तीतुस 3:4-7
तीतुस 3:4-7 MAI
मुदा जखन अपना सभक उद्धारकर्ता-परमेश्वरक दया आ प्रेम प्रगट भेल, तँ ओ अपना सभक उद्धार कयलनि। ई उद्धार अपना सभक अपन कयल कोनो धर्मक काज सभक आधार पर नहि, बल्कि हुनकर दयाक कारणेँ भेल। अर्थात्, परमेश्वर अपना सभ केँ धो कऽ नव जन्म देलनि, अपन पवित्र आत्मा द्वारा अपना सभ केँ नव बनौलनि। ओ ओहि पवित्र आत्मा केँ अपना सभक उद्धारकर्ता यीशु मसीहक माध्यम सँ प्रशस्त मात्रा मे अपना सभ केँ प्रदान कयलनि, जाहि सँ हुनकर कृपा द्वारा धार्मिक ठहराओल जा कऽ अपना सभ ओहि अनन्त जीवनक उत्तराधिकारी होइ, जकर अपना सभ केँ आशा अछि।






