YouVersion Logo
Search Icon

२ थेसलोनिकी 2

2
पापके आदमी यानिकी विनाशके बेटा
1हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके फेर वापस आबैके विषयमे आर फेर ओकरासे भेट करैके समयके विषयमे हमेसब तोरासिके कुछु लिखैले चाहैछियौ। 2यदि तुहेंसब प्रभु येशूके वापस आबैके दिन आबी गेलै छे कहिके सुन्भैं ते आपन मनमे आसानीसे निराश नैहइहैं या नैडरइहैं। यी हमे लिख्लियै छे कहिके कोय यी बात आत्मिक दर्शनमे या प्रकाशमे या कोनो चिट्ठीमे तोरासिके कहे सकैछौ। 3कोय कोनो किसिमसे तोरासिके प्रभु आबैके विषयमे धोखा नैदौ। कहिनेकी प्रभु येशू वापस आबैसे पहेला एरंको समय ऐतै जब आदमीसब परमेश्वरके विरुद्धमे हैतै आर दुष्ट आदमी दिखाई पड्तै जकरा परमेश्वर जरुर ही नरकमे नाश कर्तै। 4ऊ परमेश्वर आर दोसर सभे चीजसिके विरोध कर्तै जकरा आदमीसब आराधना करैछै आर ईश्वर कहैछै, आर ऊ दाबी कर्तै कि ऊ सभे चीजसे बेसी महत्वपूर्ण छै। ऊ दुष्ट आदमी परमेश्वरके मन्दिरमे बैठिके सभे आदमीके समनामे अपने आपके परमेश्वर कहतै। 5हमे तोरसिके संगे रहै बेरियाँ तोरासिके अक्सर कहेल यी बातसब नैभुल। 6एखनतक ऊ ख्रीष्ट विरोधी दिखाई नैदेल्कै छे कहिनेकी कोनो चीज ओकरा रोकैछै। जरुर ही तोरासिके मालुम छौ कि कोन बात ओकरा रोकैछै। सेल्याके, जब परमेश्वरके तय कैल समय ऐतै तब ऊ ख्रीष्ट विरोधी दिखाई पड्तै। 7वास्तवमे, दुष्ट आदमीके शक्तिसब आदमीसिके पहलहैसे गुप्त रुपमे परमेश्वरके विधि-विधान अस्वीकार करैले लगाबैछै। मगर जे आदमीके परमेश्वरसे अलग करैले खोजैछै परमेश्वर ओकरा नैहटाबै तक ऊ उटा काम कर्तहैं रहैछै। 8सेल्याके, जब ख्रीष्ट विरोधीके रोकेवाला चीजके हटैल जैतै तब येशू ख्रीष्ट दिखाई पड्तै। तब उटा ख्रीष्ट विरोधीके प्रभु येशू नाश करैके आदेश द्याके आर ओकर फेर वापस आबैके महिमा देख्याके शक्तिहीन बनैतै।
9ऊ ख्रीष्ट विरोधीसंगे शैतानके शक्ति हैतै आर सभे किसिमके झुट्ठा चमत्कारसब, चिन्हसब आर अदभुत कामसब कर्तै जे आदमीसिके यी सोचैले लगैतै कि यीसब काम परमेश्वर करैछै। 10ऊ आदमीसब जे निश्चित रुपसे परमेश्वरद्वारा नाश हुऐके लिए तोक्ल छै। ओकरासिके हरेक किसिमके दुष्ट कामसिके द्वारा धोखा देतै, कहिनेकी ऊसब ओकरासिके बचाबेवाला सचके विश्वास करैले अस्वीकार करैछै। 11सेल्याके परमेश्वर ओकरासिके धोखा देतै ताकी ऊसब झुट्ठा बात पर विश्वास करै। 12आर परमेश्वर ऊ सभे आदमीसिके दोषी ठहरैतै जेसब येशू ख्रीष्टके विषयमे सच्चा सन्देशपर विश्वास नैकरैछै मगर दुष्ट तरिकाके प्रेम करैछै।
दृढ बनिके र
13हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एत्ते तोरसिके लिए परमेश्वरके समनामे हमरसिके सभे दिन धन्यवाद देना सही छै। तुहेंसब प्रभुके प्यारा छैं, कहिनेकी परमेश्वर संसारके सृष्टिके शुरुसे ही पवित्र आत्माद्वारा तोरासिके पापसे अलग करिके आर येशू ख्रीष्टके बारेमे सच्चा सन्देशमे विश्वास करैके कारण उद्धारके लिए चुनी लेल्कौ छे। 14परमेश्वर हमरसिके प्रचार कैल खुश-खबरीके तोरासिके उद्धार पाबैके लिए प्रयोग कैल्कै ताकी आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके आदरमे तुहेंसब भी सामिल हुए सक्हैं। 15सेल्याके विश्वासी भ्या-बहिनसब, मजगुत भ्याके खडा हु, आर हमेसब तोरसिके संगे व्यक्तिगत रुपमे आर चिट्ठीसिमे बात करैबेरियाँ देल शिक्षामे निरन्तर विश्वास कर। 16हमेसब आपन प्रभु येशू ख्रीष्ट आर परमेश्वर पितासंगे प्रार्थना करैछियै जे अपनासिके प्रेम कैल्कै आर जे आपन अनुग्रहसे अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला उत्साह आर दृढ आशा देल्कै। 17हमेसब यी भी प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट आर परमेश्वर पिता तोरसिके हृदयके साहाससे भरि दौ आर तोरासिके सभे दिन बढियाँ काम करैले आर सच बोलैके लिए मजगुत बनाबौ।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in