लोक सभ जकाँ बात नियारैत छी जे एके समय मे “हँ, हँ” सेहो आ “नहि, नहि” सेहो कही?
18जाहि तरहेँ परमेश्‍वर विश्‍वसनीय छथि ताहि तरहेँ अहाँ सभक प्रति हमर वचन मे कखनो “हँ” आ कखनो “नहि” वला बात नहि अछि। 19किएक तँ परमेश्‍वरक पुत्र यीशु मसीह, जिनकर प्रचार अहाँ सभक बीच हम सभ, अर्थात् सिलास#1:19 मूल मे “सिलवानुस”, जे “सिलास” नामक एक रूप अछि। , तिमुथियुस आ हम, कयलहुँ, तिनका मे कखनो “हँ” कखनो “नहि” वला बात नहि अछि, बल्‍कि हुनका मे सदा सँ “हँ” “हँ”ए रहल अछि। 20परमेश्‍वर जतेक बात सभ करबाक लेल वचन देने छथि, से सभ बात मसीह मे पूरा होइत अछि, तेँ अपना सभ हुनका द्वारा परमेश्‍वरक बड़ाइ मे “आमीन, हँ, एहिना होअय” कहैत छी। 21परमेश्‍वरे हमरो सभ केँ आ अहूँ सभ केँ मसीह मे स्‍थिर रखैत छथि। ओ अपना सभक अभिषेक कयने छथि, 22अपना सभ पर अपन छाप लगौने छथि, बेनाक रूप मे अपन पवित्र आत्‍मा केँ अपना सभक हृदय मे वास करौने छथि।
23हम परमेश्‍वर केँ साक्षी मानि कऽ कहैत छी जे हम एहि लेल दोहरा कऽ कोरिन्‍थ नगर नहि अयलहुँ जे अहाँ सभ केँ दुःख नहि पहुँचाबी। 24हम सभ अहाँ सभक विश्‍वास पर अधिकार नहि जमाबऽ चाहैत छी, बल्‍कि अहाँ सभक आनन्‍दक लेल अहाँ सभक संगे-संग काज करऽ वला छी। अहाँ सभ तँ अपना विश्‍वास मे स्‍थिर छी।

Highlight

Copy

Compare

Share

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in