1
फिलिप्पी 3:13-14
jivən səndesh
mai
यौ भाइ लोकनि, हम नहि मानैत छी जे एखन तक हम ओहि लक्ष्य धरि पहुँचि गेल छी। मुदा हम एकटा काज करैत छी—जे पाछाँ अछि तकरा बिसरि कऽ आगाँ वला बातक लेल प्रयत्नशील रहैत छी। हम ओहि लक्ष्यक दिस बढ़ैत जा रहल छी जाहि सँ हम ओ पुरस्कार प्राप्त कऽ सकी जकरा लेल परमेश्वर मसीह यीशु द्वारा हमरा स्वर्ग दिस बजौने छथि।
Compare
Explore फिलिप्पी 3:13-14
2
फिलिप्पी 3:10-11
हँ, हम एही लेल सभ किछु त्यागि देने छी जाहि सँ हम मसीह केँ जानि ली, आ ओहि सामर्थ्यक अनुभव करी जकरा द्वारा ओ फेर जिआओल गेलाह, आ हुनकर दुःख भोगनाइ मे सहभागी बनि जाइ, और एहि तरहेँ जेहन ओ मृत्युक समय मे रहलाह तेहने हमहूँ बनी जाहि सँ चाहे किछुओ होअय हमहूँ मृत्यु सँ जिआओल जा सकी।
Explore फिलिप्पी 3:10-11
3
फिलिप्पी 3:8
एतबे नहि, बल्कि हम अपन प्रभु, मसीह यीशु केँ जानि लेनाइ सर्वश्रेष्ठ लाभ मानैत छी जकरा तुलना मे अन्य सभ बात केँ हानि बुझैत छी। हम हुनके लेल सभ किछु त्यागि देने छी, हँ, सभ केँ घृणाक वस्तु बुझैत छी, जाहि सँ हम ई लाभ उठाबी जे मसीह हमर बनि जाथि
Explore फिलिप्पी 3:8
4
फिलिप्पी 3:7
मुदा जाहि बात सभ केँ हम लाभ बुझैत छलहुँ तकरा आब मसीहक कारणेँ हानि बुझैत छी।
Explore फिलिप्पी 3:7