ओ वास्तव मे परमेश्वर छलाह,
मुदा तैयो ओ परमेश्वरक तुल्य रहबाक अधिकार केँ पकड़ने रहऽ वला वस्तु नहि बुझलनि।
तकरा बदला मे ओ अपन सभ किछु त्यागि देलनि
आ दासक स्वरूप धारण कऽ मनुष्य बनि गेलाह।
एहि तरहेँ मनुष्यक रूप मे रहि कऽ
ओ अपना केँ विनम्र बनौलनि
आ एतऽ तक आज्ञाकारी बनलाह जे मृत्यु, हँ, क्रूस परक मृत्यु सेहो, स्वीकार कयलनि।