Ves al contingut

तितस 2

2
असल सिक्‍छा
1महज तितस तु असल सिक्‍छा सङे मिलैबला बातसब मातरे सिखाबिहे। 2बुढबासबके परहेज करैले, गहन आ अपने-आपके बसमे राखैले सिखा। ओइसबके बिस्‍बासमे, परेममे आ सहनसिलमे बौकार हैलेपरतै कैहके सिखा। 3तहिनङे, बुढ जनिसबके परमेस्‍वरके आदर हैबला असल चालचलनके जिबन जियैके लेल सिखा। उसब बिना कारन ककरो निन्‍दा नै करे आ निसाबला चिजके बसमे नै परे बरु जे चिज असल छै उ औरो दोसर गोराके सिखाबे। 4यि सब करलासे उसब जबान बेटि-पुतौहसबके आपन-आपन घरबला आ बेटा-बेटिके परेम करैके लेल सिखाबैले सक्‍तै। 5तब उसब आपने आपके बसमे राखैबला, सतबरती, दयालु आ आपन घरबलाके अधिनमे रैहके घर-परिबारके सब बेबहार चलाइतै जैके कारनसे कोइयो नै परमेस्‍वरके बचनके बदनाम करेसक्‍तै।
6ओहिनङे जबानसबके अपने-आपके बसमे राखैके लेल उत्‍साह दहै। 7तुसब आपन सब काममे ओइसबके अगा अपने-आपके असल नमुना बैनके देखा। तु इमान्‍दार आ गम्‍भिर भ्‍याके सिक्‍छा दहै। 8एहेन सत बचन सिखा जकरा कोइयो नै काटे सके आ हमरासबके बिरोधमे उठैबला सरममे परे।
9नोकरसब सेहो आपन-आपन मालिकके अधिनमे रैहके ओइसबके सब काममे खुस करौक, मुह-मुहे नै लागौक। 10उसब कोनो चोरी-चपाटी नै करे बरु सबदिन असल आ बिस्‍बासी भ्‍याके रहे जैसे आपन मुक्‍तीदाता परमेस्‍वरके बचनके सोहनगर बनाबे। 11कथिलेत परमेस्‍वरके अनुगरह सब लोकसबके मुक्‍ती दैले परकट भेल छै। 12यि अनुगरहसे अपनासबके परमेस्‍वरके आदर नै हैबला काम आ सनसारके लोभ लालच त्‍यागैले लगाइछै आ धिरजसे अपने-आपके बसमे राखैले, निरदोस हैले आ परमेस्‍वरके आदर हैबला जिबन जियैले सिखाइछै। 13अकर सङे-सङे, अपनासब आसा करल बात पुरा हैबला दिनके रस्‍ता ताकैचियै, उ दिन अपनासबके महान परमेस्‍वर आ मुक्‍ती दैबला येसु खिरिस्‍ट आपन महिमामे परकट हेतै। 14येसु खिरिस्‍ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्‍ती दैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्‍कै। उ यि चाहल्‍कै कि हमसब असल काममे उत्‍सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।#भजनसङगरह १३०:८, परस्‍थान १९:५, बेबस्‍था ४:२०, ७:५, १४:२, १ पतरुस २:९ 15तु बिस्‍बासीसबके यि सब बात पुरा अधिकारसे सिखाही, हौसला दहै आ हप्‍का। कोनो लोक तोरा हेला करे तैके मौका नै दहै।