मती 11
11
बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके सबाल
(लुका ७:१८-३५)
1येसु आपन बारहो चेलासबके यि बातके आदेस देलाके बाद ओतेसे चैलगेलै। तब उ गालिल परदेसके सहरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै आ सुसमाचार परचार करेलाग्लै।
2जब बप्तिस्मा दैबला युहन्ना जहलेमे खिरिस्टके कामके चरचा सुनल्कै, तब उ आपन चेलासबके यि बात पुछैले ओकरलग पठाइल्कै, 3“उ जे आबैबला छै, से अहै चियै, कि हमसब दोसरके पेरा ताकु?” 4येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “जे कुछ तुसब सुनैचिही आ देखैचिही, से सब बात ज्याके युहन्नाके सुन्यादहै- 5अन्हरासब देखैछै, नेङरासब चलैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब सुध हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जि जाइछै आ दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।#यसैया ३५:५-६, यसैया ६१:१ 6उ धैनके चियै, जे हमर उपर संका नै करैछै।” 7तब बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके चेलासब गेलाकेबाद येसु भिरके लोकसबके युहन्नाके बारेमे कहल्कै, “तुसब उजार जगहमे कथी देखे गेल छेल्ही? कि हबामे हिलैत नरकटके? 8तब कथी देखैले गेल छेल्ही? कि असल-असल बस्तर पिन्हल लोकके? असल-असल बस्तर पिन्हैबलासब त राजदरबारमे रहैछै। 9तुसब कथी देखे गेल छेल्ही? कि कोनो अगमबक्ताके देखैले? हँ हम तोरासबके कहैचियौ, अगमबक्तोसे बरका लोकके देखलिही। 10यि ओह्या चियै जकर बारेमे पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै,
‘देख, हम आपन दुतके तोहर अगा-अगा पठाइबौ
जे तोहर खातिर रस्ता तयार करतौ।’ #
मलाकी ३:१
11 “हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, बप्तिस्मा दैबला युहन्नासे बरका कोइ नै कहियो जलम लेने छै, तैयो स्वरगके राजमे जे सबसे छोट छै, से कोइ युहन्नासे बरका छै। 12बप्तिस्मा दैबला युहन्नेके बखतसे अखुनतक स्वरगके राज जोरतोरसे अगा बैढरहल छै, तब जबरदस्ती करैबला लोकसब स्वरगके राजके बिरोध कैररहलछै।#लुका १६:१६ 13कथिलेत बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके बखत तक मोसाके बेबस्था आ सब अगमबक्तासब परमेस्वरके राजके बारेमे भबिसबानी करनेरहै। 14यदि तुबस यि बात सुइकार करैले तयार चिही त सुन, युहन्ने एलिया चियौ, जे फेनो आबैबला छै।#मलाकी ४:५, मती १७:१०-१३ 15जकरा सुनैबला कान छै, उ धियानसे सुइनके बुझ।
16 “आब हम आइ काइलके लोकसबके कथिसे नाप्बै? यि सब त चौक चौराहामे खेलैबला बच्चासब जखाछै, जे एक-दोसरके कहैछै,
17 ‘हमसब तोरासबके खातिर बौसली बजेलियौ, तैयो तुसब नै नाचलिही।
तोरासबके खातिर बिलापके गित गाबलियौ महज तुसब सोक नै करलिही।’
18 “कथिलेत युहन्ना लोकसब जखा खाइत-पियैत नै एलै, तैयो तुसब ओकरा भुत लागल छै कैहके कहैचिही। 19मानबके बेटा खाइत-पियैत एलौ, तब तुसब कहैचिही, ‘देख, एकटा खाधुस, पियक्कर, बटी उठाइबलासब आ पापीसबके सङी!’ महज परमेस्वरके बुइध असल छै, से बात ओकर कामेसे परमानित हैछै।”
पस्चाताप नै करैबला नगरसबके धिक्कार
(लुका १०:१३-१५)
20तकरबाद येसु जै-जै नगरसबमे सबसे बेसी अजगुतके कामसब करनेरहै, तैसबके उ धिक्कारे लाग्लै, कथिलेत ओतेका लोकसब आपन पापके खातिर पस्चाताप नै करनेरहै।
21 “धिक्कार तोरा खोराजिनके बासिसब! आ धिक्कार तोरा बेथसेदाके बासिसब! कथिलेत तोरासबके बिचमे करलाहा अजगुतके कामसब टुरोस आ सिदोन सहरमे करनेरहतीयै त ओतेका लोकसब आपन-आपन पाप माइनके बोराके बस्तर लग्याके छौरमे बैठके पस्चाताप करतियै। #
यसैया २३:१-१८, इजकिएल २६:१-२८:२६, योएल ३:४-८, आमोस १:९-१०, जकरिया ९:२-४ 22महज हम तोरासबके कहैचियौ, नियायके दिनमे टुरोस आ सिदोनके लोकसबके दुखसे बेसी तोरासबके दुख बेसी हेतौ।
23 “हे कफरनहुमके लोकसब, कि तुसब स्वरगतक ज्याके आदर पैब्ही कैहके सोचैचिही? तुसब त पतालमे खसाएल जेब्ही। कथिलेत जे अजगुतके कामसब तोरासबके बिचमे करल गेलछौ से कामसब सदोममे करने रहतियै त आइतक रहतियै। #
यसैया १४:१३-१५, उतपती १९:२४-२८ 24महज हम तोरासबके कहैचियौ, नियायके दिनमे सदोमसे बेसी दसा तोरासबके हेतौ।”#मती १०:१५, लुका १०:१२
थाकलसबके बिसराम
(लुका १०:२१-२२)
25 ओहै बखत येसु कहल्कै, “हे पिता स्वरग आ पिरथिबीके मालिक, हम अहाँके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेत यि बातसब अहाँ बुधिमान आ बिदवान सबसे घोसाइरके राखलियै, महज बच्चासबमे परगट करलियै। 26हँ पिता, कथिलेत अहाँके अहिनङ करैले असल लागल।
27 “हमर पिता हमरा सब चिज सोइपदेने छै। बेटा के चियै से पिता बाहेक कोइ नै चिन्हैछै, पिताके चियै से बेटा बाहेक कोइ नै चिन्हैछै महज बेटा जेकरासबके चिन्हादैछै उसब मातरे पिताके चिन्हैछै। #
युहन्ना ३:३५, युहन्ना १:१८, १०:१५
28 “हे सब थाकल आ बोझसे दाबल लोकसब, हमरलग या, हम तोरासबके बिसराम देबौ। 29हमर जुवा आपन उपर उठा आ हमरसे सिख, कथिलेत हम दयालु आ नरम हिरदयके चियौ, तब तोरासबके आत्माके बिसराम मिल्तौ।#यरमिया ६:१६ 30कथिलेत हमर जुवा असान छै आ जे भारी हम बोकाइबौ उ हलुक छै।”
Currently Selected:
मती 11: MTHB
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: