YouVersion Logo
Search Icon

1 कोरिन्‍थी 6

6
मण्‍डलीक भाइ-भाइक बीच मोकदमा!
1जखन अहाँ सभक बीच आपस मे विवाद होइत अछि तँ तकर न्‍यायक लेल प्रभुक लोक सभक बदला अधर्मी सभक सामने जयबाक दुःसाहस अहाँ सभ कोना करैत छी? 2की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे एक दिन प्रभुक लोक सभ संसारक न्‍याय करताह? अहाँ सभक द्वारा जँ संसारक न्‍याय कयल जायत तँ की अहाँ सभ छोट-मोट विवाद सभक न्‍याय करबाक योग्‍य नहि छी? 3की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे अपना सभ स्‍वर्गदूत सभक न्‍याय करब? तखन की एहि जीवन सँ सम्‍बन्‍धित बात सभक न्‍याय कयनाइ कोनो बड़का बात अछि? 4जँ अहाँ सभक बीच कोनो एहन विवाद अछि तँ की अहाँ सभ ओहन लोक सभ केँ पंच बनबैत छी जकरा सभ केँ मण्‍डली मे कोनो स्‍थान नहि छैक?#6:4 वा, “तँ अहाँ सभ मण्‍डलीक ओहनो लोक सभ केँ पंच बनाउ जकरा सभ केँ कम महत्‍व देल जाइत अछि।” 5हम अहाँ सभ केँ लज्‍जित करबाक लेल ई बात कहि रहल छी। की ई सम्‍भव अछि जे अहाँ सभक बीच एको गोटे एहन बुद्धिमान नहि होइ जे भाइ-भाइक बीच फैसला कऽ सकी? 6मुदा तकरा बदला मे एक विश्‍वासी भाइ दोसर भाइ पर मोकदमा करैत छी आ सेहो अविश्‍वासी सभक सामने!
7वास्‍तव मे जखन अहाँ सभ एक-दोसर पर मोकदमा चलबैत छी, तँ ताहि सँ स्‍पष्‍ट होइत अछि जे अहाँ सभ एखने पूर्ण रूप सँ हारि गेल छी। तकर बदला मे अहाँ सभ अन्‍याय किएक नहि सहि लैत छी? अपन हानि किएक नहि होमऽ दैत छी? 8मुदा अहाँ सभ तँ तकर विपरीत जा कऽ स्‍वयं अन्‍याय करैत छी आ दोसराक हक मारैत छी—सेहो अपन मसीही भाइ सभक!
9की अहाँ सभ ई नहि जनैत छी जे अधर्मी लोक परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश करबाक अधिकारी नहि होयत? अपना केँ धोखा नहि दिअ! अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध रखनिहार, मूर्तिक पूजा कयनिहार, परस्‍त्रीगमन कयनिहार, वेश्‍या सनक काज कयनिहार पुरुष, समलैंगिक सम्‍बन्‍ध रखनिहार लोक, 10चोर, लोभी, पिअक्‍कड़, गारि पढ़निहार आ धोखेबाज सभ परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश करबाक अधिकारी नहि होयत। 11आ से अहाँ सभ मे सँ किछु गोटे छलहुँ, मुदा अहाँ सभ आब प्रभु यीशु मसीहक नाम सँ आ अपना सभक परमेश्‍वरक आत्‍मा द्वारा धोअल गेलहुँ, पवित्र कयल गेलहुँ आ निर्दोष ठहराओल गेलहुँ।
अपन शरीर द्वारा परमेश्‍वरक सम्‍मान करू
12“सभ किछु करबाक हमरा स्‍वतन्‍त्रता अछि”—मुदा सभ किछु हितकर नहि अछि। “सभ किछु करबाक हमरा स्‍वतन्‍त्रता अछि”—मुदा हम कोनो बातक गुलाम नहि बनब। 13“भोजन पेटक लेल अछि आ पेट भोजनक लेल”—मुदा परमेश्‍वर दूनू केँ समाप्‍त कऽ देताह। शरीर अनैतिक सम्‍बन्‍धक लेल नहि, बल्‍कि प्रभुक सेवाक लेल अछि आ प्रभु शरीरक कल्‍याणक लेल। 14परमेश्‍वर जहिना अपना सामर्थ्‍य सँ प्रभु यीशु केँ मृत्‍यु मे सँ जिऔलथिन तहिना ओ हमरो सभ केँ जिऔताह।
15की अहाँ सभ ई नहि जनैत छी जे अहाँ सभक शरीर मसीहक अंग सभ अछि? तँ की हम मसीहक अंग लऽ कऽ तकरा वेश्‍याक अंग बना दिऐक? किन्‍नहुँ नहि! 16की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे वेश्‍याक संग जे केओ अपन शरीर जोड़ैत अछि से ओकरा संग एक शरीर भऽ जाइत अछि? किएक तँ धर्मशास्‍त्र कहैत अछि जे, “दूनू एक शरीर भऽ जायत।”#6:16 उत्‍पत्ति 2:24 17मुदा जे प्रभु सँ संयुक्‍त भऽ जाइत अछि से हुनका संग आत्‍मा मे एक बनि जाइत अछि। 18अनैतिक सम्‍बन्‍ध सँ दूर रहू। आरो सभ पाप जे मनुष्‍य करैत अछि, से शरीर सँ हटल अछि, मुदा जे ककरो संग अनैतिक सम्‍बन्‍ध रखैत अछि से अपना शरीरेक विरुद्ध पाप करैत अछि। 19की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे अहाँ सभक शरीर परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍माक मन्‍दिर अछि, जे आत्‍मा अहाँ सभ मे वास करैत छथि आ जे अहाँ सभ केँ परमेश्‍वर सँ प्राप्‍त भेल छथि? अहाँ सभ अपन नहि छी। 20अहाँ सभ दाम दऽ कऽ किनल गेल छी। एहि लेल अपना शरीर द्वारा परमेश्‍वरक सम्‍मान करू।

Highlight

Copy

Compare

Share

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in