1
1 थिसलुनिकी 5:16-18
jivən səndesh
mai
सदिखन आनन्दित रहू, लगातार प्रार्थना करैत रहू। प्रत्येक परिस्थिति मे परमेश्वर केँ धन्यवाद दिऔन, कारण, अहाँ सभ जे मसीह यीशु मे छी तिनका सभ सँ परमेश्वर यैह बात चाहैत छथि।
Compare
Explore 1 थिसलुनिकी 5:16-18
2
1 थिसलुनिकी 5:23-24
शान्ति देबऽ वला परमेश्वर स्वयं अहाँ सभ केँ पूर्ण रूप सँ पवित्र करथि। ओ अहाँ सभक आत्मा, प्राण आ शरीर केँ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक अयबाक समय धरि निर्दोष आ सुरक्षित राखथि। ई काज ओ अवश्य करताह, कारण ओ जे अहाँ सभ केँ बजबैत छथि से विश्वासयोग्य छथि।
Explore 1 थिसलुनिकी 5:23-24
3
1 थिसलुनिकी 5:15
एहि बातक ध्यान राखू जे, केओ अधलाह व्यवहारक बदला अधलाह व्यवहार नहि करी, बल्कि सदिखन एक-दोसराक लेल आ सभ लोकक लेल भलाइ करैत रहबाक प्रयास करू।
Explore 1 थिसलुनिकी 5:15
4
1 थिसलुनिकी 5:11
तेँ अहाँ सभ एक-दोसर केँ प्रोत्साहित करू और विश्वास मे मजगूत बनाउ, जेना अहाँ सभ करितो छी।
Explore 1 थिसलुनिकी 5:11
5
1 थिसलुनिकी 5:14
यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ सँ हमरा सभक इहो आग्रह अछि जे, आलसी भाय सभ केँ चेतावनी दिअ। जे केओ हिम्मत हारि लेने छथि, तिनका सभक हिम्मत बढ़ाउ। जे केओ कमजोर छथि तिनका सभक सहायता करू। सभक संग सहनशीलताक व्यवहार करैत धैर्य राखू।
Explore 1 थिसलुनिकी 5:14
6
1 थिसलुनिकी 5:9
कारण, परमेश्वर अपना सभ केँ दण्ड पयबाक लेल नहि, बल्कि अपना सभक प्रभु यीशु मसीह द्वारा उद्धार पयबाक लेल चुनने छथि।
Explore 1 थिसलुनिकी 5:9
7
1 थिसलुनिकी 5:5
अहाँ सभ केओ तँ इजोतक सन्तान छी, दिनक सन्तान छी। अपना सभ रातिक वा अन्हारक नहि छी।
Explore 1 थिसलुनिकी 5:5