YouVersion Logo
Search Icon

१ कोरन्‍थी 16

16
परमेस्‍वरके जनसबके लेल भेटी
1यरुसलेममे रहल परमेस्‍वरके जनसबके लेल भेटी जम्‍मा करैके बिसयमे हम गलातियाके मन्‍डलीसबके जे कहने छेलियौ तहिनङे तुहुसब कर।#रोमी १५:२५-२६ 2हरेक हप्‍ताके पहिन्‍का दिन तुसब आपन-आपन कमाइ अनुसार कुछ अलग कैरके जम्‍मा करैतरह, ताकि हम तोहरलग एबौ त भेटी जम्‍मा करैले नै परे। 3जब हम एबौ त तोरासबके जम्‍मा करल भेटी यरुसलेममे लजाइके लेल तोरासबके चुनल लोकके हम सिफारिस कैरके पठ्‍यादेबौ 4यदि हमरो जाइले परतै त उसब हमरसङे जाइले सक्‍तै।
पावलके भेटघाट करैके योजना
5हम माकेडोनिया परदेसके यातरा करलाके बाद तोरासबलग भेटघाट करैले एबौ, कथिलेकी पहिने माकेडोनिया जाइके हमर योजनाछै।#परेरित १९:२१ 6सकभर हम तोरासबसङे कुछदिन रहबौ या हेतै त पुरे जार मास ओतै बिताइबौ। तकरबाद हम जते जेबै त तुसब हमर यातराके बन्‍दोबस करैले सकबिही। 7अइ बेर हम तोरासबसे एकछिन भेटघाट कैरके जाइले नै चाहैचियौ। यदि परभुके इक्‍छा हेतै त, कुछ समय तोरासबसङे बिताबैके आसा राखने चियै।
8महज पेन्‍तिकोसके पाबैन तक हम एफिसस सहरमे रहबौ।#परेरित १९:८-१०, लेबी २३:१५-२१, बेबस्‍था १६:९-११ 9हमर बिरोध करैबलासब बहुतो भेलोपरभी परभाबसाली कामके लेल एकटा बरका केबार हमर लेल खुइल गेलछै।
10तिमोथी तोरासबलग एतौ त, ओकरा कोनो किसिमके दिकत हैले नै दिहे, कथिलेकी ओहो हमरे जखा परभुके काम करैछै।#१ कोरन्‍थी ४:१७ 11अहैलेल कोइ नै ओकरा अपमान करे। महज सान्‍तीसे ओकरा आपन यातरामे पठ्‍यादहै आ उ हमरलग आबे। कथिलेकी भाइसबसङे एतै कैहके हम ओकर बाट ताकैचियै।
12आब भाइ अपोल्‍लोसके बिसयमे हमरा कुछ कहैके छै, कि हम ओकरा औरो भाइसबसङे मिलके तोरासबसङे भेटघाट करैके बहुतो आगरह करनेछेलियै, महज अखैन ओकरा आबैके एकोरती इक्‍छा नै छै। महज मौका पाबते मातर उ एतै।
13होसियार भ्‍याके बिस्‍बासमे अरल रह। साहसी आ बौकार हो। 14जे काम करैचिही, उ परेमसे कर।
15भाइसब तोरासबके थाहेछौ, कि स्‍तिफनासके परिबार अखैयामे बिस्‍बास करैबलासबमेसे पहिल्‍का चियै। उसब परमेस्‍वरके जनसबके सेबामे अपनाके अरपन करनेछै।#१ कोरन्‍थी १:१६ 16तुसब एहेन लोकसबके आ ओइसबसङे सेबा आ मेहनत करैबलासबके अधिनमे रह कैहके आगरह करैचियौ।
17स्‍तिफनास, फोरटुनाटस आ अखाइकस एलासे हम बहौत खुस भेलियै, कथिलेकी तोरासबके अनुपस्‍थितीमे जे कुछ कमी छेलै उसब पुरा कैरदेल्‍कै। 18उसब हमर आ तोरासबके मनके सेहो उत्‍साहित बनाइनेछौ। ओहैसे तोरासबके एहेन लोकसबके आदर करैले परतौ।
अन्‍तिम गोरलगी
19एसियाके मन्‍डलीसब तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। अकिलास आ पिरिस्‍किला आ ओइसबके घरमे भेल बिस्‍बासीसब सेहो परभुमे तोरासबके हिरदयसे गोरलगी पठाइनेछौ।#परेरित १८:२ 20अतेका सब भाइ तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। तुसब सेहो एक-दोसरके पबितर परेमसे गोरलगी कर।
21हम पावल, आपने हाथसे यि गोरलगी लिखैचियौ। 22कोइ परभुके परेम नै करतै त उ सरापित हेबे। हे अपनासबके परभु, आबु!
23परभु येसु खिरिस्‍टके अनुगरह तोरासबसङे रहे।
24खिरिस्‍ट येसुमे हमर परेम तोरासबसङे रहे। आमेन।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in