YouVersion Logo
Search Icon

यूहन्‍ना 13

13
यीशु शिष्‍य सभक पयर धोलनि
1फसह-भोज सँ पहिनेक समय छल, और यीशु जनैत छलाह जे आब एहि संसार केँ छोड़ि कऽ पिता लग जयबाक घड़ी आबि गेल अछि। अपन चुनल लोक जे संसार मे छलनि, और जिनका सभ केँ ओ प्रेम करैत आयल छलथिन, तिनका सभ केँ ओ अन्‍तिम सीमा तक प्रेम कयलनि।
2यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ भोजन कऽ रहल छलाह। शैतान पहिनहि सिमोनक बेटा यहूदा इस्‍करियोतीक मोन मे यीशु केँ पकड़बयबाक विचार धऽ देने छलैक। 3यीशु ई जनैत छलाह जे पिता हमरा हाथ मे सभ किछु दऽ देने छथि और ई, जे हम परमेश्‍वर सँ आयल छी आ परमेश्‍वर लग जा रहल छी। 4तेँ ओ भोजन सँ उठलाह, और अपन उपरका कपड़ा उतारि कऽ अपना डाँड़ मे गमछा लपेटि लेलनि। 5तखन एक कठौत मे पानि ढारि कऽ ओ शिष्‍य सभक पयर धोबऽ और डाँड़ मे बान्‍हल गमछा लऽ कऽ पोछऽ लगलथिन।
6जखन ओ सिमोन पत्रुस लग अयलाह, तँ पत्रुस हुनका कहलथिन, “प्रभु! की हमर पयर अहाँ धोब?” 7यीशु बजलाह, “हम की कऽ रहल छी, से अहाँ एखन नहि जनैत छी, मुदा बाद मे अहाँ बुझि जायब।” 8पत्रुस हुनका कहलथिन, “नहि! अहाँ हमर पयर कहियो नहि धोबऽ पायब!” यीशु बजलाह, “जँ अहाँ हमरा नहि धोबऽ देब तँ हमरा संग अहाँ केँ कोनो सम्‍बन्‍ध नहि रहल।”
9तँ सिमोन पत्रुस हुनका कहलथिन, “तखन प्रभु, हमर पयरेटा नहि, हमर हाथ और माथ सेहो!”
10यीशु उत्तर देलथिन, “जे नहा लेने अछि, तकरा पयर केँ छोड़ि कऽ आओर किछु धोबाक आवश्‍यकता नहि छैक, ओकर सम्‍पूर्ण देह शुद्ध रहैत छैक। और अहाँ सभ शुद्ध छी, मुदा सभ केओ नहि।” 11यीशु तँ जनैत छलाह जे हुनका पकड़बाबऽ वला के होयत, और तेँ ओ कहलथिन, अहाँ सभ गोटे शुद्ध नहि छी।
12जखन यीशु हुनका सभक पयर धो लेलनि, और अपन कपड़ा पहिरि कऽ बैसि गेलाह, तखन ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभक संग की कयलहुँ, से की अहाँ सभ बुझैत छी? 13अहाँ सभ हमरा ‘गुरुजी’ और ‘प्रभुजी’ कहैत छी, और ठीके कहैत छी, कारण ओ हम छी। 14तँ जँ हम अहाँ सभक प्रभु और गुरु भऽ कऽ अहाँ सभक पयर धोने छी, तँ अहूँ सभ केँ एक-दोसराक पयर धोबाक चाही। 15हम अहाँ सभ केँ एक नमूना देखा देलहुँ जाहि सँ जहिना हम अहाँ सभक संग कयलहुँ तहिना अहूँ सभ करू। 16हम अहाँ सभ केँ विश्‍वास दिअबैत छी जे, दास अपना मालिक सँ पैघ नहि होइत अछि, और ने पठाओल गेल दूत अपना पठाबऽ वला सँ। 17ई सभ बात जानि कऽ, जँ एकरा अनुसार चलब तँ धन्‍य होयब।
विश्‍वासघाती शिष्‍यक दिस संकेत
(मत्ती 26:20-25; मरकुस 14:17-21; लूका 22:21-23)
18“हम अहाँ सभ गोटेक बारे मे नहि बाजि रहल छी। जिनका सभ केँ हम चुनलियनि तिनका सभ केँ चिन्‍हैत छिऐन। मुदा धर्मशास्‍त्रक ई लेख पूरा होयबाक अछि जे, ‘जे हमर रोटी खाइत अछि से हमरा विरोध मे लात उठौने अछि।’#13:18 भजन 41:9 19ई घटना घटऽ सँ पहिनहि हम अहाँ सभ केँ ई बात कहि रहल छी, जाहि सँ जखन ई घटत तखन अहाँ सभ केँ पूरा विश्‍वास होयत जे हम वैह छी जे छी। 20हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, जे केओ ओकरा स्‍वीकार करैत अछि जकरा हम पठबैत छी, से हमरा स्‍वीकार करैत अछि, और जे हमरा स्‍वीकार करैत अछि से तिनका स्‍वीकार करैत छनि जे हमरा पठौलनि।”
21ई बात कहि कऽ यीशु अपना आत्‍मा मे बहुत व्‍याकुल होमऽ लगलाह, और ओ खुलि कऽ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे अहाँ सभ मे सँ एक गोटे हमरा पकड़बा देब।” 22शिष्‍य सभ एकदम नहि बुझि कऽ जे ओ ककरा बारे मे बाजि रहल छथि, एक-दोसराक दिस ताकऽ लगलाह। 23हुनका सभ मे सँ एकटा, जाहि शिष्‍य सँ यीशु प्रेम करैत छलाह, से हुनका छाती सँ ओंगठि कऽ पड़ल छलनि। 24सिमोन पत्रुस ओहि शिष्‍य केँ संकेत कऽ कऽ कहलथिन, “हुनका सँ पुछिऔन जे ककरा बारे मे कहि रहल छथि।” 25ओ यीशु पर ओंगठि कऽ पुछलथिन, “प्रभु, ओ के अछि?”
26यीशु उत्तर देलथिन, “ओ वैह अछि जकरा हम रोटीक टुकड़ा बट्टा मे बोड़ि कऽ देबैक।” तखन ओ रोटीक टुकड़ा बोड़ि कऽ सिमोन इस्‍करियोतीक बेटा यहूदा केँ देलथिन। 27यहूदा केँ रोटीक टुकड़ा लितहि, शैतान ओकरा मे पैसि गेलैक। तखन यीशु ओकरा कहलथिन, “जे काज तोँ करऽ पर छह, से जल्‍दी करह!” 28मुदा भोजन पर बैसल व्‍यक्‍ति सभ मे सँ केओ नहि बुझलनि जे यीशु किएक ओकरा ई बात कहलथिन। 29किछु गोटे सोचलनि जे यहूदा लग पाइक बटुआ रहला सँ हुनकर कहबाक तात्‍पर्य छलनि जे, जे किछु पाबनिक लेल हमरा सभ केँ आवश्‍यक अछि से किनह, वा ई जे गरीब सभ मे किछु बाँटि दहक। 30यहूदा रोटीक टुकड़ा लेलाक बाद तुरत बाहर चल गेल, ओ रातुक समय छल।
नव आज्ञा
31जखन यहूदा बाहर चल गेल, तखन यीशु बजलाह, “आब मनुष्‍य-पुत्रक महिमा प्रगट होयतैक, और ओकरा मे परमेश्‍वरक महिमा प्रगट होयतनि। 32जँ ओकरा मे परमेश्‍वरक महिमा प्रगट होयतनि, तँ परमेश्‍वर सेहो अपना मे ओकर महिमा प्रगट करताह, और बहुत जल्‍दी करताह।
33“यौ हमर बौआ सभ! कनेके काल आओर हम अहाँ सभक संग छी। अहाँ सभ हमरा ताकब, और जेना हम यहूदी सभ केँ कहलियनि, तेना अहूँ सभ केँ कहैत छी जे, जतऽ हम जा रहल छी ततऽ अहाँ सभ नहि आबि सकैत छी। 34एक नव आज्ञा हम अहाँ सभ केँ दैत छी—एक-दोसर सँ प्रेम करू। जेना हम अहाँ सभ सँ प्रेम कयने छी तेना अहूँ सभ एक-दोसर सँ प्रेम करू। 35एहि सँ सभ लोक जानत जे अहाँ सभ हमर शिष्‍य छी, अर्थात्‌ अहाँ सभ जँ एक-दोसर सँ प्रेम करब, ताहि सँ।”
यीशु पत्रुसक कमजोरीक विषय मे जनैत छलाह
(मत्ती 26:31-35; मरकुस 14:27-31; लूका 22:31-34)
36सिमोन पत्रुस हुनका सँ पुछलथिन, “प्रभु, अहाँ कतऽ जा रहल छी?” यीशु बजलाह, “हम जतऽ जा रहल छी, ततऽ अहाँ एखन हमरा पाछाँ-पाछाँ नहि आबि सकब, लेकिन बाद मे अहाँ हमरा पाछाँ आयब।”
37पत्रुस कहलथिन, “प्रभु, हम अहाँक पाछाँ-पाछाँ एखन किएक नहि आबि सकैत छी? हम अहाँक लेल अपन प्राणो देब!”
38यीशु बजलाह, “की अहाँ वास्‍तव मे हमरा लेल अपन प्राण देब? हम अहाँ केँ सत्‍य कहैत छी जे, मुर्गा केँ बाजऽ सँ पहिनहि, अहाँ तीन बेर हमरा अस्‍वीकार कऽ कऽ लोक केँ कहबैक जे, हम ओकरा चिन्‍हबो नहि करैत छिऐक।”

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy