YouVersion Logo
Search Icon

मत्ती 2

2
पुरुब महरसे बुद्धिमान आदमीसब येशूके दर्शन करैले ऐलै
1जब हेरोद राजा यहूदिया प्रदेशमे शासन कर्ते रहै, तब येशूके जनम उहे प्रदेशके बेथलेहेम गाँवमे भेलै। पुरुब देशके बुद्धिमान आदमीसब जे तारासिके अध्ययन कर्ते रहै यरूशलेम सहरमे ऐलै आर ऊसब आदमीसिके पुछल्कै, 2“ऊ बच्चा कते छै जे यहूदी आदमीसिके राजा बनैके लिए जनमलै छे? कहिनेकी हमेसब ओकर जनम भेल बात बताबेवाला तारा#२:२ ओकर जनम भेल बात बताबेवाला तारा आदमीसब मान्ते रहै कि जब कोय राजा या विशेष आदमीके जनम हैछै ते एकटा तारा दिखाई दैछै आर उटा ओकर तारा बनी जैछै। के आपन देशमे देखिके यरूशलेम सहरमे ओकर आगुमे झुकिके आराधना करैले ऐलियै छे।”
3जब हेरोद राजा यहूदी आदमीसिके राजाके जनमके बारेमे सुनल्कै, तब ऊ परेशान भेलै, आर ओकरसंगे यरूशलेम सहरके बहुते आदमीसब भी परेशान भेलै। 4तब हेरोद राजा सभे प्रमुख पुजारीसब आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके जमा करिके ओकरासिके पुछल्कै, “ख्रीष्टके जनम हुएवाला जगहके विषयमे धरमशास्त्र कि कहैछै?” 5ऊसब हेरोद राजाके जबाब देल्कै, “ख्रीष्टके जनम यहूदिया प्रदेशके बेथलेहेम गाँवमे हैतै। कहिनेकी परमेश्वरके वक्ता मीका बहुते पहेला लिखल्कै रहे जे परमेश्वर कहैल्कै रहे:
6‘हे यहूदिया प्रदेशके बेथलेहेम गाँवके आदमीसब!
तुहें यहूदिया प्रदेशके शासकसिके बिच्चेमे महान छै,
कहिनेकी तोरामे से एकटा आदमी ऐतौ जे शासक बन्तौ,
आर उहे चरवाहाके जुगुर हमर इस्राएलीसिके देखभाल कर्तै।’ ”
7तब हेरोद राजा उटा जनमल बच्चाके उमेर जानैके लिए बुद्धिमान आदमीसिके गुप्तमे बोल्याके तारा देखा पड्ल ठीक समय ओकरासिसे पता लगैल्कै। 8तब हेरोद राजा बुद्धिमान आदमीसिके एरं कहिके बेथलेहेम गाँव भेजल्कै, “जो आर ठीकसे ऊ बच्चाके खोजी कर। जब ऊ बच्चा मिल्तौ, तब हमरलगत वापस या आर जे कुछु तुहेंसब देख्भैं, उटा बात हम्रहौ बता ताकी हम्हुँ जैके ओकर आगुमे झुकिके आराधना करे सकियै।”
9-10तब राजाके बात सुनिके ऊसब ओत्तेसे चल गेलै। आर रस्तामे ऊसब उहे तारा देखल्कै जेटा तारा ऊसब आपन देशमे देखल्कै रहे। जब ऊसब उटा ताराके देखल्कै ते ऊसब खुश भेलै। यी तारा ओकरसिके आगु-आगु गेलै जबतक कि उटा तारा उटा घरमे नैरुक्लै जते बच्चा उटा समयमे रहै।
11जब ऊसब उटा घरके भितरमे गेलै, तब बच्चाके ओकर मयाँ, मरियमके संगमे देखल्कै। तब ऊसब बच्चाके आगुमे झुकिके आराधना कैल्कै। तब ऊसब आपन थैली खोलीके सोना, गमकौव्वा धुप#२:११ धुप एरंको किसिमके धुप जकर मिठा सुगन्ध हैछै आर यी महँगा हैछै आर मुर्र नामके गमकौव्वा तेल दान चढैल्कै। 12आर ऊसब हेरोद राजा लगत वापस नैजैके विषयमे सपनामे परमेश्वरसे चेतावनी पैल्कै, सेल्याके ऊसब हेरोद राजाके यी बातके खबर नैदेल्कै आर दोसर रस्ता द्याके आपन देशमे गेलै।
योसेफ आपन परिवारके ल्याके मिश्र देशमहर भाग्लै
13बुद्धिमान आदमीसब ओत्तेसे आपन देश गेलके बाद, एकटा परमेश्वरके स्वर्गदूत सपनामे योसेफ लगत प्रकट भेलै आर ऊ एरं कहैल्कै, “उठ्, बच्चा आर ओकर मयाँके संगमे ल्याके मिश्र देशमे भागिके चल जो, आर जबतक हमे वापस या कहिके नैकहबौ तबतक तुहेंसब ओथै रहिहैं। कहिनेकी हेरोद राजा बच्चाके मारैले ओकर खोजी करैछै।” 14तब ऊ उठिके फुल्ला बच्चा आर ओकर मयाँके संगमे ल्याके रातीए मिश्र देशमे चल गेलै। 15तब हेरोद राजा जबतक नैमर्लै ऊसब मिश्र देशमे ही रहलै। परमेश्वरके वक्ता होशेद्वारा बहुते पहेला कहेल परमेश्वरके वचन पुरा हुऐले एरं भेलै,
“हमे आपन बेटाके मिश्र देशसे बोलैलियै।”
हेरोद राजा बच्चासिके जान मारैले लगैल्कै
16जब बुद्धिमान आदमीसब हेरोद राजाके छकैल्कै कहिके ओकरा मालुम भेलै, तब ऊ गोस्सासे चुरचुर भेलै। ऊ सिपाहीसिके भेजल्कै कि ऊसब बेथलेहेम गाँव आर ओकर अगल-बगलके सभे बेटा बच्चासिके मारि दै, जे दी साल आर ओकरासे कम उमेरके रहै। यी बुद्धिमान आदमीसिके द्वारा बतैल तारा सबसे पहेला बेर दिखाई दियैके विवरणके आधारमे रहै। 17परमेश्वरके वक्ता यर्मियाद्वारा बहुते पहेला कहेल परमेश्वरके वचन पुरा हुऐले एरं भेलै,
18“रामा गाँवमे#२:१८ रामा गाँवमे रामा एकटा एरंको जगह रहै, जते दाऊद राजाके वंशज रहते रहै। आदमीसब जनानीके कान्ल आवाज सुनल्कै,
जोर-जोरके कानन-बाजन आर विलापके बडका आवाज,
राहेल#२:१८ राहेल राहेल याकूबके पतनी रहै। आपन बच्चासिके लिए कान्ते रहै,
सान्त्वना ऊ इन्कार कैल्कै, कहिनेकी ओकर बच्चासब मरि गेलै।”
19जब योसेफ, मरियम आर बच्चा येशू मिश्र देशमे ही रहै, तब हेरोद राजा मर्लै। तकरबाद परमेश्वरके एकटा स्वर्गदूत सपनामे योसेफ लगत मिश्र देशमे देखा पड्लै, आर ओकरा एरं कहैल्कै, 20“उठ्, बच्चा आर ओकर मयाँके संगमे ल्याके इस्राएल देशमे जो, कहिनेकी हेरोद राजा आर ओकर आदमीसब मरि गेलै छे, जेसब बच्चाके जान मारैले चहते रहै।” 21तब ऊ उठिके बच्चा आर मयाँके संगमे ल्याके मिश्र देश छोडी देल्कै आर इस्राएल देशमे चल गेलै। 22मगर हेरोद राजाके बेटा अर्खिलाउस यहूदिया प्रदेशमे राजा भेल छै कहिके सुनिके योसेफके ओत्ते जैले डर भेलै। तब फेर परमेश्वरसे सपनामे चेतावनी पाबिके ऊसब गालील जिलामे गेलै। 23आर ओथै नासरत गाँवमे जैके रहे लाग्लै। जे बात परमेश्वरके वक्तासब येशूके विषयमे बतैल्कै रहे से बात पुरा हुऐले एरं भेलै,
“ओकरा नासरी कहेल जैतै।”

Currently Selected:

मत्ती 2: KYVNT

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy