1
1 कोरिन्थी 7:5
jivən səndesh
mai
अहाँ सभ एक-दोसर केँ एहि अधिकार सँ वंचित नहि करू। जँ अपना केँ प्रार्थना मे समर्पित करबाक लेल से करबो करी तँ दूनूक सहमत सँ आ किछुए समयक लेल। तखन फेर पहिने जकाँ एक संग रहू जाहि सँ एना नहि होअय जे अहाँ सभ केँ अपना पर काबू नहि राखि सकबाक कारणेँ अहाँ सभ केँ शैतान प्रलोभन मे फँसाबय।
Compare
Explore 1 कोरिन्थी 7:5
2
1 कोरिन्थी 7:3-4
पति अपना स्त्रीक प्रति अपन वैवाहिक कर्तव्य पूरा करय, आ तहिना स्त्री सेहो अपना पतिक प्रति। स्त्री केँ अपना शरीर पर अधिकार नहि छैक; ओहि पर ओकर पतिक अधिकार छैक। आ तहिना पति केँ ओकर अपना शरीर पर अधिकार नहि छैक; ओहि पर ओकर स्त्रीक अधिकार छैक।
Explore 1 कोरिन्थी 7:3-4
3
1 कोरिन्थी 7:23
अहाँ सभ दाम दऽ कऽ किनल गेल छी, आब मनुष्यक गुलाम नहि बनू।
Explore 1 कोरिन्थी 7:23