Bible App logo
Search Icon

इब्रानी 11:24-27

इब्रानी 11:24-27 MAI

विश्‍वासेक कारणेँ मूसा नमहर भेला पर राजा फरओक नाति कहायब स्‍वीकार नहि कयलनि। ओ पापक क्षणिक सुख भोगबाक बदला मे परमेश्‍वरक प्रजाक संग अत्‍याचार सहनाइ चुनलनि। ओ मिस्र देशक सम्‍पूर्ण धन-सम्‍पत्तिक अपेक्षा आबऽ वला उद्धारकर्ता-मसीहक लेल निन्‍दा सहब अधिक बहुमूल्‍य बुझलनि, कारण हुनकर नजरि भविष्‍य मे भेटऽ वला इनाम पर टिकल रहनि। राजाक क्रोध सँ भयभीत नहि भऽ ओ विश्‍वासेक कारणेँ मिस्र देश छोड़ि देलनि। जेना ओ अदृश्‍य परमेश्‍वर केँ देखैत होथि तेना दृढ़ बनल रहलाह।

Free Reading Plans and Devotionals related to इब्रानी 11:24-27