1
1 कोरिन्थी 3:16
jivən səndesh
mai
की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे अहाँ सभ गोटे मिलि कऽ परमेश्वरक मन्दिर छी आ परमेश्वरक आत्मा अहाँ सभ मे वास करैत छथि?
Compare
Explore 1 कोरिन्थी 3:16
2
1 कोरिन्थी 3:11
किएक तँ जे न्यो राखल गेल अछि तकरा छोड़ि कोनो दोसर नहि राखल जा सकैत अछि आ ओ न्यो छथि यीशु मसीह।
Explore 1 कोरिन्थी 3:11
3
1 कोरिन्थी 3:7
ने तँ बाउग करऽ वलाक कोनो महत्व अछि आ ने पानि पटाबऽ वलाक, बल्कि ओकरा बढ़ाबऽ वला परमेश्वरे सभ किछु छथि।
Explore 1 कोरिन्थी 3:7
4
1 कोरिन्थी 3:9
हम सभ परमेश्वरेक सेवा मे सहकर्मी छी; अहूँ सभ परमेश्वरेक खेत आ परमेश्वरेक भवन छी।
Explore 1 कोरिन्थी 3:9
5
1 कोरिन्थी 3:13
तँ ओकर ओ काज स्पष्ट देखाओल जायत किएक तँ न्यायक दिन ओहि काज केँ देखार कऽ देत। ओ दिन आगिक संग प्रगट होयत, आ ओ आगि प्रत्येक गोटेक काजक जाँच करत जे ओ केहन अछि।
Explore 1 कोरिन्थी 3:13
6
1 कोरिन्थी 3:8
बाउग करऽ वला आ पानि पटाबऽ वला एके लक्ष्य राखि कऽ काज करैत अछि आ प्रत्येक अपने परिश्रमक अनुरूप इनाम पाओत।
Explore 1 कोरिन्थी 3:8
7
1 कोरिन्थी 3:18
केओ अपना केँ धोखा नहि दओ। जँ अहाँ सभ मे सँ केओ अपना केँ संसारक दृष्टि मे बुद्धिमान बुझैत होइ तँ असल बुद्धिमान बनबाक लेल अपना केँ “मूर्ख” बना लिअ
Explore 1 कोरिन्थी 3:18