Chapa ya Youversion
Ikoni ya Utafutaji

१ कोरन्‍थी किताबके परिचय

किताबके परिचय
यि पावलके लिखल कोरन्‍थीसबके लेल पहिल्‍का चिठी चियै। उ कोरिन्‍थ सहरमे एकटा मन्‍डली सुरु करनेरहै। ओइ मन्‍डलीमे खिरिस्‍टियन जिबन आ खिरिस्‍टमे करल बिस्‍बासके कारन बहुत समस्‍यासब उतपन भेलरहै। से समस्‍यासब हटाइके उदेससे उ यि चिठी लिखने छै। ओइ बखत कोरिन्‍थ सहर बहुत देससे समबन्‍ध भेल एकटा महान गिरिक सहर छेलै। उ सहर अखैया परदेसके राजधानी छेलै। ओकर बहुत निक चलल बेपार, नाम चलल संसकिरती, जते-तते बदनाम भेल्‍हा खराब चालचलन आ बहुत परकारके धरमके लेल उ सहर चिन्‍हल जाइछेलै।
पावलके सबसे बरका दुख यि समस्‍यासब हटेनाइ छेलै: मन्‍डलीमे हैबला मनमोटाब आ खराब चालचलनसब, जनि-मरदके समबन्‍ध आ बियाहके बिसयमे सबालसब, बुइधके बात, मन्‍डलीके नियम, पबितर आत्‍माके बरदान, मैरके जि उठैबला बात। उ आपन भितरी ग्‍यानके सक्‍तिसे अइ चिठीमे यि सबालसबके बारेमे निकसे बताइछै।
अइ चिठीके तेरह अध्‍यायमे परेम सबसे बरका बात चियै कैहके पावल बताइने छै। यदि बिस्‍बासीसब बिना परेम परमेस्‍वरके देल आपन बरदानके काममे लगाइतै त उ बेकाम चियै कैहके सेहो कहनेछै।
बिसय-सुची
परिचय १:१-९
मन्‍डलीमे मनमोटाब १:१०-४:२१
जनि-पुरुखके समबन्‍ध आ परिबारिक जिबन५:१-७:४०
खिरिस्‍टियनसब आ मुरती पुजा करैबलासब ८:१-११:१
मन्‍डलीके जिबन आ आराधना ११:२-१४:४०
खिरिस्‍ट आ बिस्‍बासीसबके जिके उठनाइ १५:१-५८
यहुदियाके खिरिस्‍टियनसबके लेल भेटी १६:१-४
निजी बातसब आ समाप्‍ती १६:५-२४

Kuonyesha

Shirikisha

Nakili

None

Je, ungependa vivutio vyako vihifadhiwe kwenye vifaa vyako vyote? Jisajili au ingia