1 थिसलुनिकी 3
3
1तेँ अन्त मे जखन हमरा सभ केँ आरो नहि रहल गेल तँ ई नीक बुझायल जे हम सभ अपने एथेन्स नगर मे रही, 2और अहाँ सभ लग तिमुथियुस केँ पठाबी। ओ हमरा सभक भाय और मसीहक शुभ समाचार सुनाबऽ मे परमेश्वरक संग-संग काज कयनिहार छथि। हुनका एहि लेल पठौलहुँ जे ओ अहाँ सभ केँ विश्वास मे मजगूत करथि और अहाँ सभक हिम्मत बढ़बथि, 3जाहि सँ अहाँ सभ मे सँ केओ एहि अत्याचार सभक कारणेँ जे अहाँ सभ सहि रहल छी डगमगाय नहि लागी। अहाँ सभ तँ जनिते छी जे एहन कष्ट अपना सभक जीवन मे अयबेटा करत। 4हम सभ अहाँ सभक ओतऽ जखन छलहुँ तँ अहाँ सभ केँ कहबो कयलहुँ जे अपना सभ केँ अत्याचारक सामना अवश्य करऽ पड़त, आ जेना अहाँ सभ जनिते छी, से बात भेबो कयल। 5तेँ जखन हमरा आरो नहि रहल गेल तँ हम अहाँ सभक विश्वासक हाल-समाचार बुझबाक लेल तिमुथियुस केँ अहाँ सभ लग पठौलहुँ। हमरा डर छल जे कतौ एना तँ नहि भेल जे धोखा देबऽ वला शैतान अहाँ सभ केँ लोभ देखौने होअय आ हमरा सभक मेहनत बेकार भऽ गेल होअय।
थिसलुनिकी सभक विश्वासक बारे मे सुनि पौलुस उत्साहित
6मुदा तिमुथियुस एखने अहाँ सभक ओहिठाम सँ आबि गेलाह और अहाँ सभक विश्वास आ प्रेमक नीक समाचार सुनौलनि। ओ कहलनि जे अहाँ सभ हमरा सभ केँ सदिखन प्रेम सँ याद करैत छी आ हमरा सभ केँ फेर देखबाक लेल ओतेक उत्सुक छी जतेक हम सभ अहाँ सभ केँ देखबाक लेल। 7यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभक विश्वासक समाचार जानि हमरा सभ केँ अपन सभ कष्ट-विपत्ति मे अहाँ सभक विषय मे प्रोत्साहन भेटल। 8अहाँ सभ प्रभु मे स्थिर छी, से सुनि आब हमरा सभ मे जान आबि गेल! 9अहाँ सभक कारणेँ जे अपना सभक परमेश्वरक सम्मुख हमरा सभक बड़का आनन्द अछि, तकरा लेल हम सभ परमेश्वर केँ कोन शब्द सँ धन्यवाद दियनि? 10हम सभ दिन-राति पूरा मोन सँ हुनका सँ ई प्रार्थना करैत रहैत छी जे हम सभ अहाँ सभ केँ फेर देखि सकी और अहाँ सभक विश्वास मे जे कमी रहि गेल अछि, तकरा पूरा कऽ सकी।
11आब अपना सभक पिता परमेश्वर स्वयं और अपना सभक प्रभु यीशु हमरा सभक लेल अहाँ सभ लग अयबाक रस्ता खोलथि। 12प्रभु एना करथि जे, जाहि तरहेँ हम सभ अहाँ सभ सँ प्रेम करैत छी, ताहि तरहेँ अहाँ सभक प्रेम एक-दोसराक लेल और सभ लोकक लेल बढ़ैत आ उमड़ैत रहय। 13ओ अहाँ सभक मोन स्थिर करथि जाहि सँ अपना सभक प्रभु यीशु जहिया अपन सभ पवित्र लोकक संग#3:13 वा, “अपन सभ स्वर्गदूतक संग” औताह तहिया अहाँ सभ अपना सभक पिता परमेश्वरक सम्मुख पवित्र आ निर्दोष पाओल जाइ।
Currently Selected:
1 थिसलुनिकी 3: mai
Highlight
Copy
Compare
Share
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
©2010 The Bible Society of India and © Wycliffe Bible Translators, Inc.