YouVersion Logo
Search Icon

लूका 10

10
बहत्तरि शिष्‍यक लेल प्रचारक काज
(मत्ती 11:20-27; 13:16-17)
1एहि सभक बाद प्रभु बहत्तरि#10:1 किछु हस्‍तलेख मे “सत्तरि”। तहिना पद 17 मे सेहो। आरो व्‍यक्‍ति केँ नियुक्‍त कयलथिन और हुनका सभ केँ दू-दू गोटे कऽ प्रत्‍येक नगर आ गाम मे पठा देलथिन जतऽ-जतऽ ओ अपने जाय वला छलाह। 2ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “पाकल फसिल तँ बहुत अछि, मुदा काटऽ वला मजदूर कम अछि। तेँ खेतक मालिक सँ प्रार्थना करिऔन जे ओ अपना खेत मे आरो मजदूर पठबथि। 3अहाँ सभ आब जाउ। हम अहाँ सभ केँ जंगली जानबर सभक बीच मे भेँड़ी जकाँ पठा रहल छी। 4अपना संग ने बटुआ लिअ आ ने झोरा आ ने जुत्ता; रस्‍ता मे ककरो सँ हाल-समाचार पुछबाक लेल नहि रूकू। 5जखन कोनो घर मे प्रवेश करब, तँ पहिने ई कहिऔक, ‘एहि घर मे शान्‍ति होअय।’ 6जँ ओतऽ केओ शान्‍तिक पात्र होयत तँ अहाँक आशीर्वाद ओकरा पर बनल रहतैक, अन्‍यथा अहाँ लग घूमि आओत। 7वासक लेल घर-घर नहि घुमू, और जे किछु ओ सभ अहाँ सभ केँ देत से खाउ-पीबू, कारण मजदूर केँ मजदूरी तँ भेटबाक चाही।
8“हँ, जखन कोनो नगर मे प्रवेश कयलाक बाद स्‍वागत होइत अछि तँ जे किछु अहाँक सामने राखल जाय से खाउ। 9ओतुक्‍का बिमार लोक सभ केँ ठीक करू, और लोक सभ केँ कहिऔक जे, परमेश्‍वरक राज्‍य अहाँ सभक लग मे आबि गेल अछि। 10मुदा जखन कोनो नगर मे जायब और ओहि ठामक लोक सभ अहाँ सभक स्‍वागत नहि करय तँ ओहि नगरक सड़क-ग‍ली सभ मे जा कऽ कहिऔक, 11‘अहाँ सभक नगरक गर्दो जे हमरा सभक पयर मे लागल अछि से अहाँ सभक विरोध मे झाड़ैत छी। तैयो ई बात जानि लिअ जे परमेश्‍वरक राज्‍य लग मे आबि गेल अछि।’ 12हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, न्‍यायक दिन मे ओहि नगर सँ सदोम नगरक दशा सहबा जोगरक रहतैक।
13“है खुराजीन नगर, तोरा धिक्‍कार छौक! हे बेतसैदा नगर, तोरा धिक्‍कार छौक! जे चमत्‍कार सभ तोरा सभक बीच कयल गेल, से जँ सूर और सीदोन नगर सभ मे कयल गेल रहैत तँ ओहिठामक निवासी सभ बहुत पहिनहि चट्टी ओढ़ि और छाउर पर बैसि अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन कऽ लेने रहैत। 14न्‍यायक दिन मे तोरा सभक अपेक्षा सूर आ सीदोन नगरक दशा सहबा जोगरक रहतैक। 15और हे कफरनहूम नगर! की तोँ स्‍वर्ग तक उठाओल जयबेँ? नहि! तोँ तँ पाताल#10:15 मूल मे, “हेडीस”, अर्थात्‌, मरल सभक वास-स्‍थान मे खसाओल जयबेँ।
16“जे केओ अहाँ सभक बात सुनैत अछि से हमर बात सुनैत अछि। जे केओ अहाँ सभ केँ अस्‍वीकार करैत अछि, से हमरा अस्‍वीकार करैत अछि, और जे केओ हमरा अस्‍वीकार करैत अछि से तिनका अस्‍वीकार करैत छनि जे हमरा पठौलनि।”
17ओ बहत्तरि लोक सभ जखन अपन प्रचारक काज कऽ कऽ अयलाह तँ बहुत खुशीपूर्बक बजलाह, “प्रभुजी, अहाँक नामक शक्‍ति सँ दुष्‍टात्‍मा सभ सेहो हमरा सभक बात मानलक।”
18यीशु उत्तर देलथिन, “हम शैतान केँ बिजुली जकाँ आकाश सँ खसैत देखलहुँ। 19हँ, हम अहाँ सभ केँ साँप और बीछ केँ पिचबाक सामर्थ्‍य और शत्रुक समस्‍त शक्‍ति पर अधिकार देने छी। कोनो वस्‍तु अहाँ सभक हानि नहि कऽ सकत। 20तैयो, एहि लेल आनन्‍द नहि मनाउ जे दुष्‍टात्‍मा सभ अहाँ सभक बात मानैत अछि, बल्‍कि एही लेल आनन्‍दित होउ जे अहाँ सभक नाम स्‍वर्ग मे लिखायल अछि।”
21तखने यीशु पवित्र आत्‍मा सँ अत्‍यन्‍त आनन्‍दित भऽ कऽ बजलाह, “हे पिता, स्‍वर्ग आ पृथ्‍वीक मालिक, हम अहाँ केँ एहि लेल धन्‍यवाद दैत छी जे अहाँ ई बात सभ बुद्धिमान और विद्वान सभ सँ नुका कऽ रखलहुँ मुदा बच्‍चा सभ पर प्रगट कयलहुँ। हँ पिता, कारण, अहाँ केँ एही बात सँ प्रसन्‍नता भेल।
22“हमरा पिता द्वारा सभ किछु हमरा हाथ मे सौंपल गेल अछि। पुत्र के छथि, से पिता केँ छोड़ि आरो केओ नहि जनैत अछि, और पिता के छथि, सेहो केओ नहि जनैत अछि—मात्र पुत्र और जकरा सभ पर पुत्र हुनका प्रगट करऽ चाहय, से जनैत अछि।”
23तखन ओ अपना शिष्‍य सभक दिस घूमि कऽ नहुएँ जोर सँ कहलथिन, “अहाँ सभ धन्‍य छी जे, जे बात सभ देखि रहल छी से देखि पौलहुँ। 24कारण, हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे अपना समय मे एहन बहुत राजा और परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता लोकनि रहथि, जे सभ चाहलनि जे, जाहि बात सभ केँ अहाँ सभ देखि रहल छी, तकरा देखी, मुदा नहि देखलनि; और जे बात सभ अहाँ सभ सुनि रहल छी, से सुनी, मुदा नहि सुनलनि।”
असली पड़ोसी
25एक बेर धर्म-नियमक एक पंडित उठि कऽ यीशु केँ जँचबाक लेल पुछलथिन, “गुरुजी, अनन्‍त जीवन प्राप्‍त करबाक लेल हम की करू?” 26यीशु उत्तर देलथिन, “धर्म-नियम मे की लिखल अछि? ओहि मे की पढ़ैत छी?”
27ओ कहलथिन, “ ‘तोँ अपन प्रभु-परमेश्‍वर केँ अपन सम्‍पूर्ण मोन सँ, अपन सम्‍पूर्ण आत्‍मा सँ, अपन सम्‍पूर्ण शक्‍ति सँ और अपन सम्‍पूर्ण बुद्धि सँ प्रेम करह,’#10:27 व्‍यव 6:5 और ‘तोँ अपना पड़ोसी केँ अपने जकाँ प्रेम करह।’#10:27 लेवी 19:18 28यीशु कहलथिन, “अहाँ ठीक कहलहुँ। एना करू तँ जीवन पायब।”
29मुदा ओ अपना केँ ठीक ठहरयबाक उद्देश्‍य सँ यीशु सँ पुछलथिन, “तँ हमर पड़ोसी के अछि?”
30यीशु उत्तर देलथिन, “एक आदमी यरूशलेम सँ यरीहो नगर जा रहल छल कि डाकू सभ आबि कऽ ओकरा घेरि लेलकैक। ओकरा नाङट कऽ कऽ आ मारैत-मारैत अधमरू बना कऽ छोड़ि देलकैक। 31संयोग सँ एक पुरोहित ओहि रस्‍ता सँ जा रहल छलाह। ओ जखन ओहि आदमी केँ देखलनि तँ रस्‍ता काटि कऽ आगाँ बढ़ि गेलाह। 32तहिना मन्‍दिरक एक सेवक#10:32 मूल मे, “तहिना एक लेवी”, अर्थात्‌, यहूदी सभक कुल-पिता लेवीक एक वंशज। लेवीक कुलक पुरुष लोकनि मन्‍दिर मे पुरोहितक सहायक होइत छलाह। जखन ओहि स्‍थान पर अयलाह आ ओकरा देखलनि तँ ओहो रस्‍ता काटि कऽ आगाँ बढ़ि गेलाह। 33मुदा सामरी जातिक एक आदमी जे ओहि दने जाइत रहय से ओकरा देखि कऽ दया सँ भरि गेल। 34ओ ओकरा लग जा कऽ ओकर घाव सभ पर तेल और दारू लगा कऽ पट्टी बान्‍हि देलकैक। तखन ओकरा अपना गदहा पर बैसा कऽ एकटा सराय मे लऽ गेल और ओहिठाम ओकर सेवा कयलकैक। 35प्रात भेने ओ दू चानीक रुपैया निकालि कऽ सरायक मालिक केँ दऽ कऽ कहलकनि, ‘हिनकर देखभाल करिऔन। एहि सँ बेसी जे खर्च पड़त से हम घुमती काल मे अहाँ केँ दऽ देब।’ 36आब अहाँक विचार सँ, एहि तीनू मे सँ डाकू सभक हाथ मे पड़ल आदमीक पड़ोसी अपना केँ के बुझलक?”
37धर्म-नियमक पंडित उत्तर देलथिन, “जे ओकरा पर दया कयलकैक, से।” यीशु कहलथिन, “अहूँ जा कऽ एहिना करू।”
मरियम और मार्था
38यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ आगाँ बढ़ि कऽ एक गाम मे अयलाह जतऽ मार्था नामक एक स्‍त्री अपना ओहिठाम हुनकर अतिथि-सत्‍कार कयलथिन। 39ओहि स्‍त्री केँ मरियम नामक एकटा बहिन छलनि। ओ यीशुक पयर लग बैसि हुनकर बात सुनि रहल छलीह। 40मुदा मार्था सेवा-सत्‍कारक भार सँ चिन्‍तित छलीह। ओ यीशु लग आबि कऽ कहलथिन, “प्रभु, अहाँ केँ कनेको चिन्‍ता नहि अछि जे हमर बहिन सभटा काज करऽ लेल हमरा असगरे छोड़ि देने अछि? ओकरा हमर मदति करबाक लेल कहिऔक!”
41प्रभु उत्तर देलथिन, “मार्था, अए मार्था! अहाँ बहुत बातक लेल चिन्‍तित छी, 42मुदा बात एकेटा जरूरी अछि। मरियम वैह नीक बात चुनि लेने अछि और ओकरा सँ ओ नहि छिनल जयतैक।”

Currently Selected:

लूका 10: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy