जाति-जातिक लोक सभ क्रोधित भेल,
और आब अहाँक क्रोध प्रगट भऽ गेल अछि।
ओ समय आबि गेल अछि, जहिया मुइल लोक सभक न्याय कयल जयतैक,
और जहिया अहाँक सेवा करऽ वला प्रवक्ता सभ
आ अहाँक लोक सभ केँ पुरस्कार भेटतैक,
अर्थात् छोट-पैघ ओहि सभ लोक केँ जे अहाँक नामक भय मानैत अछि।
ओ समय आबि गेल अछि जहिया पृथ्वी केँ नष्ट-भ्रष्ट कयनिहार सभक विनाश कयल जयतैक।”