Bible App logo
Search Icon

इफिसी 1:18-21

इफिसी 1:18-21 MAI

हम इहो प्रार्थना करैत छी जे ओ अहाँ सभक भितरी आँखि खोलि देथि, जाहि सँ अहाँ सभ जानि ली जे हुनका द्वारा बजाओल जयबाक कारणेँ अहाँ सभक आशा कतेक महान्‌ अछि, और ई जानि ली जे हुनकर लोक हुनका लेल केहन अद्‌भुत आ अनमोल उत्तराधिकार छनि। हुनका सँ हमर ई प्रार्थना अछि जे अहाँ सभ इहो जानि ली जे अपना सभ जे विश्‍वास कयनिहार छी तकरा सभक कल्‍याणक लेल सक्रिय रहऽ वला परमेश्‍वरक सामर्थ्‍य कतेक अपार अछि। ई सामर्थ्‍य वैह महान् शक्‍ति अछि जे ओ मसीह मे प्रगट कयलनि, जखन ओ हुनका मृत्‍यु सँ जिऔलनि आ स्‍वर्गीय क्षेत्र मे अपन दहिना कात बैसौलनि। ओ हुनका ओहन स्‍थान देलथिन जे आरो सभ प्रकारक शासन और अधिकार, शक्‍ति और प्रभुता, और हर प्रकारक पद सँ उपर अछि जे ने मात्र एहि युग मे देल जा सकैत अछि, बल्‍कि आबऽ वला युग मे सेहो।