सेल्याके यी स्पष्ट छै कि परमेश्वर ओकरासिके भी उहे दान देल्कै, जे दान हमरासिके प्रभु येशू ख्रीष्टसे विश्वास करिके मिल्लै ते, हमे परमेश्वरके रोकेवाला के छियै?” यी बात सुन्लके बाद यहूदी विश्वासीसब चुप भेलै, आर एरं कहते परमेश्वरके महिमा कैल्कै, “आब ते परमेश्वर गैर-यहूदी आदमीसिके भी कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके लिए पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके मौका देल्कै छे।”