तितस 3
3
असल कामके खातिर हरदम तयार रह
1सासक आ अधिकारीसबके अधिनमे रैहके ओइसबके बात माने परैछै कैहके आपन बिस्बासीसबके सिखा। भलाइके सब काममे हरदम तयार रहेपरैछै कैहके सम्झा-बुझ्हा। 2उसब ककरो बदनाम नै करे, लराइ-झगरा नै करे महज सब लोकसबसङे मिलजुइल असल बेबहार करे। 3कथिलेकी अपनोसब एकबेर मुरुख, ककरो कहल नै मानैबला आ भुलमे परल छेलियै। बहुतो तरहके देहके खराब इक्छासब आ भोगबिलासमे फसल छेलियै। अपनासब दुस्ट आ डाहके जिबन बिताबै छेलियै। अपनासब दोसरके घिरना करैत रहियै त उहोसब अपनासबके घिरना करैछेलै। 4महज जब अपनासबके मुक्ती दैबला परमेस्वरके दया आ परेम आपनसबमे परकट भेलै, 5तब उ अपनासबके बचेल्कै। अपनासब कोनो धरम-करम करलाके कारन नै महज ओकर दया आपनसबमे भेलाके कारन बचेल्कै। ओकर पबितर आत्मासे अपनासबके पाप धुवाके अपनासबके लया जलम आ लया जिबन देल्कै। 6परमेस्वर पबितर आत्माके मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टसे परसस्त कैरके अपनासबमे राइखदेल्कै। 7जै कारन ओकर अनुगरहसे धरमी भ्याके अपनासब आसा करल अनन्त जिबनके हकदार बैन सकि। 8यि बातसब साँचोके चियै। हम चाहैचियै कि अइ बातसबमे जोर दिय, ताकि जे परमेस्वरमे बिस्बास करनेछै उसब असल काममे धियान देबे। कथिलेकी यि सब लोकसबके लेल असल आ फाइदाके बात चियै।
9महज बेरथके बात, बंसाबली, फुट लाबैबला आ धरम नियमके झगरासबसे दुरे रह। कथिलेत यि काम नै लागैबला आ बेरथके बात चियै। 10मन्डलीमे फुट आनैबलाके एक-दुइ बेर चेता, यदि उ नै मानैछौ त ओकरसङे कोनो समबन्ध नै राख। 11यि बात तु जान्बे करैचिही कि एहेन लोक भरस्ट आ पापी हैछै। ओकरासबके आपने पाप ओइसबके दोसी बनाइछै।
अन्तिम सुझाव आ आसिरबाद
12जब हम, अरतिमास या त तुखिकसके तोहरलग पठेबौ, तु हमरा जल्दीसे भेटैले निकोपोलिस सहरमे आबिहे। कथिलेकी जार मास हम ओतै बिताबैके इक्छा कैने चियै।#परेरित २०:४, एफिसी ६:२१-२२, कलस्सी ४:७-८, २ तिमोथी ४:१२ 13तु वकिल जेनस आ अपोल्लोसके जाइबला सफरमे सकैजतहेक सहायता करिहे। खाँचो परैबला सब चिजके मदत करिहे।#परेरित १८:२४, १ कोरन्थी १६:१२ 14आपन लोकसब असल काममे लागल रहे, ताकि आवसयक परल समयमे सहायता देबे सके आ बेरथमे जिबन नै जिये। 15अते हमरसङे भेल सब लोकसब तोरा गोरलगी पठाइनेछौ। हमरासबके परेम करैबला ओते भेल खिरिस्टियन भाइ-भैयासबके सेहो गोरलगी कैहदहै। परमेस्वरके अनुगरह तोरा आ औरो सब गोरासङे रहे।
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.