YouVersion Logo
Search Icon

लूका 17

17
यीशुक किछु उपदेश
(मत्ती 18:6-7, 21-22; मरकुस 9:42)
1यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “ई निश्‍चित अछि जे लोक सभ केँ पाप मे फँसाबऽ वला बात सभ होयत, मुदा धिक्‍कार ताहि मनुष्‍य केँ, जकरा द्वारा ओहन बात सभ अबैत अछि! 2ओकरा लेल एहि सँ नीक जे ओ एहि बच्‍चा सभ मे सँ एकोटा केँ पाप मे फँसाबय ई होइत जे ओकरा घेंट मे जाँतक पाट बान्‍हि समुद्र मे फेकि देल जाय। 3तेँ अहाँ सभ सावधान रहू!
“अहाँक भाय जँ पाप करैत अछि तँ ओकरा मना करू। जँ ओ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ पाप केँ छोड़ैत अछि तँ ओकरा माफ कऽ दिऔक। 4आ जँ ओ दिन मे सात बेर अहाँक विरोध मे अपराध करय और सात बेर अहाँ लग घूमि कऽ अपन अपराध मानि कऽ माफी माँगय तँ माफ कऽ दिऔक।”
5तखन समीह-दूत सभ हुनका कहलथिन, “हमरा सभक विश्‍वास केँ बढ़ाउ!” 6ओ उत्तर देलथिन, “जँ अहाँ सभ केँ सरिसोक दानो बराबरि विश्‍वास अछि, तँ एहि तूँइतक गाछ केँ कहि सकैत छिऐक जे, उखड़ि कऽ समुद्र मे रोपा जो, और ओ अहाँक आज्ञा मानत।
7“अहाँ सभ मे एहन मालिक के छी, जकर नोकर खेत मे सँ हऽर जोति कऽ वा बाध मे सँ भेँड़ा चरा कऽ जखन अबैत अछि, तँ कहैत छिऐक जे, ‘आउ, आउ, बैसू, भोजन कऽ लिअ’? 8की ई नहि कहबैक जे, ‘हमर भानस करह, तखन जा धरि हम भोजन पर सँ उठब नहि, ता धरि तोँ फाँड़ बान्‍हि कऽ हमर सेवा करह, तकरबाद तोहूँ खाह-पिबह’? 9जखन नोकर मालिकक कहल करैत छनि, तँ की ओहि लेल मालिक ओकरा धन्‍यवाद दैत छथिन? नहि! 10तहिना अहूँ सभ, जतेक काज अहाँ सभ केँ अढ़ाओल गेल होअय, से सभ पूरा कऽ कऽ ई कहू जे, ‘हम सभ कोनो प्रशंसा जोगरक नहि छी; हम सभ तँ खाली वैह कयलहुँ जे हमर सभक कर्तव्‍य छल।’ ”
दसटा कुष्‍ठ-रोगी
11यीशु यरूशलेम जाइत काल सामरिया और गलील प्रदेशक सीमा दऽ कऽ जा रहल छलाह। 12कोनो गाम मे जखन प्रवेश कयलनि तँ दसटा कुष्‍ठ-रोगी हुनका भेटलनि। ओ सभ फराके सँ ठाढ़ भऽ कऽ 13जोर सँ सोर पारलकनि जे, “यौ मालिक यीशु! हमरा सभ पर दया करू!”
14यीशु ओकरा सभ केँ देखि कऽ कहलथिन, “पुरोहित सभक ओहिठाम जाह और अपना केँ हुनका सभ केँ देखा दहुन।” ओ सभ जाइते-जाइत मे नीक भऽ गेल।
15तखन ओकरा सभ मे सँ एक गोटे जखन देखलक जे हम नीक भऽ गेलहुँ, तँ ओ जोर-जोर सँ परमेश्‍वरक स्‍तुति-प्रशंसा करैत घूमि आयल, 16और यीशुक पयर पर खसि कऽ हुनकर धन्‍यवाद करऽ लगलनि। ओ यहूदी नहि, सामरी जातिक छल।
17तखन यीशु बजलाह, “की दसो गोटे नीक नहि भेल? आरो नौ आदमी कतऽ अछि? 18की एहि आन जातिक लोक केँ छोड़ि कऽ आओर केओ एहन नहि बहरायल जे घूमि कऽ परमेश्‍वरक धन्‍यवाद करितनि?” 19तखन ओ ओकरा कहलथिन, “आब उठि कऽ जाह। तोहर विश्‍वास तोरा नीक कऽ देलकह।”
मनुष्‍य-पुत्रक दोसर आगमन
(मत्ती 24:23-28, 37-41)
20फरिसी सभक ई पुछला पर जे परमेश्‍वरक राज्‍य कहिया आओत, यीशु उत्तर देलथिन, “परमेश्‍वरक राज्‍य ओहि तरहेँ नहि अबैत अछि जे आँखि सँ देखल जा सकय। 21केओ कहऽ वला नहि होयत जे, ‘देखू, एतऽ अछि,’ वा ‘ओतऽ अछि,’ कारण, परमेश्‍वरक राज्‍य अहाँ सभक बीच मे अछि#17:21 वा, “...अहाँ सभक भीतर अछि” ।”
22तखन ओ अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “ओ समय आबि रहल अछि जखन अहाँ सभ केँ मनुष्‍य-पुत्रक युगक एको दिन देखबाक लेल बड़का इच्‍छा होयत, मुदा देखि नहि सकब। 23लोक अहाँ सभ केँ कहत जे, ‘ओतऽ छथि!’ वा ‘एतऽ छथि।’ मुदा नहि जाउ! ओकरा सभक पाछाँ नहि दौड़ू! 24कारण, मनुष्‍य-पुत्रक दिन जखन औतनि, तँ ओ बिजलोका जकाँ होयताह, जे चमकि कऽ आकाश केँ एक कात सँ दोसर कात तक इजोत कऽ दैत अछि। 25मुदा ओहि सँ पहिने ई आवश्‍यक अछि जे ओ बहुत दुःख भोगथि और एहि पीढ़ीक लोक द्वारा अस्‍वीकार कयल जाथि।
26“जहिना नूहक समय मे भेल, तहिना मनुष्‍य-पुत्रक अयबाक समय मे सेहो होयत। 27जाहि दिन नूह जहाज मे चढ़ि गेलाह, ताहि दिन धरि लोक सभ खाय-पिबऽ मे और विवाह करऽ-कराबऽ मे मस्‍त रहल आ तखन जल-प्रलय भेल और सभ केओ नष्‍ट भऽ गेल।
28“तहिना लूतक समय मे सेहो भेल। लोक सभ खाइत-पिबैत रहल, चीज-वस्‍तु बेचैत-किनैत रहल, बीया बाउग करैत रहल आ घर बनबैत रहल। 29मुदा जाहि दिन लूत सदोम नगर सँ बहरयलाह, ताही दिन आकाश सँ आगि और गन्‍धकक वर्षा भेल और सभ केओ नष्‍ट भऽ गेल।
30“जाहि दिन मनुष्‍य-पुत्र फेर प्रगट होयताह, ताहू दिन ठीक ओहिना होयत। 31ताहि दिन जँ केओ छत पर होअय और ओकर सामान घर मे, तँ ओ ओकरा लेबाक लेल नहि उतरओ। तहिना जे केओ खेत मे होअय, से घूमि कऽ नहि आबओ। 32लूतक घरवाली केँ मोन राखू। 33जे केओ अपन प्राण बचयबाक प्रयत्‍न करैत अछि, से ओकरा गमाओत, और जे केओ अपन प्राण गमबैत अछि से ओकरा सुरक्षित राखत। 34हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, ओहि राति दू आदमी एक ओछायन पर सुतल रहत, एक लऽ लेल जायत, आ दोसर छोड़ि देल जायत। 35दूटा स्‍त्रीगण एक संग जाँत पिसैत रहत, एकटा लऽ लेल जायत, आ दोसर छोड़ि देल जायत। 36[दू आदमी खेत मे रहत, एक लऽ लेल जायत, आ दोसर छोड़ि देल जायत।]#17:36 किछु हस्‍तलेख सभ मे पद 36 मे लिखल बात नहि पाओल जाइत अछि।
37शिष्‍य सभ पुछलथिन, “प्रभु, ई कतऽ होयत?” ओ उत्तर देलथिन, “जतऽ लास पड़ल रहत, ततहि गिद्ध सभ जुटत।”

Currently Selected:

लूका 17: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy