1
2 तिमुथियुस 2:15
jivən səndesh
mai
अहाँ अपना केँ परमेश्वर द्वारा ग्रहणयोग्य व्यक्तिक रूप मे परमेश्वरक समक्ष प्रस्तुत करबाक पूरा प्रयत्न करू, अर्थात् एहन कार्यकर्ताक रूप मे जकरा लज्जित होयबाक कोनो कारण नहि होइक और जे सत्यक सिद्धान्त ठीक सँ सिखबैत होअय।
Compare
Explore 2 तिमुथियुस 2:15
2
2 तिमुथियुस 2:22
जवानीक अधलाह लालसा सभ सँ दूर भागू और ओहन लोक जे सभ निष्कपट हृदय सँ प्रभु सँ प्रार्थना करैत छथि, तिनका सभक संग अहूँ धार्मिकता, विश्वास, प्रेम आ शान्तिक जीवन बितौनाइ अपन लक्ष्य बनाउ।
Explore 2 तिमुथियुस 2:22
3
2 तिमुथियुस 2:24
ई जरूरी अछि जे प्रभुक सेवक लड़ाइ-झगड़ा मे नहि पड़थि, बल्कि सभ पर दया करथि। ओ योग्य शिक्षक होथि आ सहनशील होथि।
Explore 2 तिमुथियुस 2:24
4
2 तिमुथियुस 2:13
जँ हम सभ अविश्वास करब, तैयो ओ विश्वासयोग्य बनल रहताह, किएक तँ ओ अपन स्वभावक विरुद्ध नहि जा सकैत छथि।
Explore 2 तिमुथियुस 2:13
5
2 तिमुथियुस 2:25
ई जरूरी अछि जे ओ विरोध कयनिहार सभ केँ नम्रतापूर्बक बुझबथि, ई आशा राखि जे परमेश्वर ओकरा सभ केँ अपना पापक लेल पश्चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करबाक आ सत्य केँ चिन्हि सकबाक बुद्धि देथिन
Explore 2 तिमुथियुस 2:25
6
2 तिमुथियुस 2:16
परमेश्वर केँ अपमानित करऽ वला निरर्थक बकवाद सँ दूर रहू, किएक तँ ओहन बकवाद करऽ वला लोक सभ आरो अधार्मिक भऽ जाइत अछि
Explore 2 तिमुथियुस 2:16