एहि बात मे सन्देह नहि जे, परमेश्वर द्वारा प्रगट कयल सत्यक रहस्य महान् अछि—
ओ मनुष्यक रूप मे प्रगट भेलाह,
पवित्र आत्मा द्वारा सत्य प्रमाणित भेलाह,
स्वर्गदूत सभ केँ देखाइ देलथिन,
जाति-जाति सभ मे हुनकर प्रचार भेलनि,
संसार मे हुनका पर विश्वास कयल गेल,
ओ महिमाक संग स्वर्ग मे उठाओल गेलाह।