हम सभ अपना प्रार्थना मे अहाँ सभ गोटे केँ स्मरण कऽ कऽ अहाँ सभक लेल परमेश्वर केँ सदिखन धन्यवाद दैत छियनि। अहाँ सभक काज, जे विश्वास सँ प्रेरित होइत अछि, परिश्रम, जे प्रेम सँ प्रेरित होइत अछि, आ सहनशीलता, जे ओहि आशा सँ प्रेरित होइत अछि जे अहाँ सभ अपना सभक प्रभु यीशु मसीह पर रखने छी, तकरा सभ केँ हम सभ अपन पिता परमेश्वरक सम्मुख हरदम मोन रखैत छी।