मत्ती 1
1
यीशुक वंशावली
(लूका 3:23-38)
1यीशु मसीहक वंशावली एहि तरहेँ अछि। ओ दाऊदक वंशज#1:1 अक्षरशः “पुत्र” छलाह, आ दाऊद अब्राहमक वंशज*।
2अब्राहम सँ इसहाकक जन्म भेलनि।
इसहाक सँ याकूबक,
आ याकूब सँ यहूदा और हुनकर भाय सभक जन्म भेलनि।
3यहूदा सँ पेरस और जेरहक जन्म भेलनि, जिनकर सभक मायक नाम तामार छलनि।
पेरस सँ हेस्रोनक
आ हेस्रोन सँ अरामक जन्म भेलनि।
4अराम सँ अमीनादाबक,
अमीनादाब सँ नहशोनक
आ नहशोन सँ सलमोनक जन्म भेलनि।
5सलमोन सँ बोअजक जन्म भेलनि, जिनकर माय राहाब छलीह।
बोअज सँ ओबेदक जन्म भेलनि, जिनकर माय रूथ छलीह।
ओबेद सँ यिशयक जन्म भेलनि।
6यिशय सँ राजा दाऊदक जन्म भेलनि।
दाऊद सँ सुलेमानक जन्म भेलनि। सुलेमानक माय पहिने उरियाहक स्त्री भेल छलीह।
7सुलेमान सँ रेहोबामक,
रेहोबाम सँ अबियाहक,
और अबियाह सँ आसाक जन्म भेलनि।
8आसा सँ यहोशाफातक,
यहोशाफात सँ योरामक,
आ योराम सँ उजियाहक जन्म भेलनि।
9उजियाह सँ योतामक,
योताम सँ आहाजक,
और आहाज सँ हिजकियाहक जन्म भेलनि।
10हिजकियाह सँ मनश्शेक,
मनश्शे सँ आमोनक,
और आमोन सँ योशियाहक जन्म भेलनि।
11जाहि समय मे इस्राएली सभ बन्दीक रूप मे बेबिलोन देश लऽ जायल गेलाह, ताहि समय मे योशियाह सँ यकोन्याह आ हुनकर भाय सभक जन्म भेलनि।
12इस्राएली सभ केँ बेबिलोन मे लऽ जायल गेलाक बाद
यकोन्याह सँ शालतिएलक,
आ शालतिएल सँ जरुब्बाबेलक जन्म भेलनि।
13जरुब्बाबेल सँ अबीहूदक,
अबीहूद सँ एलयाकीमक,
और एलयाकीम सँ अजोरक जन्म भेलनि।
14अजोर सँ सदोकक,
सदोक सँ अखीमक,
और अखीम सँ एलिहूदक जन्म भेलनि।
15एलिहूद सँ एलिआजरक,
एलिआजर सँ मत्तानक,
और मत्तान सँ याकूबक जन्म भेलनि।
16याकूब सँ यूसुफक जन्म भेलनि, जे मरियमक पति भेलाह, आ मरियम सँ यीशुक जन्म भेलनि जे “मसीह” कहबैत छथि।
17एहि तरहेँ गनला सँ अब्राहम सँ दाऊद धरि चौदह पीढ़ी, दाऊद सँ बेबिलोनक बन्दी जीवन धरि चौदह पीढ़ी आ बेबिलोनक बन्दी जीवन सँ उद्धारकर्ता-मसीह धरि चौदह पीढ़ी होइत अछि।
यीशुक जन्म
(लूका 1:26-38; 2:1-7)
18यीशु मसीहक जन्मक वृत्तान्त एना अछि—हुनकर माय मरियमक विवाह यूसुफ सँ होयब निश्चित भेल रहनि। मुदा हुनका सभक वैवाहिक जीवनक सम्पर्क होयबा सँ पहिनहि मरियम परमेश्वरक पवित्र आत्मा द्वारा गर्भवती भऽ गेलीह। 19हुनकर वर यूसुफ धार्मिक विचारक लोक होयबाक कारणेँ, मरियमक कोनो तरहक बदनामी नहि होनि, से सोचि, हुनका चुप-चाप त्यागि देबाक विचार कयलनि। 20ओ ई बात मोने-मोन सोचिए रहल छलाह कि परमेश्वरक एकटा स्वर्गदूत सपना मे दर्शन दऽ कऽ हुनका कहलथिन जे, “हौ दाऊदक वंशज यूसुफ, तोँ मरियम केँ अपन स्त्री मानि अपना लग आनऽ सँ नहि डेराह! कारण, जे हुनका गर्भ मे छनि से परमेश्वरक पवित्र आत्माक दिस सँ छनि। 21ओ एकटा पुत्र केँ जन्म देतीह, आ तोँ हुनकर नाम यीशु#1:21 इब्रानी भाषा मे “यीशु”क अर्थ अछि “मुक्ति देनिहार” रखिहह, किएक तँ ओ अपन लोक सभ केँ ओकरा सभक पाप सँ मुक्ति देथिन।” 22ई सभ एहि लेल भेल जे, परमेश्वरक बात पूरा होअय जे ओ अपन प्रवक्ताक माध्यम सँ कहने छलाह— 23“देखह, एक कुमारि कन्या गर्भवती होयतीह, ओ एक पुत्र केँ जन्म देतीह आ हुनकर नाम ‘इम्मानुएल’ राखल जयतनि,”#1:23 यशा 7:14 जकर अर्थ अछि, “परमेश्वर हमरा सभक संग छथि।”
24तखन यूसुफ निन्द सँ जागि गेलाह आ परमेश्वरक स्वर्गदूतक आज्ञानुसार मरियम केँ अपना पत्नीक रूप मे अपना ओहिठाम लऽ अनलथिन। 25ओ मरियमक संग वैवाहिक जीवनक सम्बन्ध ताबत धरि स्थापित नहि कयलनि जाबत धरि मरियम पुत्र केँ जन्म नहि दऽ देलथिन। पुत्रक जन्म भेला पर यूसुफ हुनकर नाम यीशु रखलथिन।
اکنون انتخاب شده:
मत्ती 1: mai
هایلایت
کپی
مقایسه
به اشتراک گذاشتن
می خواهید نکات برجسته خود را در همه دستگاه های خود ذخیره کنید؟ برای ورودثبت نام کنید یا اگر ثبت نام کرده اید وارد شوید
©2010 The Bible Society of India and © Wycliffe Bible Translators, Inc.