1
2 तिमुथियुस 4:7
jivən səndesh
mai
हम नीक लड़ाइ लड़ि लेलहुँ, अपन दौड़ पूरा कऽ लेलहुँ और अपन विश्वास पर अटल रहलहुँ।
Compare
Explore 2 तिमुथियुस 4:7
2
2 तिमुथियुस 4:2
परमेश्वरक वचनक प्रचार करू, समय-असमय एहि मे लागल रहू। पूरा-पूरी धैर्य राखि शिक्षा दऽ कऽ लोक सभ केँ समझाउ-बुझाउ, चेतावनी दिअ, आ हिम्मत बढ़ाउ।
Explore 2 तिमुथियुस 4:2
3
2 तिमुथियुस 4:3-4
किएक तँ एहन समय आबि रहल अछि जखन लोक सभ सही शिक्षाक बात सुनब बरदास्त नहि करत, बल्कि अपना इच्छाक अनुसार अपना चारू कात तेहन शिक्षक सभक भीड़ जमा करत जे ओकरा सभ केँ वैह बात सुनौतैक जे ओ सभ सुनऽ चाहैत अछि। ओ सभ सत्य केँ सुनऽ काल मे कान मुनि लेत आ कपोल-कल्पित खिस्सा-पिहानीक पाछाँ दौड़त।
Explore 2 तिमुथियुस 4:3-4
4
2 तिमुथियुस 4:5
मुदा अहाँ प्रत्येक परिस्थिति मे सचेत होउ, कष्ट उठाउ, सुसमाचार-प्रचारक काज मे लागल रहू आ अपन सेवा-काजक सभ कर्तव्य पूरा करू।
Explore 2 तिमुथियुस 4:5
5
2 तिमुथियुस 4:8
आब हमरा लेल पुरस्कार राखल अछि—धार्मिकताक ओ मुकुट जकरा उचित न्याय कयनिहार न्यायाधीश, प्रभु, हमरा ताहि दिन देताह जहिया ओ फेर औताह, और से मात्र हमरेटा नहि, बल्कि ओहि सभ लोक केँ जे सभ प्रेमपूर्बक हुनकर अयबाक दिनक प्रतीक्षा कऽ रहल अछि।
Explore 2 तिमुथियुस 4:8