Bible App logo
Search Icon

1 थिसलुनिकी 5

5
प्रभु यीशुक अयबाक लेल तैयार रहू
1यौ भाइ लोकनि, कोन बात कहिया कखन होयत, ताहि सम्‍बन्‍ध मे किछु लिखबाक कोनो आवश्‍यकता नहि अछि, 2कारण, अहाँ सभ अपने नीक सँ जनैत छी जे, “प्रभुक दिन” ताहि तरहेँ अचानक आओत जाहि तरहेँ राति मे चोर अबैत अछि। 3लोक सभ कहैत रहत जे, “सभ शान्‍त आ सुरक्षित अछि,” तखन जहिना गर्भवती स्‍त्री पर अचानक बच्‍चा केँ जन्‍म देबाक कष्‍ट अबैत छैक, तहिना ओकरा सभ पर विनाश आओत, और ओकरा सभ केँ बचबाक कोनो उपाय नहि रहतैक। 4मुदा, यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ अन्‍हार मे नहि रहि रहल छी जे ओ दिन चोर जकाँ अहाँ सभ पर अचानक आबि जाय। 5अहाँ सभ केओ तँ इजोतक सन्‍तान छी, दिनक सन्‍तान छी। अपना सभ रातिक वा अन्‍हारक नहि छी। 6एहि लेल अपना सभ आन लोक सभ जकाँ सुतल नहि रही, बल्‍कि सतर्क रही आ अपना केँ वश मे राखी। 7कारण, जे सभ सुतैत अछि से रातिए मे सुतैत अछि आ जे सभ पिबि कऽ माति जाइत अछि सेहो रातिए मे मतैत अछि। 8मुदा अपना सभ जे छी, से दिनक छी आ तेँ विश्‍वास आ प्रेम केँ कवच जकाँ, और मुक्‍तिक आशा केँ टोप जकाँ पहिरि कऽ सतर्क रही। 9कारण, परमेश्‍वर अपना सभ केँ दण्‍ड पयबाक लेल नहि, बल्‍कि अपना सभक प्रभु यीशु मसीह द्वारा उद्धार पयबाक लेल चुनने छथि। 10प्रभु यीशु अपना सभक लेल एहि लेल मरलाह जे अपना सभ ⌞हुनकर फेर अयबाक समय मे⌟ चाहे जीवित होइ वा मरि गेल होइ#5:10 अक्षरशः “चाहे जीवित होइ वा सुति रहल होइ” , हुनका संग जीबी। 11तेँ अहाँ सभ एक-दोसर केँ प्रोत्‍साहित करू और विश्‍वास मे मजगूत बनाउ, जेना अहाँ सभ करितो छी।
किछु अन्‍तिम शिक्षा
12यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ सँ हमरा सभक आग्रह अछि जे, अहाँ सभक बीच जे सभ परिश्रम करैत छथि, आत्‍मिक देख-रेख करैत छथि और प्रभुक दिस सँ अहाँ सभ केँ शिक्षा आ चेतावनी दैत छथि, तिनका सभक आदर करिऔन। 13हुनका सभक काजक कारणेँ प्रेमपूर्बक हुनका सभक सम्‍मान करिऔन। एक-दोसरक संग मेल-मिलाप सँ रहू।
14यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ सँ हमरा सभक इहो आग्रह अछि जे, आलसी भाय सभ केँ चेतावनी दिअ। जे केओ हिम्‍मत हारि लेने छथि, तिनका सभक हिम्‍मत बढ़ाउ। जे केओ कमजोर छथि तिनका सभक सहायता करू। सभक संग सहनशीलताक व्‍यवहार करैत धैर्य राखू। 15एहि बातक ध्‍यान राखू जे, केओ अधलाह व्‍यवहारक बदला अधलाह व्‍यवहार नहि करी, बल्‍कि सदिखन एक-दोसराक लेल आ सभ लोकक लेल भलाइ करैत रहबाक प्रयास करू।
16सदिखन आनन्‍दित रहू, 17लगातार प्रार्थना करैत रहू। 18प्रत्‍येक परिस्‍थिति मे परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दिऔन, कारण, अहाँ सभ जे मसीह यीशु मे छी तिनका सभ सँ परमेश्‍वर यैह बात चाहैत छथि। 19परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍माक आगि केँ नहि मिझाउ। 20परमेश्‍वरक दिस सँ पाओल-सुनाओल सम्‍बाद सभ केँ तुच्‍छ नहि बुझू। 21सभ बात केँ ठीक सँ जाँचू-बुझू और जे ठीक अछि ताहि मे दृढ़ रहू। 22सभ तरहक अधलाह बात सँ दूर रहू।
23शान्‍ति देबऽ वला परमेश्‍वर स्‍वयं अहाँ सभ केँ पूर्ण रूप सँ पवित्र करथि। ओ अहाँ सभक आत्‍मा, प्राण आ शरीर केँ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक अयबाक समय धरि निर्दोष आ सुरक्षित राखथि। 24ई काज ओ अवश्‍य करताह, कारण ओ जे अहाँ सभ केँ बजबैत छथि से विश्‍वासयोग्‍य छथि।
25यौ भाइ लोकनि, हमरा सभक लेल प्रार्थना करैत रहू। 26ओहिठामक सभ भाय लोकनि केँ हमरा सभक दिस सँ पवित्र प्रेमक संग नमस्‍कार कहिऔन।#5:26 अक्षरशः “26 पवित्र चुम्‍मा सँ सभ भाय केँ नमस्‍कार करू।” 27अहाँ सभ केँ प्रभुक समक्ष ई आज्ञा दैत छी जे, सभ भाय केँ ई पत्र पढ़ि कऽ सुनाओल जाय।
28अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक कृपा अहाँ सभ पर बनल रहय।

Highlight

Copy

Compare

Share

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in