2 कोरिन्थी 6
6
1परमेश्वरक सहकर्मी भऽ कऽ हम सभ अहाँ सभ सँ आग्रह करैत छी जे परमेश्वरक जे कृपा अहाँ सभ केँ भेटल अछि तकरा व्यर्थ नहि होमऽ दिअ। 2किएक तँ परमेश्वर धर्मशास्त्र मे कहैत छथि जे,
“हम अपन कृपादृष्टि रखबाक समय मे तोहर सुनलिअह,
आ उद्धारक दिन मे हम तोहर सहायता कयलिअह।”#6:2 यशा 49:8
देखू, एखने “कृपादृष्टिक समय” अछि। देखू, आइए “उद्धारक दिन” अछि।
योग्य सेवकक आचरण
3हम सभ कोनो बात द्वारा ककरो ठोकरक कारण नहि बनैत छी, जाहि सँ ककरो हमरा सभक सेवा-काज पर दोष लगयबाक कोनो अवसर नहि भेटैक, 4बल्कि परमेश्वरक सेवक भऽ हम सभ प्रत्येक परिस्थिति मे अपन योग्यता प्रमाणित करैत छी—हम सभ कठिनाइ, विपत्ति आ संकट सभ केँ धैर्यक संग सहन करैत छी। 5हम सभ मारि खाइत छी, जहल मे राखल जाइत छी, उपद्रव मे पड़ैत छी। परिश्रम करैत छी, राति-राति भरि पलक नहि झपका कऽ जागल रहैत छी, भूखल रहैत छी। 6हम सभ एहि सभ बातक सामना शुद्ध मोन सँ, ज्ञान सँ, और धैर्य आ दयालुताक संग करैत छी। हम सभ ई काज परमेश्वरक पवित्र आत्माक शक्ति सँ और निष्कपट प्रेम द्वारा करैत छी। 7दहिना आ बामा हाथ मे धार्मिकताक हथियार धारण कयने सत्यक प्रचार करैत छी; परमेश्वरक सामर्थ्य पर भरोसा रखैत छी। 8ककरो सँ आदर पबैत छी, तँ ककरो सँ निरादर, ककरो सँ जस आ ककरो सँ अपजस। सही रहितो हम सभ कपटी बुझल जाइत छी, 9चिन्हल-जानल होइतो अनचिन्हार बुझल जाइत छी। मरऽ-मरऽ पर होइतो जीवित रहैत छी। सजाय पबैत छी मुदा जान सँ मारल नहि जाइत छी। 10शोकित होइतो सदत् आनन्द मग्न रहैत छी, गरीब होइतो बहुतो केँ सम्पन्न बनबैत छी। हमरा सभ लग अपन किछु नहि होइतो, सभ किछु हमरा सभक अछि।
कोरिन्थी सभक लेल पौलुसक प्रेम आ चिन्ता
11यौ कोरिन्थ निवासी सभ, हम सभ अहाँ सभ सँ खुलि कऽ बात कयने छी। हम सभ अहाँ सभक प्रति अपन हृदय खोलि कऽ राखि देने छी। 12अहाँ सभक प्रति हमरा सभक हृदय मे कोनो संकीर्णता नहि अछि, बल्कि अहीं सभक हृदय मे संकीर्णता अछि। 13हम अहाँ सभ केँ अपन बच्चा मानि कहैत छी जे हमरा सभक प्रेमक बदला मे अहूँ सभ हमरा सभक लेल अपन हृदय खोलि दिअ।
14अहाँ सभ मसीह पर विश्वास नहि कयनिहार लोक सभक संग बेमेल जुआ मे नहि जोताउ। अधर्म सँ धार्मिकताक कोन मेल? अन्हार सँ इजोतक कोन मेल? 15शैतान#6:15 मूल मे, “बेलियाल”, जे शैतानक एक नाम अछि सँ मसीहक कोन संगति? अविश्वासीक संग विश्वासीक कोन सहभागिता? 16मुरुत सभक संग परमेश्वरक मन्दिरक कोन समझौता? किएक तँ अपना सभ जीवित परमेश्वरक मन्दिर छी, जेना कि परमेश्वर कहने छथि जे,
“हम ओकरा सभक संग वास करब
आ ओकरा सभक बीच चलब-फिरब।
हम ओकरा सभक परमेश्वर होयबैक
आ ओ सभ हमर प्रजा होयत।”#6:16 लेवी 26:12; यर्मि 32:38; यहेज 37:27
17एहि कारणेँ,
“प्रभुक कथन इहो छनि जे,
‘अहाँ सभ ओकरा सभक बीच सँ बाहर आबि कऽ
अलग भऽ जाउ।
अशुद्ध वस्तु सभ सँ हटल रहू,
तखन हम अहाँ सभ केँ ग्रहण करब।’ ”#6:17 यशा 52:11; यहेज 20:34, 41
18“हम अहाँ सभक पिता होयब
आ अहाँ सभ हमर बेटा-बेटी सभ होयब।
ई सर्वशक्तिमान प्रभुक कथन अछि।”#6:18 2 शमू 7:14
Currently Selected:
2 कोरिन्थी 6: mai
Highlight
Copy
Compare
Share
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
©2010 The Bible Society of India and © Wycliffe Bible Translators, Inc.