YouVersion Logo
Search Icon

परेरित 23

23
1तब पावल महासभा दिसन एकटक लग्‍याके ताकल्‍कै आ कहल्‍कै, “हौ भैयारीसब, हम आपन सुध मनसे परमेस्‍वरके नजरमे आइके दिनतक निरदोस जिबन बिताइने चियै।” 2यि बात सुइनके परधान पुजारी हननिया ओकर लगमे ठारभेल लोकसबके आदेस दैत कहल्‍कै, “पावलके मुहमे थापर लगा।” 3महज पावल हननियाके कहल्‍कै, “हे कपटी लोक!#२३:३ हे कपटी लोक- हे चुनासे निपल भिता! परमेस्‍वर तोरो ओहिनङ करतौ। तु नियम अनुसार हमर नियाय करैले बैठल चिही तैयो नियम बिपरित हमरा मारैले आदेस करैचिही?” 4लगमे ठारभेल लोकसब कहल्‍कै, “कि तु परमेस्‍वरके परधान पुजारीके अपमान करैचिही?” 5तब पावल जबाफ देल्‍कै, “भाइसब, हमरा थाह नै छेलै कि उ परधान पुजारी चियै। धरमसास्‍तरमे लिखल छै, ‘तु आपन परजाके सासकके बिरोधमे नै बोल।’”
6जब पावल ओइ महासभामे सदुकी आ फरिसी दलके लोकसब छै से थाह पाबल्‍कै तब जोरसे कहल्‍कै, “हौ भाइ-भैयारीसब, हम फरिसीके बेटा फरिसीये चियै। मरल लोकसब फेनो जिबित हैछै तैमे बिस्‍बास करलाके कारन हमर यि उपर मुदा चैलरहल छै।”
7पावलके एहेन बात सुइनके फरिसीसब आ सदुकीसबमे मनमोटाब भेलै आ सभा फुइट गेलै। 8(कथिलेत सदुकीसब मरल लोकसब फेनो जिबित हैछै, स्‍वरगदुतसब आ आत्‍मासब छै कैहके बिस्‍बास नै करैछेलै महज फरिसीसब यि बातमे बिस्‍बास करैछेलै।) 9तब ओते जोरतोरसे होहल्‍ला भेलै आ फरिसी दलके कुछ धरमगुरुसब खरा भ्‍याके सदुकीसबके घोर बिरोध करैत कहल्‍कै, “हमसब यि लोकमे कोनो दोस नै देखलियै। यदि अइ लोकसे आत्‍मा या स्‍वरगदुते बोल्‍तै त कथी भेलै!”
10जब ओइसबमे मतभेद बरहैत गेलै तब सेनापती डेरागेलै जे पावलके उसब टुकरा टुकरा कैर नै दै। तैल्‍याके उ सैनिकसबके निचा ज्‍याके पावलके ओइसबके बिचसे जबरजस्‍तीसे गढ़मे लजाइले आग्‍या करल्‍कै।
11ओहै रात परभु पावलके लगमे खरा भ्‍याके कहल्‍कै, “पावल, साहस कर! कथिलेत जहिना यरुसलेममे हमर बारेमे गबाही देने छेल्‍ही तहिना तोरा रोममे सेहो गबाही दैले परतौ।”
पावलके मारैके योजना
12तब बिहाने यहुदीसब एक-आपसमे मिलके सल्‍लाह करल्‍कै आ किरिया खेल्‍कै, “जाबेतक पावलके नै मारबै ताबेतक हमसब नै कुछो खेबै नै पिबै।” 13यि योजना बनाइबला चालिस गोरेसे बेसी छेलै। 14तकरबाद उसब मुल पुजारीसब आ यहुदी अगुवासब लग ज्‍याके कहल्‍कै, “पावलके नै मारैतक हमसब कुछो नै खेबै कैहके किरिया खेनेचियै। 15तैखातिर अहाँसब आ महासभा मिलके सेनापतीके निबेदन करु कि, ओकर मुदाके निरनय औरो निकसे करेपरतै कैहके बहाना बनाके ओकरा अते आन। तब अते उ आबैसे पहिने हमसब ओकरा जानसे माइर देबै।”
16जब पावलके भैगना यि योजनाके बारेमे थाह पाबल्‍कै तब गढ़मे ज्‍याके पावलके सुन्‍यादेल्‍कै। 17तखुन्‍ते पावल एकटा कप्‍तानके बोल्‍याके कहल्‍कै, “यि छौराके सेनापती लग पुगादहै, कथिलेत उ ओकरा कुछो कहैले चाहैछै।” 18तब कप्‍तान पावलके भैगनाके सेनापती लग पुगादेल्‍कै आ कहल्‍कै, “बन्‍दी पावल हमरा बोल्‍याके यि छौराके अहाँ लग ल्‍याजो कहल्‍कै, कथिलेत अहाँके कुछो बात कहेके छै।”
19तब सेनापती उ छौराके हाथ पकैरके एक कातमे लज्‍याके पुछल्‍कै, “तु हमरा कथी कहैले चाहैचिही?” 20उ जबाफ देल्‍कै, “बिहान यहुदीसब पावलके बारेमे सोधखोज करैके बहानामे महासभामे आनैले अहाँसङे बिन्‍ती करैले मेल करनेछै। 21महज अहाँ ओइसबके बिन्‍ती सुइकार नै करबै, कथिलेत उसबमेसे चालिस गोरेसे बेसी लोकसब पावलके नै मारैतक हमसब खान-पिन नै करबै कैहके किरिया खेनेछै। अखनियो उसब मारैके मौकामे छै। मातरे अहाँके आग्‍याके आसमे असियालछै।”
22तब सेनापती उ छौराके एहेन आग्‍या द्‍याके पठाइल्‍कै, “तु यि बात हमरा कहने चिही कैहके ककरो नै कहिहे।”
पावल कैसरियामे पठ्‍याल गेलै
23तकरबाद सेनापती दुइटा कप्‍तानके बोल्‍याके कहल्‍कै, “आइ रातके न बजे दुइ सय सैनिकसब, सतरी गोरे घोडसबारसब आ दुइ सय भलाधारी सैनिकसबके कैसरिया जाइले तयार कैरके राख। 24पावलोके लेल घोराके बन्‍दोबस करिहे आ ओकरा सुरक्‍छित साथ बडा हाकिम फेलिक्‍स लग पहुचादैहिए।” 25अतबे कैहके बडा हाकिमके लेल एकटा एहेन पतर लिखल्‍कै,
26“माननिय बडा हाकिम फेलिक्‍स, हम क्‍लौडिया लुकियसके तरफसे अभिबादन! 27यहुदीसब यि लोकके पकरने छेलै आ ओकरा मारैले खोजल्‍कै। महज जब हम सैनिकसबजरे ओते गेलियै तब हम यि लोक रोमी नागरिक चियै से थाह पाबलियै आ हम ओकरा छोराके आनलियै। 28हम जानैले चाहैचियै कि उसब कोन आरोपमे अकरा दोस लगारहलछै, तहैलेल हम ओइसबके महासभामे अकरा हाजिर करेलियै। 29तब हमरा थाह भेलै कि ओइसबके धारमिक नियमके बारेमे अकरा दोस लगाइने छै महज मिरतुदन्‍ड दैके या बन्‍दी करैबला कोनो दोस हमरा नै भेटल। 30जब हमरा यि लोकके मारैके योजनाके बारेमे थाह भेलै तब तुरन्‍त अकरा अहाँके लग पठाइलियै। तब अकरा दोसो लगाइबलासबके अहाँके अगा बयान दैले आदेस करनेचियै।”
31तहिनङे सैनिकसब आदेस बमोजिम राता-रात पावलके एन्‍टिपाटरिस सहरमे पुगादेल्‍कै। 32तब बिहान भेने पावलके घोरसबार सैनिकसबके अगा दिसन सङे जाइले ओइसबके छोइरके सैनिकसब गढ़मे घुइमके गेलै। 33जब उसब कैसरियामे पुग्‍लै तब बडा हाकिमके पतर सङे पावलके ओकर जिम्‍मामे सोइप देल्‍कै। 34उ पतर परहल्‍कै आ पावलके सबाल करल्‍कै, “तु कोन इलाकाके चिही?” पावल जबाफ देल्‍कै, “हम किलिकिया परदेसके चियै।” 35उ कहल्‍कै, “तोरा आरोप लगाइबलासब एतौ तब मातरे हम तोहर बात सुन्‍बौ।” तकरबाद उ पावलके हेरोदके दरबारमे पहरा द्‍याके राखैले आदेस देल्‍कै।

Currently Selected:

परेरित 23: MTHB

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in